विराटनगर, ६ दिसम्बर २०२५, मैथिली जिन्दाबाद !!
मधेशी उत्थान विचार मंचक वडा स्तरीय मधेशी अगुआ सम्मेलन वडा ११ मे सम्पन्न
विराटनगर महानगरपालिकाक वडा संख्या ११ मे मधेशी उत्थान विचार मंचक संयोजक उमेश यादवक अध्यक्षता मे मधेशी अगुआ सम्मेलन सम्पन्न भेल । आजुक सम्मेलन स्थानीय बुद्धिलाल साह केर निवासस्थान मे आयोजित कयल गेल ।
नेपालक बदलैत राजनीतिक परिस्थिति मे संविधान द्वारा देल गेल अधिकार मात्र कागज पर लिखला सँ नहि भेटत, बल्कि समानुपातिक समावेशिकताक सिद्धान्त केँ व्यवहार मे सेहो लागू करब आवश्यक अछि । परञ्च मधेशी समाजक अल्प साक्षरता, कमजोर राजनीतिक चेतना तथा मतदानक वास्तविक महत्व प्रति नासमझी, जातिक नाम पर अन्तर्विभाजन, पार्टी आबद्धताक कारण अन्तर्विभाजन – एहि सब कमजोरीक लाभ आन उठबैत अछि । संयोजक उमेश यादव मधेशी समाज मे जागरुकता प्रसार लेल मधेशी अगुआ सब केँ मानसिक रूपे जिम्मेदारी लेबाक आग्रह कयलनि । प्रत्येक वडा मे एहि तरहक जनचेतना प्रसार लेल अगुआ लोकनिक अगुआई हरेक घर आ परिवार धरि जनजागरणक सन्देश पहुँचेबाक आह्वान सेहो कयलनि ।
स्थानीय समाजक अगुआ लोकनि मे गणेश साह, बुद्धिलाल साह, गन्नू यादव, संजय मंडल, राम प्रसाद साह, अरविन्द कुमार राय, मनोज मंडल, अखिलेश सहनी, भगवान लाल राय, नन्दलाल यादव, श्यामसुन्दर कामत, लीला सहनी, सुनील सहनी, उमेश कुमार साह, दिलीप सहनी, सहदेव सहनी, श्यामसुन्दर राजवंशी, अजय सहनी, चन्दन यादव, नितेश साह, अरविन्द कुमार साह, सरोज कुमार साह, संतोष पूर्वे सहित अन्य गणमान्य लोकनिक सहभागिता रहल ।
संयोजक उमेश यादव द्वारा मधेशी हक-हित एवं वर्तमान समयक दयनीय राजनीतिक अवस्था पर केन्द्रित निजी अवलोकनक विषय-सन्दर्भ साझा करैत आगामी समय मधेशी समुदायक हित लेल केना आगू बढ़ल जाय तेकर सुझाव मंगलनि । सामाजिक, सांस्कृतिक, राजनीतिक, आर्थिक एवं व्यवसायिक विकास लेल अग्रसर विभिन्न अगुआ लोकनि अपन-अपन अमूल्य सुझाव दैत निम्न बात सब बतेलनि –
• ई राजनीतिक चेतनाक जनजागरण अभियान मधेशी उत्थान विचार मंच द्वारा नहि केवल वडा स्तर पर, बल्कि प्रत्येक टोल स्तर पर आयोजित कयल जाय ।
• एहि मे महिला एवं नव पीढ़ीक युवा अगुआ सब केँ अनिवार्य रूप सँ शामिल कयल जाय ।
• वडा ११ केर निर्वाचित वडाध्यक्षक खुलेआम मधेशी उपेक्षाक संग सनातन धर्म सँ जुड़ल मन्दिर व हितरक्षाक कोनो कार्य मे असहयोगक विरोध लेल मधेशी उत्थान विचार मंच आवाज उठाबय, विरोध दर्ज कराबय ।
