नवम्बर २४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
अपन मातृभाषा मैथिली प्रति सदैव जागरुक – दोहा, कतार मे कार्यरत मैथिल समाजक विभिन्न स्रष्टा लोकनि एहि बेरुक ‘सांझक चौपारि पर’ कार्यक्रम मे महाकवि विद्यापति केर स्मृति दिवस समारोहपूर्वक मनेबाक निर्णय केलनि अछि। संयोजक विन्देश्वर ठाकुर जे स्वयं एकटा प्रख्यात युवा मैथिली साहित्यकार, कवि एवं अभियानी छथि, ओ मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी देलनि अछि जे सामान्य साहित्यिक गतिविधि मे किछु विशेष करबाक नियार हमरा लोकनि बहुत दिन सँ कए रहल छलहुँ, एहि विशेष मास कार्तिक आर महाकवि विद्यापति सँ जुड़ल उक्ति ‘कार्तिक धवल त्रयोदसी जान- विद्यापतिक आयू अवसान’ आर एहि संग शुरु भेल महाकविक स्मृति सँ हम मैथिली साहित्यकार अछूता नहि रहि सकलहुँ। एहि बेर महाकविक स्मृति दिवस हमरो लोकनि गाम-घर-समाज सँ दूर विदेशक प्रवास-भूमि कतार केर दोहा मे मनेबाक निर्णय केलहुँ अछि।
विन्देश्वर ठाकुर, अब्दुल रज्जाक, अशरफ राइन, प्रणव कान्त झा व दर्जनों मैथिली स्रष्टा लोकनि दोहाक मुर्तजा पार्क मे ‘अकास तर बैसकी’क तर्ज पर साँझक चौपारि केर रूप मे मासिक साहित्यिक गोष्ठी करैत आबि रहल छथि।
फेसबुक पर प्रकाशित आमंत्रण मे ओ लिखैत छथिः
“मातृभाषाक जगेर्णा हमरासबहक प्रेरणा” मूल नाराके संग बिगत ४ मास सँ निरन्तर रुपमे चलैत आबि रहल मैथिली काव्य-सन्ध्या एहिबेर सेहो निम्न मिति तथा स्थानमे होबए जा’ रहल अछि । एहिबेरक महत्वपूर्ण आकर्षण- “महाकवि विद्यापति स्मृति समारोह-२०१५” रहल अछि । मैथिली साहित्यक पैघ विभूति महाकवि विद्यापतिक स्मृति सबठाँ अपना-अपना तरहे मनाबि रहल देखि कतारमे रहल मैथिल सर्जकसबद्वारा सेहो पहिल बेर एहि कार्यक्रमके शुरु करबाक कोसिस कएल गेल अछि । अत: दोहा-कतारमे रहनिहार सम्पूर्ण सर्जक, स्रष्टा एवं साहित्यप्रेमी सबसँ सादर निवेदन जे कृपया एहि पुनित अवसरपर अवश्य पधारी आ कार्यक्रमके सफल बनाबी । संगे कतार सँ बाहर रहल मित्रसब सेहो अपन-अपन ‘महाकवि विद्यापति’ विशेष रचना एहि कार्यक्रममे पठा सकैत छी । एहिके लेल अपने सब फेसबूकमे -“साँझक चौपारि-पर’ पेज आ वाट्स एप्पमे अपन नम्बर सहित जुडि सकैत छी । संगे एहि पोष्टके कमेन्ट बक्समे सेहो अपन रचना भेजी । हमसब अहुठाँ सँ ल’ क वाचन करब ।
मिति: २७/११/२०१५
स्थान: ३९ न. बलदिया क्याम्प(सनैया)
दोहा-कतार
समय : ३ PM सँ
नोट: अहिसँ पहिने मुन्ताजा पार्कमे होइत आइल कार्यक्रम कतारी कानुन अनुसार पार्कमे एहन कार्यक्रम करबाक अनुमति नै देबाक कारणे एहिबेर स्थान परिवर्तन कर’ पडल ।
मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ कार्यक्रमक सफलता हेतु हार्दिक शुभकामना अछि।

3 Comments
विन्देश्वर ठाकुर आ सभ कला साहित्य प्रेमी कें,लगातार सांस्कृतिक समाजिक कार्य करबाक लेल हार्दिक बधाई । कतेको मधेशी शहिदक परिवार कें आर्थिक सहायता पहुँचा कें मानवताक लेल श्रेष्ठ कार्य सब केलक अछि । इ कोनो सधारण कार्य नहि अछि । सभ गोटै कें बहुत बहुत साधुवाद । ईश्वर सदैव अहाँ सब कें कृपा करथि । जय हो । मैथिली जिन्दाबाद ।
हार्दिक धन्यवाद विमल सर जी । अपनेसबक आशीर्वाद आ भगवानक कृपा सँ हमसब अहि तरहक समाजिक/सांस्कृतिक काजसब करैत आबिरहलौं अछि आ ठठरीमे प्राण रह’ धरि करैत रहब । अत: सदैव अपन स्नेह,आशिर्वाद एवं सल्लाह-सुझाब दैत रही से सादर अनुरोध ।
जय मातृभाषा !!
हार्दिक आभार मैथिली जिन्दाबाद वेव पोर्टल एवं हमरा सबहक अग्रज,प्रेरक,कुशल सर्जक,एहि पत्रिकाक सम्पादक तथा मैथिली अभियानी श्री प्रवीन नारायण चौधरी सर । अपनेसबहक प्रेम-स्नेह आशीर्वाद स एखन्धरि सफल होइत आबि रहल छेर आ सदैव होइत रहब से आस अछि । अहिना अपन आशीर्वाद एवं उचित परामर्श दैत रही अए निवेदन ।
जय मिथिला !!
जय मैथिली !!
मैथिली जिन्दाबाद !!