प्रिया मल्लिक – चर्चित मैथिली गायिका

पोस्ट साभार फेसबुकः श्री अनूप नारायण सिंह जीक वाल सँ

(हिन्दी सँ मैथिली मे रूपान्तरित – प्रवीण नारायण चौधरी)

#मिलिए_पटना_की_फुलझड़ी_प्रिया_मल्लिक_से – मूल शीर्षक मे प्रकाशित ई लेख अत्यन्त आकर्षक आ गर्वबोध करबयवला लागल, तेँ साभार फेसबुक एकर मैथिली रूपान्तरण एतय राखि रहल छी।

खनक आ मखमली आवाज केर मल्लिका प्रिया मल्लिक आइ के तारीख मे कोनो परिचय पहिचान के कमजोर नहि छथि। रियलिटी शो ओम शांति ओम के उप विजेता बनल प्रिया मल्लिक के खनकैत आवाज हिनका भीड़ सँ अलग करैत छन्हि। एहि शो मे हिनका द्वारा गायल गीत सब देश दुनिया मे हुनका स्थापित कयलक। पटना के एस रजा गर्ल्स स्कूल सँ 10th पटनेक जेडी वीमेंस कॉलेज सँ इंटरमीडिएट के पढ़ाइ करयवाली प्रियाक पिता भारत भूषण मल्लिक बिजनेसमैन छथि त माय समता मल्लिक गृहणी। भाइ आर्यन एखन नौमी क्लास मे पढ़ाइ करैत छथि। प्रिया मूल रूप सँ मिथिला बिहारक सुपौल जिला के रहयवाली छथि। ओ स्वयं मुंबई मे रहैत छथि लेकिन हिनकर परिवार पटनाक अनीसाबाद इलाका मे बहुते वर्ष सँ रहैत आबि रहल छथि। प्रियाक माय-बाबूजी दुनू गोटे बहुते गायक छथि। प्रियाक संगीत गुरु विजय सिंह पटने सँ छथि जिनका सँ ई क्लासिकल गायनक दीक्षा लेने छथि।

वर्ष 2007 मे सुर तरंग नामक एकटा रियालिटी शो मे प्रियाक चयन भेलनि। द्वितीय चरण लेल ई दिल्ली पहुंचि गेलीह लेकिन ओतय सफल नहि भ’ पेलीह। ताहि कार्यक्रम सँ हिनका सीख भेटलनि जे निरन्तर अभ्यासहि टा सँ संगीतक क्षेत्र मे लोक सफल भ’ सकैत अछि, रियाज आजीवन चलैत रहैत अछि। 2011 मे प्रिया लिटिल चैंप्स केर हिस्सा बनलीह आ हिनका सिल्वर मेडल भेटलनि। स्टेट लेवल के कतेको गायन प्रतियोगिता सब मे ई अपन स्वर के जादू देखेने छथि। वर्ष 2014 मे वेस्टीज आइडियल मे भाग लेलीह आ दिल्लीक तालकटोरा स्टेडियम मे आयोजित भव्य समारोह मे ई प्रथम स्थान प्राप्त कय संगीत समीक्षक सभक ध्यान अपना दिश आकर्षित कयलीह। स्टार भारत चैनल के रियलिटी शो ओम शांति ओम त प्रिया केँ राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय स्तर पर पहिचान देलकनि। शो के जज सोनाक्षी सिन्हा सिन्हा हिनका पटना के फुलझड़ी के उपनाम देलखिन आ हिनका सँ वादा कयलखिन जे प्रिया जहिया कहियो हिन्दी सिनेमाक पहिल गानी गओती, ओ गाना हुनके फिल्म मे समावेश होयत। शो के जज सचिन-जिगर प्रिया केँ बॉलीवुड मे पार्श्वगायन के ऑफर सेहो देलनि आ तेकर बाद हुनका लग कतेको रास प्रोजेक्ट आबय लागल।

प्रिया हिन्दी मे भक्ति गीत सब केँ एकटा नया अन्दाज मे प्रस्तुत करबाक तैयारी मे छथि। ओ कहैत छथि जे लोकगीत केर जे परंपरा अछि ताहि मे जहिना बिहार के चर्चा होइत अछि त पहिल बात जे मोन मे सवाल अबैत अछि से भोजपुरीक बारे मे एहेन धारणा बना देल गेल छैक जे भोजपुरी अश्लील भाषा अछि जखनि एहेन बात वास्तविकता मे नहि छैक। बिहार मे भोजपुरीक संगहि मैथिली, अंगिका जेहेन लोकभाषा सब सेहो छैक जेकर लोकगीत काफी समृद्ध छैक। आइ-काल्हि प्रिया शोध कार्य मे लागल छथि जे भोजपुरी लोकगीत सभक मिठास केँ सहेजय मे आ संग-संग मैथिली अंगिका के सेहो जे पारंपरिक गीत सब छैक ओकरा नव अन्दाज मे प्रस्तुत कय देश दुनियाक सामने आनय चाहैत छथि। आर हुनकर एहि अभियान मे मुजफ्फरपुर बेस्ड संगीतकार विजय नारायण मेंटर छथि। प्रिया कहैत छथि जे सुन्दरकांड केँ नया अन्दाज मे प्रस्तुत करबाक सेहो तैयारी पंकज नारायण सर के माध्यम सँ भ’ रहल अछि जाहि सँ युथ सब केँ मोटिवेट कयल जा सकय।

अपन सफलताक श्रेय अपन माता-पिता-गुरु आर पंकज नारायण केँ दयवाली प्रिया कहैत छथि जे हम भजन सम्राट अनूप जलोटाक संगे सेहो एकटा पैघ प्रोजेक्ट कय रहल छी। फिल्म मे काज करबाक सवाल पर प्रियाक कहब छन्हि जे ऑफर त बहुते रास अछि लेकिन ओ हाल एहि बारे मे नहि सोचली अछि। हुनकर पूरा फोकस गायकी दिश मात्र अछि। निरन्तर सिखनाइये टा सफलताक कुंजी होइछ। सजग रहब सेहो जरूरी छैक सफल हेबाक लेल। बिहारी होयबा पर गर्व के अनुभव करयवाली प्रिया कहैत छथि जे ओ जेतय-कतहु जाइत छथि स्वयं केँ बिहारक बेटीक रूप मे मात्र प्रस्तुत करैत छथि। अपन समृद्ध विरासत संस्कार आ संस्कृति केँ विश्व मंच पर लय जेबाक तैयारी मे जुटल बिहारक बेटी प्रिया मल्लिक सँ बिहार केँ बहुते रास आशा सब छैक।