दोहा-कतार। नवम्बर २८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
कतार प्रवास पर रहनिहार मैथिल सर्जकसब द्वारा ‘विद्यापति स्मृति पर्व समारोह-२०१५’ २७ नभेम्बर, २०१५ शुक्र दिन सम्पन्न कयल गेल ।
विगत चारि मास सँ निरन्तर रुप मे आयोजना होइत आबि रहल कार्यक्रम -‘साँझक चौपारि-पर’ केर ई चारिम मासक डबली सेहो छल ।
सनैया (३९) केर बलदिया क्याम्प मे सम्पन्न भेल उक्त समारोह मे कतार मे रहि रहल मैथिली सर्जक, स्रष्टा एवं मिथिला/मैथिली प्रेमी सबहक जोरदार उपस्थिती छल ।
देशसँ दूर रहितो अपन भाषा-साहित्य आ संस्कार-संस्कृति केँ जिबन्त रखबाक हेतु सँ प्राय: सर्जकलोकनि अपन मैथिली पोशाक धोती, कुर्ता आ पागमे आयल छलथि । ज्ञातव्य अछि जे कतार मे पाग नै भेटलाक बाद मैथिली जिन्दाबादक प्रधान सम्पादक, मैथिल अभियानी श्री प्रवीण नारायण चौधरी जी केर सुझाव सँ एतुका सर्जकसब अपनहि सँ पागक निर्माण केलनि।
कार्यकम ‘कवि कोकिल विद्यापति’ जी केर शब्द रचना मैथिल स्वर मलिका रजनी पल्लवी जी केर स्वरमे – “जय जय भैरवि असुर भयाउनि” प्रार्थना-गीतक संग शुरु कयल गेल । महाकवि जी क’ काज, साहित्य मे देल गेल योगदान एवं मैथिली/मिथिला प्रति समर्पण देखि हुनके स्मरण करैत महाकविक तैल्यचित्र पर धुप-अगरबती, अबीर, फूल-माला अर्पण करैत, दीप प्रज्वलित करैत कैल गेल । संगहि एखन समकालीन समयमे अपन माटि-पानि, भाषा-साहित्य लेल कलम चलाबि रहल सर्जक लोकनि आर संस्कार-संस्कृति लेल समर्पित सचेतक लोकनि सब गोटेकेँ सेहो एतुका सर्जक सब साधुवाद आ साहित्यिक अभिवादन कयलनि ।
तहिना दोसर चरणमे ‘महाकवि’क जीवनी एवं हुनक एकटा रचना सर्जक प्रणव कान्त झा द्वारा प्रस्तुत कएल गेल । तकरा बाद मैथिली जिन्दाबादक सम्पादक आ हमरा सबहक प्रेरक श्री प्रवीण नारायण चौधरी जी द्वारा पठाओल गेल ‘ विद्यापति विशेष अत्यन्त प्रेरणादायी एवं यथार्थपरक लेख सेहो कवि विन्देश्वर ठाकुर द्वारा प्रस्तुत कएल गेल । चौधरी जी केर बिचार आ सुझाव सँ सबगोटे मन्त्रमुग्ध भेलाह ।
तहिना रचनासब रखबाक क्रम मे कवि बेचन महतो, मो. अशरफ राइन, मो. अब्दूर रज्जाक, प्रणव झा, शत्रुघन मुखिया, सोगारथ एवं दिनेश यादव, अजय साह सहित अन्यान्य सर्जक सब अपन-अपन रचना केर वाचन केलनि । एकरा सँ अतिरिक्त, कतार सँ बाहर रहल कवि विभूती आनन्द, महेश झा ‘डखरामी’, एस.के मैथिल, प्रेमी रवीन्द्र, राजदेव राज, प्रयास प्रेमी मैथिल, अशोक सहनी, आदि बाहिरी स्रष्टा सबहक पठाओल गेल विद्यापति विशेष रचना सब सेहो कार्यक्रम मे उपस्थित स्रष्टा द्वारा वाचन कैल गेल ।
युवा समाजसेवी मनिष राय द्वारा कार्यक्रमक सबटा तस्बीर कलात्मक रुपें लेल गेल ।
४/५ गोटे मिलि पार्कमे शुरु केने काव्य सन्ध्याक आजुक रुप देखि सत्ते सबगोटे बड उत्साहित आ प्रसन्न भेलाह । अगामी दिनमे सेहो अपन भाषा-साहित्य आ संस्कार-संस्कृति लेल एकजुट रहब आ आगु बढब से सबगोटे प्रतिबद्धता प्रकट केलनि ।
अंत मे, महाकवि विद्यापतिक रचना आर हुनकहि एकटा गीतक संग कार्यक्रम केँ समापन कएल गेल ।

3 Comments
Ati sunder bahut khushi ke atai dur rahla ker bado matri bhasha ke yad karait chhi
मैथिली जिन्दाबाद के वधाई
जे विदेशोक आयोजनक खबरि
साङ्गोपाङ्ग परसैत अछि ।।
आभार ।
बहुत रास धन्यवाद भाइसाहेब! निश्चित रूप सँ मैथिली जिन्दाबाद एकटा अभियान समान कार्य करैत अछि। ई सदिखन अपने लोकनिक सहयोग सँ आगाँ बढैत रहय। किछु आलेख वगैरह – किछु समाचार सामग्री सब अपनो लोकनि जरुर पठायल करी। एना सब गोटा मिलिकय आरो नीक कय सकैत छी।