बधाई ज्ञापन!!

394

दिल्ली केँ हार्दिक बधाई! यथार्थ रूप मे महाभियानक संचालक – दिल्ली मे मैथिली ओ मिथिलाक झंडा गाड़निहार एक पुरोधा – सदैव कर्मठताक संग आगू बढैत – केहनो संघर्ष मे जीत हासिल करैत अपन मातृभूमि आ मातृभाषा प्रति पूर्ण समर्पित – मुदा अपन कठोर सिद्धान्त आ जिद्द लेल सेहो प्रसिद्ध, हिनकर आजीवन योगदानक कदर करैत एहि सम्मान लेल पुन: बधाई आ भविष्य मे सेहो हिनकर काजक प्रेरणा सँ मैथिली आ मिथिलाक जयकार होइत रहत से आशा। विजय बाबुक नाम लैते हिनकर जिद्द आ कठोर सिद्धान्त सब मोन पड़ब हमरा लेल स्वाभाविके अछि। मुदा आदरणीय आ श्रेष्ठ अभियानीक रूप मे हिनकर जतेक प्रशंसा हो ओ कमे होयत। हिनका पर समर्पित किछु पाँति: पुत्र बहुत जन्म लैत अछि एहि धरती पर गर्व योग्य आंगुर पर गानल होइत अछि! ओहि पिता केँ धन्यवाद जे जन्म देलनि विजय चन्द्र झा महान मैथिल सपुत छथि!! प्रेरणा हिनका सँ लेबाक चाही नवतुरियाकेँ काज करबाक हिम्मत सदा प्रशंसनीय अछि! दिल्ली कोलकाता – मिथिला गानल जाइछ मैथिली जिन्दाबादक नारा सर्वत्र लगैत अछि!!

श्री विजय चन्द्र झा
अध्यक्ष, अखिल भारतीय मिथिला संघ,