हमर गाम देवडीहा मे पक्की सड़क बनि रहल अछि

हमरो गाम मे पीच रोड बनि गेलः देवडीहा (जनकपुर) वासी

बटुकनाथ झा, देवडीहा (जनकपुर)। अप्रैल ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

devdiha1हमर गाम देवडीहा मे आब पक्की सड़क सेहो बनि रहल अछि । विद्वता, बौद्धिकता आ आर्थिक संपन्नता – हरेक रुप मे अपन अलग पहिचान स्थापित कएने ऐतिहासिक – पौराणिक महत्वक गाम ‘देवडीहा’ मे सड़क नहि भेलाक कारण बहुते समस्या होएत छल । कोनो समय मे सडक पर भरि ठेहुन कादो रहब, जनकपुर किम्बा नगराइन-जटही आदि अयबा-जेबा मे कच्ची रस्ता बरखाक मौसम मे थाल-कादो आदि सँ पिच्छड़ आ घिनायल रहबाक कारणे लोकक लेल चलबो असहज होएत छल । एहन अवस्था सँ मुक्ति लेल गाम मे पक्की सडक बनि रहला सँ खुशीक अनुभव भऽ रहल अछि ।

devdiha2गाम सँ बाहर रहल अनेकानेक ग्रामीण आ हमर गाम – इलाकाक आरो-आरो गाम सब सँ जुड़ल लोक सब केँ ई फोटो आ समाचार देखि जरुरे हर्षक अनुभूति हेतनि । आब किछुए दिन मे हमरो गाम मे मोटर चलत ।

धनुषा जिल्लाक क्षेत्र नं. ३ केर क्षेत्रीय सड़क निर्माण काज भऽ रहल अछि आर ओहि सड़क अनतर्गत हमर गाम सेहो पड़ैत अछि । राजनीतिक बात ओ विचार मे भले जे-जतेक अन्तर वा भेद होइक, मुदा इलाकावासी एहि काजक लेल नेपाली काँग्रेसक प्रभावशाली नेता तथा सांसद विमलेन्द्र निधि जी केँ धन्यवाद दय रहल छन्हि ।

devdiha3नेताक काज केन्द्र मे बड़का बनलाक बादो यदि अपन क्षेत्रक विकासक काज अवरुद्ध रहय तऽ निश्चिते लोकमानस मे ओहि नेताक प्रति उदासीनताक भाव अबैत छैक। कहबी छैक, समूचा नेपाल मे सर्वाधिक जनप्रतिनिधि यैह क्षेत्र सँ केन्द्र काठमांडू मे राजनीति करैत अछि। सब दल सर्वाधिक सक्रिय एहि जनकपुर अंचल मे देखल जाएत अछि।

devdiha4ऐतिहासिकता सेहो नेपालक एहि स्थान केँ रामायणकाल सँ स्थापित अछि। तखनहु एतुका पिछड़ापण एकटा विस्मयकारी प्रश्न ठाढ करैत अछि। जाहि मिथिलादेशक राजधानी क्षेत्रक वर्तमान विपन्न अछि, निश्चिते ओकर आन क्षेत्रक विकास कतय होयत ई सर्वथा सोचय योग्य प्रश्न थीक। नव नेपाल मे ई सब कलंक धोयल जा सकत ई विश्वास आशंकाक बीच कायम अछि।