Search

धर्मेन्द्र विह्वल केर ६ गोट मैथिली हाइकू

1243 भ्यूज

सन्दर्भ तीला संक्रान्ति : ६ टा हाइकू

– धर्मेन्द्र विह्वल

तीला संक्रान्ति
ई मकर संक्रान्ति
सूर्य झाँपल ।

(१)

सूर्य-प्रतीक्षा
नहि उगलै गोला
नै छै तीलवा ।

(२)

ओ नै बहतै
हम तील बहबै
परिवर्तन ।

(३)
शर्द छै दिन
ई कुहेस आतंक
लोक नहि छै ।

(४)

पुस्तान्तरण
स्वीकृति किएक नै
दृष्टि बदलू ।

(५)

किताब-पन्न्ना
तालमेल जरुरी
खोलू आ पढू ।

(६)

२०८२ माघ १ (तीला संक्रारान्ति)

Related Articles