विराटनगर मे बहुभाषिक कवि सम्मेलन – विराट मैथिल नाट्यकला परिषद् व मैथिली साहित्य अभियानक प्रयास

विराटनगर, ३ मार्च २०२३ । मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हिक कवि सम्मेलन

विराटनगर मे काल्हि विराट मैथिल नाट्यकला परिषद् व मैथिली साहित्य अभियानक संयुक्त तत्त्वावधान मे बहुभाषिक कवि सम्मेलनक आयोजन कयल गेल। श्री डोमी कामत केर अध्यक्षता तथा श्री कर्ण संजय केर संचालन मे दर्जनाधिक कवि लोकनि अपन कविताक वाचन कयलनि। प्रमुख अतिथिक रूप मे डा. एस. एन. झा – वरिष्ठ समाजसेवी एवं मैथिली सेवा समितिक निवर्तमान अध्यक्ष केर उपस्थिति छल।

कविरूप मे हम आ वन्दनाजी सेहो सहभागिता दय पुण्य कमेलहुँ। पुण्य कमेबाक तात्पर्य यैह जे आमलोकक उपस्थिति आ समाजक विभिन्न अगुआ व्यक्तित्व सभक सङ्गोर मे ई आयोजन कयल गेल छल।

कविता जेहेन तीव्र सम्प्रेषण माध्यम सँ कवि लोकनि समाज मे सन्देश दियए चाहैत छथि, संगहि सृजनकर्म आ साहित्य सेवा कतेक जरूरी होइछ सेहो बात समाजक लोक धरि पहुँचाबय चाहैत छथि, तेँ बहुत नीक उपस्थिति मे आयोजित भेल ई कवि सम्मेलन। प्रत्येक मासक तेसर शनि दिन ई आयोजन कयल जायत से जानकारी पाबि आर हर्षित भेलहुँ।

कवि लोकनि मे अशोक अमन, प्रदीप यादव मैथिल, सचिन कर्ण, वन्दना चौधरी, प्रवीण नारायण चौधरी, कर्ण संजय, शिव ना. पंडित ‘सिंगल’, प्रेम नारायण झा आदिक उपस्थिति छल। नेपाली भाषाक कवि सेहो उपस्थित रहथि। किछु नेपाली भाषाक कविता कवि सिंगलजी सेहो प्रस्तुत कयलनि।

तहिना सामाजिक अगुआ रवि शंकर कामत, सदानन्द कामत, रामरिझन यादव, बिपुलेन्द्र झा, विशेश्वर महतो, मनोज मिश्र, शारदानन्द झा, विरेन्द्र झा, राजेश झा, आदिक उपस्थिति महत्वपूर्ण छल।

आयोजक संस्था द्वारा आम महिला-पुरुषक सहभागिता करेनाय विशिष्ट बात छल आर एहि तरहें घर-घर धरि भाषा-साहित्यक चर्चाक संग कविता द्वारा देल गेल सामाजिक सन्देश सेहो घर-घर पहुँचबाक उत्तम कार्य कयल गेल। एहि बातक मूल आवश्यकता छैक जे आम लोक धरि भाषा-साहित्यक महत्व पहुँचय, युवा आ छात्र-छात्राक सहभागिता पर सेहो जोर देबाक जरूरत अछि, अहु दिश ध्यान देनाय जरूरी छैक। सामाजिक अगुआ सब जे बात रखलनि आ प्रतिबद्धता जनौलनि, ताहि मुताबिक आबयवला समय मे ई अभियान आर बेसी चतरत से पूरा विश्वास अछि। धन्यवाद आयोजक!!

मैथिली जिन्दाबाद!!

हरिः हरः!!