महेन्द्रनगर (धनुषा), ९ पुसः
मधेश प्रदेश केर मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह दृष्टिविहीन सभक लेल आवास सहितक विद्यालय निर्माण तथा सञ्चालन लेल प्रदेश सरकार दिश सँ सहायता उपलब्ध करेबाक वचन देलनि अछि । मुख्यमन्त्री सिंह संग सोमदिन जनकपुरधाम स्थित मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालय मे दृष्टिविहीन छात्र सभक समूह आवास व्यवस्था सहितक पठनपाठन लेल व्यवस्थान मधेश प्रदेश सरकार दिश सँ करबाक आग्रह कयल गेल छल । प्रदेशक राजधानीमे आवास सहितक विद्यालय निर्माण आ सञ्चालन करबाक सन्दर्भ मे प्रदेश सरकार सकारात्मक रहबाक बात ओ कहलनि ।
मुख्यमन्त्री सिंह विद्यालय निर्माणक लेल जमीन उपलब्ध नहि भेला धरि वैकल्पिक स्थान पर पठनपाठनक वातावरण बनायल जायत । “जनकपुरधाममे गुठीक जमीन भेलोपर ओहि जमीन प्राप्तिमे जटिल प्रक्रिया रहला सँ तत्काल आँखि सँ दिव्यांग सभक वास्ते कोनो आन संस्थाक भवनमे वैकल्पिक विद्यालय सञ्चालन कय अध्यापन करए पड़त”, ओ कहलनि । मुख्यमन्त्री सिंह दृष्टिविहीन सबकेँ आवाससहित विद्यालयक व्यवस्थापन करैत अध्ययनक उचित वातावरण बनेबाक लेल स्थानीय सरकार स्वयंसेवी संस्था सबसंग समन्वय आ सहकार्य आगू बढ़ेबाक बात सेहो कहलनि ।