दहेज मुक्त मिथिला राष्ट्रीय कार्यकारिणीक चुनाव २०१५

456

सितम्बर २३, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

DMM Wall Banner 3सोशियल नेटवर्क सँ यथार्थ धरातल पर कार्यरूप मे परिणत एकमात्र दहेज विरोधी संस्थाक राष्ट्रीय कार्यकारिणीक चुनाव पिछला किछु मास सँ प्रस्तावित रहितो विभिन्न कारण सँ संपन्न नहि भऽ सकल अछि। राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा द्वारा जानकारी कराओल गेल अछि जे प्रत्येक २ वर्ष लेल प्रभावी कार्यकारिणीक कार्यकाल समाप्ति भेलाक बाद समस्त सक्रिय अभियानी सदस्य लोकनिक आपसी सहमति सँ नव कार्यकारिणीक गठन कैल जाइछ।

२०१५ मे नव कार्यकारिणीक गठन हेतु निर्णय कैल गेल अछि। एहि बेर कार्यकारिणी मे कुल २१ सदस्य केर चुनाव कैल जेबाक अछि, जाहि मे राष्ट्रीय अध्यक्ष १, उपाध्यक्ष ३, महासचिव – १, सचिव (राज्य अनुसार) – ५, कोषाध्यक्ष – १, सह-कोषाध्यक्ष – १, सल्लाहकार – ३, अकेक्षक – १ तथा संरक्षक – ५ जन चुनबाक अछि।

नाम प्रस्ताव करबाक लेल संस्थाक संस्थापक अध्यक्ष प्रवीण नारायण चौधरी केँ अधिकार देल गेल छल, अस्वस्थताक कारणे पैछला रवि दिन ई चुनावी प्रक्रिया पूरा नहि कैल जा सकल छल। एहि सप्ताह ई कार्य केँ पूरा कैल जेबाक अछि से जानकारी कराओल गेल अछि। महाराष्ट्र, दिल्ली, चेन्नई, हैदराबाद, आसाम, झारखंड, उत्तर प्रदेश आदि विभिन्न राज्य मे एहि मुहिम संग जुड़ल सदस्य लोकनि केँ उचित जानकारी कराओल जा चुकल अछि। चुनावक प्रक्रिया मे नामक प्रस्तावना आ ताहि पर जनसमर्थन जुटबैत निर्णय लेल जायत सेहो जानकारी देल गेल अछि।