वाचस्पति प्रतिमा अनावरण सह स्मृति पर्व समारोह ठाढी मे

१६ मार्च केँ होयत ठाढी (मधुबनी) मे वाचस्पति मिश्र केर प्रतिमा अनावरण

ठाढी, मधुबनी। मार्च २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

Bhamatiमधुबनीक सुप्रसिद्ध गाम आर मिथिलाक ऐतिहासिकता एवं पौराणिकता केँ जीवन्त राखय मे सर्वथा अग्रसर गाम – पुरातात्त्विक दृष्टिकोण सँ समस्त मिथिलाक राजधानी क्षेत्र रूप मे वर्णित ‘ठाढी’ गाम जे नव्य न्याय केर उद्भेदक पंडित वाचस्पति मिश्र तथा कविश्वर चन्दा झा केर भूमिक रूप मे जगविदित सेहो अछि ‍- एहि गाम मे यैह १६ मार्च, २०१६ तदनुसार बुद्ध दिन वाचस्पति-भामती उद्यान मे समारोहपूर्वक विद्यावारिधि पं. वाचस्पति मिश्र केर प्रतिमा अनावरण कार्यक्रमक संग विद्वान् लोकनिक सान्निध्य मे साहित्यिक परिचर्चा आर मैथिली भाषाक अनेकानेक कविक सहभागिता मे ‘कवि सम्मेलन’क संग मिथिलाक प्रसिद्ध गायक लोकनिक गायन – कला प्रदर्शन हेतु सांस्कृतिक संध्याक आयोजन होमय जा रहल अछि।

आयोजक भामति-वाचस्पति स्मारक निर्माण समितिक अध्यक्ष रत्नेश्वर झा मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी दैत कहलनि जे राज्य सरकार द्वारा महान दर्शनशास्त्री वाचस्पतिक डीह पर भूमि अधिग्रहण करेबा सँ लैत भवन निर्माण धरिक कार्य समिति द्वारा पूर्वहि मे संपन्न कैल जा चुकल अछि, आर आब लगले हाथ हुनक प्रतिमा निर्माण कार्य सेहो संपन्न कैल गेल अछि, जेकर अनावरण समारोहपूर्वक करैत विश्व भरि मे एकटा संदेश देबाक योजना अछि। ओना तऽ वाचस्पति केर कृति ‘भामति’ अपन धर्मपत्नीक नाम पर लिखल ब्रह्मसूत्र केर टीका संसार मे अमर अछि, मुदा गामहि मे हुनकर डीह विरान आ सून्न लगैत रहल जेकर पूर्ण समाधान करबाक लेल हमरा लोकनि प्रण लेने रही। यैह संकल्प विभिन्न चरण मे पूरा कैल जा रहल अछि।

श्री झा कहलैन जे एहि अवसर पर राखल गेल आयोजनक नामकरण ‘विद्यावारिधि पंडित वाचस्पति मिश्र प्रतिमा अनावरण सह स्मृति पर्व समारोह’ सँ सब किछु स्पष्ट अछि। १६ मार्च केँ कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति प्रमुख अतिथि डा. देव नारायण झा द्वारा प्रतिमाक अनावरण कैल जाएत। एहि सुअवसर विशिष्ट अतिथिक रूप मे अनेकानेक विद्वान् लोकनिक आगमन लेल पुष्टि भेट चुकल अछि। एहि सूची मे मुख्य नाम डा. बौआनन्द झा (दर्शन विभागाध्यक्ष), डा. दिनेश्वर झा (वेद विभागाध्यक्ष), डा. मदन मोहन झा (पुरातत्त्व विभागाध्यक्ष), डा. नन्द किशोर चौधरी (शिक्षाशास्त्री), डा. अयोध्यानाथ झा, डा. सुरेश्वर झा (पूर्व प्राचार्य) सहित अति विशिष्ट सहयोगी रंग नाथ चौधरी (जिला आपूर्ति अधिकारी) एवं डा. इन्दिरा झा (अंग्रेजी विभागाध्यक्ष) अछि। तहिना विशिष्ट अतिथिक रूप मे अपेक्षित सहभागिता पद्मश्री डा. उषा किरण खान तथा किशोर कुणाल केर नाम सेहो शामिल अछि।

कार्यक्रमक पहिल सत्र १२ बजे सँ ३ बजे धरि प्रतिमा अनावरणक संग साहित्यिक परिचर्चा (विद्वत् गोष्ठी) केर होयत जाहि मे विशिष्ट विद्वान् लोकनिक वक्तव्य पंडित वाचस्पति मिश्र केर आजीवन योगदान पर संबोधन सँ होयत। दोसर सत्र ३ बजे सँ ६ बजे धरि कवि सम्मेलन होयबाक नियार अछि। एहि कवि सम्मेलन मे मैथिली भाषाक वरिष्ठ कवि प्रवासी साहित्यकार (गजहारा) एवं उदयचन्द्र झा विनोद केर संग अजित आजाद, डा. चन्द्रमणि झा, रामेश्वर निशान्त, प्रवीण नारायण चौधरी आदिक सहभागिता होयबाक अपेक्षा अछि। डा. जयप्रकाश जनक केर सहभागिताक संभावना सेहो प्रबल अछि, जानकारी करौलनि श्री झा। तदोपरान्त संध्या ८ बजे सँ कुञ्जबिहारी मिश्र, रामबाबु झा, रश्मि प्रिया झा, पूनम मिश्रा एवं हिन्दी गीत-संगीत-सिनेमाक जानल-मानल सतीश मुन्ना केर सहभागिता मे सांस्कृतिक संध्याक आयोजन राखल गेल अछि जेकर संचालन मिथिलाक सुप्रसिद्ध हास्य सम्राट एवं विद्वान् अद्भुदानन्द करता।

पहिल दुइ सत्र वाचस्पति-भामति उद्यान मे होयत लेकिन संगीत संध्या दुर्गास्थान मे राखल गेल अछि। एहि प्रतिमा अनावरण सह स्मृति पर्व समारोह मे विशाल गाम ठाढीक अतिरिक्त आस-पड़ोसक गाम सँ अनेकानेक लोक सुधि श्रोताक रूप मे आमंत्रित होयबाक जानकारी सेहो श्री झा सँ भेटल अछि। संपूर्ण कार्यक्रमक संयोजन मे संस्थाक सचिव डा. काशीनाथ झा एवं सह-संयोजक क्षमाधर झा छथि। भैर गामक सम्भ्रान्त सज्जन जनमानसक संग संतोष झा, अमर नाथ झा आदि युवाजनक संयोजन सहयोग सेहो मुख्य रूप सँ एहि आयोजनक सफलता लेल दिन-राति कार्यरत अछि।