मैथिली साहित्यकार सभाक साधारणसभा सम्पन्न, सभापालमेँ अरविन्द यादवक भेल चयन

653

जनकपुरधाम,12अगस्त2023।मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली भाषा,कला-साहित्य क्षेत्र में करीब एक दशक स’ बेसी  निरंतर काज केनिहार संस्था मैथिली साहित्यकार सभाक बारहम् साधारण सभा आई जनकपुरमेँ सम्पन्न भेल अछि।

जनकपुरधाम स्थित संकटमोचन मा. वि. स्कूलमें सम्पन्न सभामें ९ सदस्यीय नवकार्य समिति चयन कायल गेल। जाहिमेँ नव सभापालक रूपमें साहित्यकार एवं शिक्षक अरविन्द कुमार यादव निर्वाचित भेल छथि।

संगहि सह-सभापाल रामाशीष मण्डल,उप-सभापाल मोती झा “मिथिला”,कार्यपाल अरुण राउत,सह-कार्यपाल विन्देश्वर ठाकुर, कोषपाल रमेश यादव “मैथिल”, सह-कोषपाल राजेश महतो  चयन भेल छथि।

तहिना सदस्य पदमें  रामकुमार कर्ण आ सपना कर्ण सर्वसम्मति स’ निर्विरोध निर्वाचित भेल सभाक पुर्व सभापाल प्रेम विदेह “ललन” जानकारी देलैंन्ह।