राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
कटारी, ९ चैत: कोशी प्रदेश आयोजना बैङ्कमे योजना जमा करबाक प्रक्रिया शुरू भ गेल अइछ। प्रदेश योजना आयोगक संयोजनमे आ प्रदेशक विभिन्न विषयगत मन्त्रालयसभक सहकार्यसँ आयोजनासभ जमा करबाक काज भ रहल अइछ। आइ उदयपुरक सङ्घीय निर्वाचन क्षेत्र नं २मे अवस्थित स्थानीय तहसभक पदाधिकारी आ अन्य सरोकारवालसभकेँ आयोजना बैङ्कसँ सम्बन्धित अभिमुखीकरण तथा वार्षिक योजना तर्जुमा गोष्ठीमे एहि विषयमे जानकारी देल गेल। आयोगक सदस्य किशोर थुलुङ्ग राई अनुसार पहिल बेर आयोजना बैङ्कमार्फत आयोजना सङ्कलन करबाक प्रक्रिया शुरू कएल गेल अइछ। ओ कहलैन, “बैङ्कमे जमा भेल आयोजनासभक आवश्यकता आ औचित्यकेँ ध्यानमे राइख क प्राथमिकता निर्धारण कएल जाएत आ कार्यान्वयनमे आनल जाएत । एहि उद्देश्यसँ आयोजन बैङ्क बनाएल गेल अइछ।” उदयपुरक निर्वाचन क्षेत्र नं १मे पहिनेसँ आयोजनासभ जमा कएल जा चुकल अइछ। आयोगक उपसचिव कृष्ण कुमार न्यौपाने जानकारी देलैन जे प्रदेशक अन्य क्षेत्रसभमे सेहो आयोजनासभकेँ सङ्कलन करबाक काज तीव्र गतिसँ भ रहल अइछ। जमा भेल योजना अगिला आर्थिक वर्ष २०८२/८३सँ २०८६धैर प्राथमिकताक आधारपर कार्यान्वयनमे आनल जाएत । न्यौपानेक अनुसार, आयोजनासभ जे प्रदेश सरकारद्वारा संचालन कएल जाएत , ओसभ ५० लाख टकासँ अधिक लागतके होबाक चाही। अगिला आर्थिक वर्षमे बैङ्कमे जमा भेल योजनासभकेँ प्राथमिकताक सूचीमे राइख क कार्यान्वयन कएल जाएत । कार्यक्रममे प्रदेशक पूर्व कृषि, सहकारी तथा उद्योगमन्त्री राम कुमार खत्री सुझाव देलैन जे आयोजनासभक चयनमे अल्पसंख्यक आ विगतमे पछुआएल समुदायसभकेँ प्राथमिकताक आधारपर राखल जाए। ओ कहलैन, “तीनू तहके सरकारबीच सहकार्य आ समन्वय भ सकलासँ देशक विकाशमे महत्वपूर्ण योगदान भ सकैत अइछ।” प्रदेशक पूर्व पर्यटन, वन तथा वातावरणमन्त्री नारायण बुर्जा मगर योजना लिपिबद्ध करैत ओकर कार्यान्वयन करबाक महत्त्वपूर्ण आवश्यकता रहल बतौलैन। कार्यक्रममे प्रदेशसभा सदस्य, स्थानीय तहक पदाधिकारी आ अन्य सरोकारवालसभक सामूहिक बातचितमे १,०००सँ बेसी आयोजना जमा कएल गेल अइछ।