• गारा टोल (वडा ११) मे १० वर्ष पूर्वहि कयल गेल टेन्डर ठीका द्वारा सड़क निर्माणक कार्य केँ स्थानीय किछु लोकक अदालत मे मुद्दा दायर कयल जेबाक कारण सड़क निर्माण बाधित अछि, जलजमाव सँ कतेको गरीब परिवार जे विराटनगरक पश्चिमी सीमाना मे घर बनौने अछि से सब डुबान मे पड़ि जाइछ, एकर समाधान लेल मंच द्वारा उचित प्रयास कयल जाय ।
• मधेशी उत्थान विचार मंच प्रति सब दल मे आबद्ध लोक संग अयबाक लेल तैयार छी । मंच द्वारा मधेशी हकहित लेल संघर्ष लेल ५० दलीय रक्षादल (स्वयंसेवक) समूह तैयार कयल जाय ।
• मधेश आ मधेशीक नाम पर राजनीतिक लाभ उठाकय मूल मुद्दा सँ भटकनिहार उपर कार्रबाई कयल जाय । सामाजिक बहिष्कार सर्वोत्तम उपाय ।
• चुनाव मे पार्टीक आधार पर नहि, उम्मीदवारक सक्षमता आ जीतबाक योग्यता अनुसार मंच द्वारा समर्थित उम्मीदवार केँ जितेबाक कार्य हो ।
• युवा आ महिला मध्य सँ बौद्धिक स्तर पर परिपक्व एवं सक्षम लोक केँ नेतृत्व हस्तान्तरण कयल जाय, बड़-बुजुर्गक संग ओहेन उम्मीदवार केँ भेटय ।
• नया परिस्थिति मे पुरान दल सभक बदला नव आ स्वतंत्र लोक केँ नेतृत्व करबाक अवसर देल जाय ।
• मधेशी उत्थान विचार मंच सभक सझिया आ स्वतंत्र मंच बनिकय काज करय, एहि सँ सभक सहयोग आ साथ भेटत ।
• महिला, बालबालिका, युवा, बुजुर्ग, बुद्धिजीवी, श्रमजीवी व विभिन्न वर्गीय प्रकोष्ठ बनाकय मंच काज करय ।
• मधेशी समाजक समग्र अध्ययन आ तथ्यांक संकलन केर महत्वपूर्ण जिम्मेदारी सेहो मंच द्वारा सर्वे केर माध्यम सँ पूरा कयल जाय ।
आजुक सम्मेलन मे उपरोक्त विचार एवं सुझाव संकलन उपरान्त संयोजक उमेश यादव, वरिष्ठ राजनीतिक विश्लेषक एवं सामाजिक अगुआ राम प्रसाद साह, प्रबुद्धजन श्यामसुन्दर राजवंशी, युवा राजनीतिकर्मी दिलीप सहनी, लीला सहनी, गणेश साह, उमेश कुमार साह आदि सारगर्भित विचार रखैत विमर्श केँ आगू बढ़ौलनि ।
स्थानीय युवा अखिलेश सहनी द्वारा गारा टोल मे कतेको वर्ष सँ ठमकल सड़कक अवस्था देखबैत एहि दिशा मे मंच संयोजक एवं समस्त अगुआ लोकनि सँ सहयोगक अपील कयल सेहो कयल गेल । टोलवासी महिला एवं युवा सभक हुजुम सेहो उमड़ल देखायल, एकटा नया आशाक किरण मधेशी उत्थान विचार मंच मे सब निमुखा-पिछड़ल मधेशी समाज केँ देखय मे आयल । जरूरत यैह अछि जे मुद्दा आधारित मांग आ संघर्ष करैत मधेशी उत्थान विचार मंच आगू बढ़य आ मधेशीक नेतृत्व मधेशिये केँ हस्तान्तरण करय ।
आजुक सम्मेलनक संचालन प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा कयल गेल । अध्यक्षता कय रहला संयोजक उमेश यादव द्वारा उठायल गेल विभिन्न प्रश्नक उत्तर दैत आगामी समयक रणनीति साझा करबाक संग विराटनगरक सम्पूर्ण वडा स्तरीय कार्यक्रम पूर्णता उपरान्त नगर सम्मेलन करबाक आश्वासन दय कार्यक्रमक समापन कयल गेल ।
