Search

शाश्वत मिथिला अहमदाबादक मिथिला भवन

516 भ्यूज

यात्रा संस्मरण

मिथिला भवन

शाश्वत मिथिला अहमदाबाद द्वारा निर्माणाधीन ‘मिथिला भवन’ डाभोरा (गांधीनगर, अहमदाबाद)

आर ई शेल्फी आदरणीय राजकिशोर बाबू संग – हृदय मे एतबा हर्ष समाहित अछि जेकर वर्णन नहि कय सकैत छी। बहुत कम लोक मे एहेन दूरदृष्टि देखि पबैत छी हम। कोनो लायलपट आ बात घुमघुमउआ नहि, सीधा लक्ष्य पर दृष्टि आ आरम्भ सँ अन्त धरिक समस्या के नीक विश्लेषक, योजना सँ क्रियान्वयन धरिक एकटा स्पष्ट रूपरेखा – ई सब बहुत रास खासियत अछि सर मे आ सङ्गोरिया कर्मठ मैथिल सपूत मे जे सब एहि पुनीत कार्य मे अगुवाई कय रहल छथि। विशेष रूप सँ स्मरण करैत छी आदरणीय नीरज सर, ललित बाबू, प्रवीण जी, पाठक जी आ निस्संदेह शाश्वत मिथिला के वर्तमान अध्यक्ष श्री संतोष मिश्र भाइ केँ जिनकर नेतृत्वकाल मे एतेक महत्वपूर्ण लेकिन चुनौतीपूर्ण निर्माणकार्य आरम्भ भेल अछि आ खुब नीक जेकाँ प्रगतिपथ पर बढि रहल अछि।

हमर प्रसन्नता तेहेन ठाम दोबर भ गेल करैत अछि जेतय ई बुझय मे अबैछ जे अनेकों बाधा-व्यवधान के बावजूद ई कर्मठ सपूत सब जनकीतत्त्व सँ अभिभूत भ अपन काज कइये कय छोड़ता। ई प्रत्यक्ष उदाहरण देखू –

मिथिला भवन

*सिर्फ भवन नहि, अपितु एक सुनियोजित पार्टी प्लेस विथ मैथिल प्राइड & मिथिला एसेंस

*भवन के डिजाइन सेहो गज्जब सूझबूझ वला, अर्थक्वेक प्रूफ फाउंडेशन, शानदार हॉल, मल्टीस्टोरी निर्माण योग्य प्लानिंग, आकर्षक एलिवेशन, सफिसिएंट ओपन ग्राउंड, फर्स्ट फ्लोर पर 6 गोट सुविधासम्पन्न रेसिडेंशियल रूम्स, पैंट्री व ओपन कुकिंग स्पेस सहित हरेक विन्दु सँ सोचल-नियारल इनपुट्स

हमरा बहुत बेसी प्रभावित कयलक –

– लगभग 1800 स्कवायर फीट के पिलरलेस सभागार

– सुन्दर क्रॉस वेंटिलेशन संग हॉल मे बैसि विंडो सँ बाहर ओपन ग्राउंड मे आयोजित विभिन्न आयोजन के अवलोकन करयवला अरेंजमेंट

– भविष्य मे गुजरात सरकार के नियम मानदंड मुताबिक उपयुक्त स्थान स्पेयर रखबाक सोच

आब कियो मैथिल कोनो रिसॉर्ट या विवाह स्थल सब लाखों टका बुकनी कय केँ बुकिंग कियैक करता, बरु अपन मिथिला भवन मे मात्र 30% खर्च मे सब काज कय लेता। 70% ओ स्वयं बचेता आ एहि तरहें गौरव करैत अपन निजत्व बोध के सभास्थल मे निधोख सारा शुभकार्य पूर्ण करता। भेलय न बहुत दूर के सोच!😊

अच्छा, मजा के बात इहो अछि जे एखन धरि ई सब योजना आ काज के अगुवाई मात्र किछुए लोक अपन समर्पण सँ कय रहल छथि। जमीन किनबाक लेल 1 करोड़ प्लस के बात त जे से, एहेन मजबूत फाउंडेशन संग वगैर पिलर ओतेक पैघ हॉल आ तेकर माथ पर भारी-भरकम रेसिडेंशियल रूम्स सहित के मल्टीप्लेक्स निर्माण, हाल ग्राउंड फ्लोर के स्ट्रक्चरल कंस्ट्रक्शन कम्प्लीट कयल जा चुकल अछि, फर्स्ट फ्लोर मे हाथ लागल अछि, बहुत जल्दी इहो पूरा होयत आ बुझि पड़ैत अछि जे 2025 मे एकर समुद्घाटन भ जायत! ई लोकनि काज करब जनैत छथि त चूचूं-मुमूं पर ध्यान नहि दय छथिन। तेँ जानकी दहिन छथिन!😊

अस्तु, हम एतय काल्हि वडोदरा मैथिली साहित्य सम्मेलन मे सहभागिता सँ पूर्व आदरणीय राजकिशोर बाबू संग गेलहुँ, माटि स्पर्श कय आनन्दक अनुभूति करैत, डभोरिया हनुमानजी के मानसिक प्रणाम करैत, साक्षात नर्मदा व साबरमती के कलकल धारा मे निश्छल सूर्य किरण दमकैत देखि आदरणीया नीता भाभीजी केर हाथक सुस्वादु अल्पाहार लैत सब गोटे संगहि 125 किलोमीटर के सड़क यात्रा करैत फेर दिन भरि मैथिलीक माधुर्य ओ लालित्य मे सराबोर होइत रहलहुँ।

हरि: हर:!!

Related Articles