Search

मधेशी निजामती कर्मचारी मञ्चके अध्यक्षमे लालबाबु   

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

जनकपुर, ९ चैत:   नेपाल मधेशी निजामती कर्मचारी मञ्चक चारिम राष्ट्रीय महाधिवेशन लालबाबु यादवक अध्यक्षतामे नयाँ कार्यसमिति चयन करैत सम्पन्न भेल अइछ।  तीन दिनधैर जनकपुरधाममे भेल महाधिवेशनसँ यादवकेँ अध्यक्षमे निर्विरोध चयन कएल गेल आयोजक समिति जनौलक अइछ। मञ्चक उपाध्यक्ष पदमे ताहिर हुसेन, जवाहरलाल प्रसाद कुर्मी, रामआधार यादव, राकेशरंजन दास, सुनिल कुमार पाण्डे, दीपेन्द्र कुमार यादव, रुमा कुमारी झा, सुजिता कुमारी राउत, कामेश्वर राउत आ सत्यनारायण यादव, महासचिव पदमे अनिल कुमार साह निर्वाचित भेल छैथ।  सचिव पदमे रामअशिष शर्मा, सत्यनारायण झा, बद्री मण्डल, वैद्यनाथ सिंह, मंजिर अन्सारी, शिवनारायण मण्डल, जीतेन्द्र यादव, राधेश्याम चौधरी आ सन्ध्या दास चयन भेल छैथ। तहिना कोषाध्यक्ष पदमे पुष्पा कुमारी मिश्रक चयन भेल अइछ।  सदस्य पदमे दीपक कुमार ठाकुर, सन्दीप पटेल, अमजत अली असन्सारी, अजय कुमार झा, शशी यादव, राम सुलित महतो, हिरावन यादव, वैद्यनाथ मण्डल, रवीन्द्रराय यादव, अरविन्द झा, मोहन कुमार सिंह, परमानन्द मण्डल, सुनिल कुमार साह, चन्दन कुमार रजक, रिमा दुवे, मनोज कुमार मण्डल आ सोनी दास चुनल गेल छैथ।  महाधिवेशनसँ नेपाल मधेशी निजामती कर्मचारी मञ्चक मधेश प्रदेश समितिक अध्यक्ष पदमे सञ्जय कुमार मिश्र चयन भेल छैथ। उपाध्यक्ष पदमे विनोद पाण्डे, रामहृदय यादव, राजेश साह, प्रेम कुमार महतो, स्वेता झा आ शुभकरण राय चयन भेल छैथ। सचिव पदमे दीपक कुमार ठाकुर, सहसचिव पदमे भुवनेश्वर महतो, सञ्जय कुमार यादव, श्यामसुन्दर महतो आ राम स्वरुप सिंह चयन, कोषाध्यक्ष पदमे बन्दना मिश्र निर्वाचित भेल छैथ।

Related Articles