विराटनगर, २९ नवम्बर २०२५ । मैथिली जिन्दाबाद !!
आइ मंसिर १३ गते २०८२ (२९ नवम्बर २०२५) विराटनगर महानगरपालिकाक वार्ड संख्या १२ स्थित विराट सामुदायिक भवन प्रांगण मे ‘मधेशी उत्थान विचार मंच’ द्वारा स्थानीय समाजक राजनीतिक-सामाजिक-सांस्कृतिक-आर्थिक अगुआ लोकनिक एकटा सम्मेलन आयोजित कयल गेल । संयोजक उमेश यादवक अध्यक्षता एवं वार्ड अध्यक्ष हीरालाल कामतक प्रमुख आतिथ्यता मे आयोजित एहि सम्मेलनक संचालन मैथिली भाषा-संस्कृति अभियन्ता प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा कयल गेल ।
नेपालक सम-सामयिक राजनीतिक अवस्था आ विराटनगर महानगरपालिका मे समानुपातिक समावेशिकताक सिद्धान्त मे नेतृत्वक वास्ते मतदाता जनचेतना संग सरोकारवाला सभक विभिन्न दलीय आबद्धताक बावजूद आगामी समय मे कोन तरहक रणनीति सँ आगू बढ़ल जेबाक चाही – एहि विषय पर केन्द्रित विचार-विमर्श मे लगभग ३५ गोट वक्ता अपन विचार आ सुझाव रखलनि ।
सगभागी अगुवा सब मे जीवन गुप्ता, कुलदीप यादव, नीरज कुमार मिश्र, अरविन्द कुमार मण्डल, श्रवण श्रेष्ठ, बैजनाथ भण्डारी, देवकान्त महतो, रोशन देव, उदय राय, रमेश चौधरी, रमेश चौधरी, ओमलाल कामत, वंशी राय, जितेन्द्र ऋषिदेव, जोगेन्द्र मण्डल, दिपेन्द्र महतो, अशोक झा, गोविन्द साहकी, अरविन्द राय, भागवत यादव, सुबोध कुमार सिंह, कोशी कुमार यादव, वोनद राजा रजक, संजय कुमार मण्डल, अजय दास, टुनटुन शर्मा, कुशेश्वर राजवंशी, अनिल झा, धिरेन्द्र कुमार राजवंशी, रामानन्द यादव, उज्ज्वल कुमार यादव, विरेन्द्र कुमार कामत, ज्योति कामत, मदन सिंह सहित अन्य प्रमुख व्यक्ति सभक सहभागिता छल ।
विभिन्न वक्ता लोकनि द्वारा देल गेल सुझाव विन्दुवार निम्न रहयः
* एकता लेल निजी दलीय आबद्धता सँ उपर उठनाय जरूरी
* बाहरी मधेशी मतदाता बसाइ-सराइ आ मतदाता नामावली मे नाम अद्यावधिक करेबाक अभियान
* मधेशी समुदाय मे शिक्षा सँ वंचित समुदाय, परिवार व व्यक्ति प्रति विशेष सहयोगक भावनाक प्रदर्शन जरूरी
* साक्षरता एवं शिक्षा सम्बन्धी विभिन्न समस्याक अध्ययन-सर्वेक्षण लेल अभियान आवश्यक
* मधेशी भावना सँ मतदाता मे एकजुटता लेल आह्वान एवं जनचेतनाक प्रसार
* मधेशी जनजीवन मे पहाड़ी जनजीवनक प्रभाव विरूद्ध जनचेतना आवश्यक
* नशा उन्मूलन कार्यक्रमक आयोजन आवश्यक
* मधेशी उत्थान विचार मंच एक प्रेशर ग्रुप रूप मे कार्य करय
* समाज आ परिवेश मे आपसी झगड़ा-झंझट लगेनिहार पर समुचित सामाजिक कार्रबाई
* आगामी चुनाव एकमात्र लक्षय – समस्त कार्यक्रम चुनावमुखी हो
* मधेशी शीर्ष नेतृत्व पर एकता एवं मजबूत गठबन्धन लेल दबाव
* आर्थिक अभाव दूर करबाक लेल अर्थ संकलन लेल मजबूत रणनीति
* मधेशी समुदाय मे अनपढ़ वर्ग प्रति विशेष सचेतनाक प्रसार – नोट के बदला वोट दय के परिस्थिति मे परिवर्तन जरूरी
* मधेशी उत्थान विचार मंच सदिखन स्वतंत्र आ निष्पक्ष रहिकय सब राजनीतिक दल प्रति समान आस्था राखिकय चलय
* मधेश मे मधेशी मैत्री शिक्षा पाठ्यक्रम आ शिक्षकक नियुक्ति, प्रशिक्षण आदिक प्रयास
* जाति सँ उपर समग्र मधेशी प्रति समान विचारधारा रखबाक सिद्धान्त
* चुनाव मे उम्मीदवारी दर्ता करेनिहार संग समन्वय, स्वच्छन्दता आ मनमानी विरूद्ध समुचित दबाव आ बहिष्कार तक के कार्रबाई
* मधेशी हक-हितक मुद्दा संकलन आ विभिन्न निकाय संग सहकार्य करैत कार्यक्रमक संचालन
* मधेशी शोषक पर दण्डात्मक कार्रबाई जरूरी
* मधेशी मे जातीय अन्तर्विभाजन दूर करबाक लेल अभियानक संचालन
सम्मेलनक अन्त मे संयोजक उमेश यादव द्वारा उपरोक्त सम्पूर्ण एजेन्डा पर क्रमिक रूप सँ मंच द्वारा कार्य आरम्भ कयल जेबाक जनतब देल गेल । हाल धरिक विभिन्न वार्ड मे कयल गेल कार्यक्रम तथा आजुक वार्ड १२ केर कार्यक्रम उपरान्त फिलहाल एहि तर्जक सम्मेलन निरन्तरता मे रहत । संगहि डिफेन्स फोर्स मधेशी मुद्दाक हित मे गठन कयल जायत से जानकारी करायल गेल ।
