व्यंग प्रसंग
जनकपुर बजार पर रमना आ चुमना पोस्टकार्ड कीन रहल छल। रमना दोकानदार सँ कहलकय जे भाइ हौ, हमरा मैथिली फिल्मी हिरोइन के फोटो दहु। ओकर बात सुनिकय दोकानदार कहलकय मैथिली फिल्म मे कौन ऐसन हिरोइन है जे तोरा निमन लागय हौ। तयपर रमना कहलकय नाम हम आर ओतना कहाँ जानय छी। सुनली जे आजकाल मैथिली फिलिम मे छौंड़ी आर छौंड़ा सब पर बज्जर खसबय है तही लागी सोचली जे तनि देखी कि ऊ कैसन हिरोईन है। दोकानदार के हँसी लागि गेलैक। ओ बुझि गेल जे निछछ देहातक ई छौंड़ा आर पहिले बार जनकपुर बजार के मेला घूमे खातिर अइलय है। एकरा आर के बस ‘गरम फोटो’ चाही, जेकरा ‘हौट फोटो’ कहे हलय हिरो अरु ओ दिना सूटिंग समय मे।
तखन दोकानदार किछु हिरोइनक फोटो ओकरा सबके सामने राखि कहलकय ई सब ‘गरम फोटो’ सब है। तोरा अरु के जे पसिन पड़य हौ ऊ ले ले। हरेक माल ५ टाका दाम हय। रमना-चुमना गौर सँ सब फोटो निहारय लागल। ओकरा आर के सब निमने लागय हलय। पर जेबी मे मेला घूमे खातिर बाबु एगो ५० टकिया टा देने हलय। तब कैसे काम चलतय। आब एगो तऽ लेबे के है। दुनू भाइ मिलके एगो मोतिहारीवाली हिरोइन के फोटो लेबे के निर्णय केलक। फेन दुहु भाइ आपस मे बात करे लागल जे मोतिहारीवाली हिरोइन एन्ने-ओन्ने के हिरोइन से बड़ निमन है। कि रे चुमना? हँ रे रमना!! चल तब दुहु भाइ मिलके ५ गो टाका ढौआ देके ईहे लै छी। हप्ता मे ४ दिन हमे राखब ३ दिन तोंहें रखिहें। चुमना छोट भाइ रहय ईहे खातिर हँ मे मूरी डोलाके दुहू भाइ ऊहे मोतिहारीवालीक गरम फोटो कीन लेलक।
गाम जखन घूरिके लौटल तब बाबु आर पूछलक जे कि सब लेलें बजार पर… दुनू भाइ खुशी-खुशी कहलक जे आर जे भी है… हमरा आर के मोतिहारीवाली हिरोइन जे मैथिली फिल्म मे काम करे है तेकर ‘गरम फोटो’ लेली बाबु। दोकानदार कहलक जे ई गरम फोटो है। बाबु देखलक तऽ सच मे गर्मीक एहसास ओकरो भेलैक। ओ कहलक दुनू बेटा के जे अभी तोरा आर के एकर गर्मी ना पचतउ, ई हमरे पास रहे दे। तोरा आर के लागि १०० फोटोवला भगवान् आर के फोटो पोस्टकार्ड लाबि दय हियौ। ऊहे राख। बापक सोझाँ धिया-पुता चुप हो गेल। गरम फोटो पर बाबु के अधिकार स्थापित हो गेल।
वर्तमान समय मे गरम फोटो के जमाना है। गीतो आर ‘शुभे-हो-शुभे’ उठ गेल आ अब तऽ ‘खा ले तिरंगा पुरिया फाड़ के… जा झार के’ बेसी चलय हय। ई दूधमुँहाँ आर कि जाने गेल जे ‘गरम फोटो’ कि होइ है। बाबु मोनेमोन चपचपाइत सांझ खिन ताड़ी पिबयकाल साथी आर के देखायत सोचैत खुश हो गेल। अहुँ आर के गाम के दोकान आर मे गरम फोटो मिलय है? आ के सिडी – जा झाड़ के?