Search

आइ विश्व मौसम दिवस

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

काठमाण्डू, १० चैतः आइ विश्व मौसम दिवस मनाएल जा रहल अइछ। जलवायुसम्बन्धी समस्यासँ समाजकेँ सुरक्षित राखबाक चेतनामूलक गतिविधिसभक सङ ई दिवस आइ विश्वभैर मनाएल जा रहल अइछ।

सन् १९५०मे विश्व मौसम विज्ञान संगठन स्थापनाक महासंधि लागू भेल रहए, तकर स्मरणमे ई दिवस मनाएल जाइत अइछ। प्रारम्भमे जल आ जलसँ उत्पन्न प्रकोप नियन्त्रण आदि विषयपर केन्द्रित भ सचेतनाक कार्यक्रमसभ करैत छल, मुदा वितल किछु दशकमे जलवायु परिवर्तन आ ताहिसँ मानव सभ्यता सङ एहि विश्वमे होएबला संकटपूर्ण परिस्थितिक सन्दर्भमे संयुक्त राष्ट्रसंघ ई वर्ष जलवायुजन्य समस्या समाधान लेल पूर्वसूचना प्रणालीकेँ मजबूत बनेबाक आ जोखिम कम करबाक लेल सूचना प्रवाहपर विशेष जोड़ देलक अइछ।

Related Articles