रवि कुमार मंडल ‘मिथिला’, मुम्बई। नवंबर १, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
महाराष्ट्र मैथिल समाज, मुम्बई केर अगुवाई मे आगामी २२-२३ दिसम्बर, २०१५ केँ विरार केर जीवदानी मंदिर प्रांगण मे आयोजित कैल जायत। मिथिला-मैथिली जगत् केर वरिष्ठ पुरोधा श्री बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजु’ केर अध्यक्षता ओ नेतृत्व मे ई सम्मेलन हरेक वर्ष देश-विदेश केर विभिन्न ठाम पर आयोजित कैल जाएत अछि। मैथिली भाषा ओ मिथिला संस्कृतिक संग-संग मैथिल केर राजनैतिक अस्तित्व व समस्त सरोकार पर चिन्तन-मंथन हेतु एहि कार्यक्रम मे देश-विदेश सब ठाम सँ मैथिलगण सहभागी बनैत छथि। एहि कार्यक्रम मे राष्ट्रीय स्तर उच्च नेतागण यथा राष्ट्रपति, प्रधानमंत्री, मुख्यमंत्री लोकनि केर विशिष्ट आतिथ्य रहब एकटा आरो पैघ विशेषता रहैत अछि। तहिना एहि सम्मेलन द्वारा समस्त भारतीय भाषा जे संविधानक अष्टम् अनुसूची मे दर्ज अछि ताहिक स्रष्टा केँ सम्मान देल जाएत अछि। एकर अतिरिक्त मैथिली तथा मिथिलाक उत्थान तथा विकास मे निरन्तर योगदान देनिहार विशिष्ट व्यक्तित्व केँ ‘मिथिला विभूति’ सँ सम्मानित कैल जेबाक खास परंपरा अछि। एहि सम्मेलन सँ देश व राज्यक संग-संग विदेश मे मैथिल केर स्थिति व अस्तित्वक संग विकास व प्रगति लेल सेहो निर्णय लेल जेबाक परंपरा रहल अछि।
एहि कार्यक्रमक सफलतम् आयोजन लेल आइ नवी मुम्बई केर बिहार भवन मे एकटा व्यवस्थापकीय समितिक बैसार कैल गेल। एहि बैसार मे विभिन्न ओहदेदार सहयोगी व्यक्तित्व व संस्थाक सहभागिता रहल छल। मुख्य आयोजक मुम्बई मैथिल समाज केर अतिरिक्त दहेज मुक्त मिथिला सहित कुल २२ टा संस्थाक प्रतिनिधि लोकनि भाग लेलनि। आयोजन सँ संबंधित विभिन्न पक्ष पर विचार-विमर्शक संग पूर्वहि सँ सौंपल कार्यभार व प्रगतिक समीक्षा सेहो कैल गेल। वर्तमान कार्यक्रम मुम्बइक मैथिल समाज लेल प्रतिष्ठाक विषय थीक आर एकरा चुनौती समान बुझैत पूरा करय मे लागल छथि संपूर्ण मैथिल समाज। एहि सम्मेलनक उपरान्त शीघ्रहि दोसर महत्वपूर्ण कार्यक्रम करबाक नियार सेहो आजुक बैसार द्वारा कैल गेल जेकरा मुताबिक अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन पूरा भेला पर मिथिला वर-बधू सम्मेलन कैल जायत। ई घोषणा संदीप झा केलैन।
दहेज मुक्त मिथिलाक राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा जानकारी देलनि जे एहि कार्यक्रमक तैयारी एहेन सिस्टमेटिक ढंग सँ कैल जा रहल अछि जे एकटा नया इतिहास रचायत ई पूर्ण आशा अछि। सब सँ नीक बात जे संयोजनपक्ष खरखाँही लूटय लेल नहि वरन् मैथिल समाज केर यथार्थ हित लेल समग्र रूप सँ एकजुट बनिकय आयोजन करबाक नियार कएने छथि। मुम्बई मैथिल समाज केर एकजुटता संपूर्ण विश्व मे पसरल मैथिल लेल एहि कार्यक्रम सँ नीक संदेश दय सकत, सब मिलाकय कहि सकैत छी जे ई कार्यक्रम एहेन होयत जेकरा लेल ‘न भूतो न भविष्यति’ कहब अतिश्योक्तिपूर्ण नहि होयत।
मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ अग्रिम शुभकामना – मैथिल केर पहिचान विश्व मे विशिष्ट अछिये, बस जरुरत छैक जे अहिना एकजुट बनिकय झंडा केँ ऊँच-ऊँच धरि फहराबैत रहू। नकारात्मक आ निरर्थक टंगघीच्चा मैथिल केँ किनारे मे छोड़ि सार्थक उर्जावान् लोक केर संङोर सँ विजय तय अछि।

4 Comments
Bahut badhiya. Jai Mithila.
Swagat yogya karya ham sab sarahana karait chhee sathahi safalta hetu subhkamana
बड नीक लागल इ विचार हमरा।।।।
आज दिनांक 8 /11/15 शाम 6 :15 बजे बहुजन विकास आघाडी प्रस्तुत राष्ट्रीय जनहित जन सेवा संस्था (रजि) का उद्घाटन युवा आमदार मा. श्री क्षितिज ठाकुर द्वारा किया गया , उपस्थित नगरसेविका सौ. पुतुल रबिन्द्र झा जी , मा. श्री पांडुरंग इंगळे (सभापति), नगरसेवक मा. श्री सुदेश चौधरी जी, नगरसेविका सौ प्रतिभा किशोर पाटील, श्री निषाद चोरघे जी, श्री मुनाफ बलोच जी, विभागीय अध्यक्ष श्री रबिंद्र झा जी , डॉ. संजय पांडे जी (वसई तालुका अध्यक्ष) जनहित जन सेवा संस्था, श्री आशुतोष झा जी (जनसम्पर्क प्रमुख) एवं सभी कार्यकर्ताओ – बशीर शेख , विकी झा, अलिंदर झा जी, फुलकांत झा जी, सोनू झा जी, धर्मेन्द्र झा जी, योगेश सिंह जी,श्री कुनाल ठाकुर जी, ललन चौधरी जी,विजय झा जी , श्याम यादव जी , सुनील ठाकुर जी, परशुराम झा जी, इशनाथ झा जी, गिरिजा शंकर चौबे जी ,बसंत तिवारी जी, असलम शैख़ जी,मंतोष जी, नविन मिश्रा जी ,नितिन शेलार जी और महिला मंडल से देवकी देवाडिगा जी,दिव्या पासवान जी, पुष्पा मोजर जी सभी मौजूद थे।
और सभी कार्यकर्ताओं का आभार और दीपावली की हार्दिक सुभेच्छा ।