Search

महिला सशक्तिकरण आ क्षेत्रीय विकासमे रास्वपाक महिला सांसदसभक प्रतिबद्धता

113 भ्यूज

अर्चना झा, ललितपुर । चैत २ गते २०८२ ।

राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) क महिला सांसदसभ अपन–अपन क्षेत्रमे महिला सशक्तिकरण, स्वास्थ्य, सामाजिक न्याय आ क्षेत्रीय विकास केँ प्राथमिकतामे राखि काज करबाक प्रतिबद्धता जनौलनि । रास्वपाक नवनिर्वाचित प्रतिनिधिसभा सदस्यसभक लेल चैत ३ आ ४ गते ललितपुरमे आयोजित अभिमुखीकरण कार्यक्रमक दौरान सर्लाही क्षेत्र नम्बर १ क माननीय नीतिमा कार्की कहलनि जे ओ महिला दिदी-बहिनसभक लेल शारीरिक स्वास्थ्य परीक्षणसम्बन्धी स्वास्थ्य शिविर सञ्चालन करथि । ओ गाँव–गाँवमे सरसफाइ अभियान चलबैत होमस्टे प्रवर्द्धनक माध्यमसँ स्थानीय प्राकृतिक सौन्दर्य आ कृषिकेँ पर्यटन विकाससँ जोड़बाक योजना सेहो सुनौलनि ।

महोत्तरी क्षेत्र नम्बर ४ क माननीय गौरी यादव कहलनि जे निर्वाचनक समय जनता समक्ष राखल एजेन्डासभकेँ पहिल प्राथमिकतामे राखि पूरा करब आ पार्टीक नीति तथा निर्देशन अनुसार आगाँ बढ़ब । तहिना सप्तरी क्षेत्र नम्बर २ क माननीय डा. अंकिता ठाकुर अपन क्षेत्रमे स्वास्थ्य सेवा विस्तार, सम्बन्धित कार्यालयसभक प्रभावकारी व्यवस्थापन आ लागूऔषध नियन्त्रणकेँ प्राथमिकतामे राखैत महिलासभक आवाज आ भूमिकाकेँ सशक्त बनाबयक प्रतिबद्धता व्यक्त केलनि ।

काठमाडौँ क्षेत्र नम्बर ९ सँ निर्वाचित माननीय भूमिका श्रेष्ठ कहलनि जे तेसर लिङ्गक समुदाय लेल नागरिकता, सामाजिक न्याय, शिक्षा आ स्वास्थ्यक क्षेत्रमे स्थानीय तहसँ संघीय तह धरि प्रभावकारी रूपसँ आवाज उठाओल जाएत । रास्वपाक महिला सांसदसभ महिला अधिकार, समावेशिता आ स्थानीय विकासकेँ केन्द्रमे राखि जनअपेक्षा अनुसार परिणाममुखी काज करबाक साझा प्रतिबद्धता व्यक्त केलनि ।

Related Articles