Search

विश्व कविता दिवसपर कविता प्रतियोगिता   

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

काठमाण्डू, ९ चैत:  विश्व कविता दिवसक अवसरमे शुक्रदिन आयोजित राष्ट्रव्यापी कविता महोत्सव सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल अइछ। नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठानक पूर्व कुलपतिके प्रमुख आतिथ्यतामे आयोजित एहि महोत्सवमे कविता प्रतियोगिता सेहो आयोजित भेल छल।

साहित्य सदन नेपालद्वारा आयोजित एहि प्रतियोगितामे   नुवाकोटक एलिसा एकलास प्रथम, भक्तपुरक भीष्मराज काफ्ले द्वितीय स्थान आ  पर्वतक तारानाथ पराजुली, उदयपुरक जीवन आरोही आ मोरङक सोमनाथ दाहाल   तृतीय स्थान प्राप्त कएलैन। प्रतियोगितामे प्रथम, द्वितीय आ तृतीय स्थान प्राप्त केनिहारकेँ क्रमशः  ३० हजार, २० हजार आ १० हजार  टका नगद पुरस्कार प्रदान कएल गेल।

प्रतिष्ठानक दोसर पूर्व कुलपति गङ्गाप्रसाद उप्रेती  , साहित्यकार   निनु चापागाईं  आ आयोजक समितिक अध्यक्ष   प्रा. डा. हेमनाथ पौडेल  कहलैन हरेक वर्ष विश्व कविता दिवसक अवसरमे एहि तरहक कार्यक्रमक आयोजन साहित्य प्रेमीसभक लेल हर्षक विषय अइछ।

कार्यक्रममे पाँच गोटे पुरस्कृत कविसहित २२ गोटे अतिथि कवि अपन कविता प्रस्तुत कएलैन। अतिथि कविसभमे सविता बराल, मातृका पोखरेल, राजेन्द्र प्रसाद अधिकारी, बलराम तिमल्सिना, ईश्वरचन्द्र ज्ञवाली, भुवनहरि सिग्देल, कल्पना भट्टराई, डिल्लीप्रसाद ‘मूलतिहुन’, अमर गिरी, भैरवी भूगोल, रेजिना आपगाईं, बाजुराम पौडेल, अर्जुन पराजुली, विन्दु शर्मा, प्रज्ज्वल अधिकारी, रजनी ढकाल, हीरामणि दुःखी, जगदीशचन्द्र भण्डारी, गौरी देवकोटा, लक्ष्मण गाम्नागे, रामचन्द्र दाहाल आ निर्मलरमण पराजुली समावेश छलैथ।

Related Articles