श्रद्धाञ्जलि सन्देश
– प्रवीण नारायण चौधरी
हे भगवान् – ई की भ’ गेल ?
सुमित मिश्र – आर्ट डायरेक्टर, बौलिवुड (मुम्बई) एक अत्यन्त ‘उपयोगी, लोकप्रिय, परोपकारी, आ आर कतेक विशेषण सँ अलंकृत व्यक्तित्व’ काल्हि केना न केना एहि संसार सँ विदाह भ’ गेलाह । काल्हि संजीव पूनम मिश्र जीक पोस्ट देखलहुँ, आइ भोरे नीरज कुमार मिश्र जीक संवेदनाक सन्देश देखलहुँ-पढ़लहुँ, अत्यन्त क्षुब्ध छी ।
सुमित मिश्र जी त बड़ा जिन्दादिल लोक रहथि – अपन व्यक्तित्व मे मोछ के महत्व बुझनिहार-देनिहार ! फेर एना हताश कियैक भ’ गेलाह ? एहेन कठोर निर्णय करय पड़ि गेलनि एहेन दूरदृष्टि सँ भरल लोक केर – ई अविश्वसनीय अछि । आर गहींर मे जायब, खोजब कारण सब, एना अपन लोक चलि गेलाह से बहुत खराब लागि रहल अछि ।
विनोद बाबू (सरकार) सँ हिनका बारे मे पाँचम एमएलएफ मुम्बईक आयोजन मे स्वतःसंज्ञान सँ सम्पूर्ण प्रस्तुतिक सेट-अप आ गेट-अप केर तैयारी करबायल गेल छल । लगभग २-३ लाख टका ई अपना दिश सँ खर्चा कय केँ अपन मातृभाषाक एहि महायज्ञ मे सहयोग कएने रहथि । हमरा नजरि मे एहेन लोकक महानता बड पैघ भेल करैछ जे मैथिलीक कोनो काज मे कनिको अपन योगदान दयकय अटकल-फँसल-धँसल मैथिली गाड़ी केँ कनिकबो घुसका देल करैछ ।
सुमित जीक एना छोड़ि जायब बहुत कष्टदायक भ’ रहल अछि । मुम्बई बहुत महंगा जगह छैक, ओतय डेग-डेग पर अत्यधिक खर्च होइत छैक । कतेको संघर्षशील अभिनेता, अभिनेत्री, कलाकार, निर्देशक, निर्माता आदि आर्थिक तंगीक कारण अपन जान अपनहि परित्याग कय देलनि ।
सुमित जीक वाल पर हुनकर मित्र-परिचित सब द्वारा हुनक एक पत्नी आ छोट बच्चा प्रति जिम्मेदारी बोध करैत सभक संग सहयोगक अपील सेहो कयल गेल अछि । जँ एहि तरहक कोनो जरिया बनय त हमहुँ अपन सहयोग करय चाहि रहल छी ।
फेर दोसर कोनो बेटा एहेन गलत निर्णय नहि लियए ताहि लेल सेहो कोनो निदान पर विचार होइक ।
बेसी किछु लिखबाक इच्छा नहि भ’ रहल अछि । ईश्वर हुनकर आत्मा केँ उचित स्थान दिहथि, लोक त बड़ा बेजोड़ छलाह, व्यवस्थापन पक्ष आ स्टेज एट्रिब्यूट्स, बैक-ड्रौप्स, अन्य डेकोरेटिव टेक्नोलौजी मे सेहो अत्यन्त विज्ञ – ईश्वरक मर्जी किछु तेहने रहल हेतनि जे पृथ्वीलोक सँ ट्रान्सफर भेलनि हँ । आह ! चिर शान्ति भेटनि कोहुना !
किछु तस्वीर छल सुमित जीक संग अपनहुँ – मुदा बेसी जरूरी बुझायल हुनकर आर्ट डायरेक्सन केर प्रखर स्वरूप ‘मोन पड़ैत छथि’ सत्रक स्टैन्डी व स्टेज केर लूक देखेबाक – एतबा कहाँ ! पूरा रूपवीर बंगला – मड आइलैन्ड मुम्बई केर प्रवेश फाटक सँ गार्डेन गैलरी, इनडोर सभागार केर भीतर-बाहर आ सामने लौन मे बनायल गेल वृहत् दर्शक दीर्घा लेल ई स्टेज – सब किछु डिजाइन सुमित जीक टीम द्वारा भेल छल । अहाँक ई अमर कृति सदा-सदा लेल मोन पाड़ल जाइत रहत सुमित जी !
सुमित जी अमर रहे !! मैथिली जिन्दाबाद !!
हरिः हरः!!