राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
सिरहा, १० चैत : लहान नगरपालिकाके सहयोगमे सोमदिनसँ ‘स्वास्थ्यके लेल खेलकुद, राष्ट्रके लेल खेलकुद’ नारासँ तेसर लहान मेयर गोल्डकप फुटबल प्रतियोगिता शुरू भ रहल अइछ ।
लहान–७ स्थित पशुपति आदर्श माध्यमिक विद्यायलके खेल मैदानमे सञ्चालन होएबला ओइ प्रतियोगितामे दश टीम सहभागी होबाक आयोजक हिम कस्तुरी युवा क्लबके अध्यक्ष शम्भु चौधरी बतौलैन । हुनका अनुसार सोमदिन उद्घाटन खेलमे झापा फुटबल क्लब आ बारा एपिएच क्लबबीच प्रतिस्पर्धा हएत।
प्रतियोगिताके विजेताकेँ दू लाख ११ हजार टका आ उपविजेताकेँएक लाख ११ हजार टका पुरस्कार प्रदान कएल जाएत ।प्रतियोगिताक लेल लहान नगरपालिका २० लाख टका सहयोग कएल आयोजक संस्था जनौलक अइछ । दोसर लहान मेयर गोल्डकप फुटबल प्रतियोगिताके विजेता वीरगञ्ज युनाइटेड छल । उक्त प्रतियोगितमे सलहेश युवा क्लब, सिरहा उपविजेता बनल छल ।