
कानपुर, मार्च ८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलांचल महासभा उत्तरप्रदेश केर कानपुर युनिट द्वारा अलंकरण समारोह केर आयोजन काल्हि शिवरात्रिक विशेष अवसर पर महावीर मन्दिर बर्रा (कानपुर) मे कैल गेल। एकर संयोजन संस्थाक प्रवक्ता अनिला झा एवं सहयोगी संतोष कुमार, मंटू चौधरी, मनोज, भारत झा तथा दया ठाकुर छलाह।
आयोजक संस्थाक अध्यक्ष अमित झा जानकारी करौलनि अछि जे महासभा द्वारा मैथिल समाज प्रति समर्पित सेवा ओ सम्मान करबाक परंपरा केँ शिवरात्रिक दिन निरंतरता दैत मेधावी छात्र आर समाजक बड़-बुजुर्ग लोकनि केँ सम्मानित कैल गेल अछि।
विदित हो जे काल्हिक कार्यक्रम मे कुल ५५ काँवर सहित यात्रा कैल गेल छल। गंगा बैराज सँ महावीर मंदिर धरिक यात्रा मे मैथिल समाज सहभागिता देने छल। एहि कामर यात्राक पूरा भेलाक बाद महासभा द्वारा पाँच जरुरतमंद मेधावी बच्चा अनंता चौधरी, रंजन ठाकुर, आनंद प्रतिहस्त, अमित झा तथा हर्ष मिश्रा केँ अलंकरण सम्मान देल गेल। तहिना समाजक बड़ बुजुर्ग आ समाजक सेवा मे उल्लेख्य योगदान कएनिहार परमानंद झा एवं उग्र नारायण ठाकुर केँ ‘मैथिल सम्मान’ सँ सम्मानित कैल गेलनि।
निरंतर मैथिल समाज केर सर्वांगीण हित लेल अनुकरणीय कार्यक्रमक आयोजन करैत आबि रहल मिथिलांचल महासभा उत्तरप्रदेश भारतक मैनचेस्टर केर रूप मे प्रसिद्ध कानपुर मे मिथिलाक उपस्थिति सँ सब वर्ग केँ सुपरिचित रखैत आबि रहल अछि आर एहि क्रम मे वर्तमान कार्यक्रमक संदेश सेहो मैथिल समाज केँ एकजुट करय मे नीक भूमिका खेलायत, ई भावना अनिल झा मैथिली जिन्दाबाद केर समक्ष रखलैन।