मैथिली साहित्यमेँ केन्द्रित भऽक अड़हुल आ चनमा जेहन गोष्ठीसभक सफल आयोजन कऽचुकल विमर्श फाउण्डेशन जनकपुरधाममेँ तिन दिवसीय ‘विमर्श’ कार्यक्रमक आयोजना करय लागल अछि।
विमर्श फाउण्डेशनक आयोजन आ नेपोभिट टाइल्सक प्रायोजनमेँ जेठ २६, २७ आ २८ गते होमए जाऽ रहल कार्यक्रममेँ मैथिली भाषा, संस्कृति, समाज, पर्यावरण आ साहित्य उपर नेपाल आ भारतक विशिष्ठ विद्वानसब चर्चा परिचर्चा करताह सेह फाउण्डेशनक अध्यक्षा विभा झा जानकारी देलीह।
शनिदिन जनकपुरधाममेँ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमें बजैत झा विमर्श अपन मनोरथ रहल बतेलीह । ओ मैथिली भाषा आ साहित्यसँग अपन प्रेम, सद्भाव सदैव रहल बतबैत ओ निजी खर्चमें अहिस’ पहिने दुटा आयोजनसभ सफल भेल जानकारी देलीह।
ओ मैथिली समाजक हरेक गतिविधिसभ दुनियाभरि फैलाब आ समाजक गतिविधीसभमे साँझ आ पराती छुटिरहल अवस्थामें तेकरा फेर सुरवात कएनाइ अपन मुख्य उद्देश्य रहल बतेलीह।
नेपोभिट टाइल्सक संचालक शम्भुनाथ झा जेठ २६ गते शयनकाल स’ कार्यक्रमक शुरूवात करबाक जानकारी देलैन्ह । ओ “इएह छी जनकपुर”शेसन में सुन्दर जनकपुरधाम सम्बन्धी विमर्श स’ शुरूवात होयत।
तिन दिवसीय विमर्शमें जनकपुरधामक समृद्ध ऐतिहासिकता आ वर्तमान, कवि सम्मेलन, सांस्कृतिक संध्या, अतीतक आंगनमे भविष्यक अरिपन, मध्य–मैथिलीक सहायक क्रिया रुप, राजनीतिक अस्तित्व, मैथिली साहित्यक समकालीन परिदृश्य, मिथिलामे उद्योगक सम्भावना आ चुनौति, पुस्तक लोकार्पण आ परिचर्चा, मैथिलीक समकालीन कथा साहित्य आ नव पीढीक चुनौती, स्त्री विमर्श, जलाधार संरक्षण, समृद्ध मिथिलाक परिकल्पना आ नवतुरियाक भूमिका, दूनू पारक मिथिलाक लोकसम्बन्धक पुनरावलोकन, मैथिली साहित्यमे दलित चेतना, मैथिलीक दुनिया आ दुनियामे मैथिली लगायतक शेसनसभ सञ्चालन होयत कार्यक्रमक संयोजक विकास वत्सनाभ जानकारी देलथि।
तिन दिवसीय विमर्शमें प्रा.डॉ.रामावतार यादव, विजय कुमार सिंह दनुवार, नागदेव यादव, उमाकान्त झा, रामभरोस कापड़ि, डॉ. कमल मोहन “चुन्नु’, डॉ. रमानन्द झा “रमण”, डॉ.अरुणाभ सौरभ, बालमुकुन्द अजित आजाद, कथाकार अशोक, प्रदीप बिहारी, गुंजन श्री, डॉ. तारानन्द वियोगी, डॉ. अशोक कुमार मेहता, नित्यानन्द मण्डल, रोशन जनकपुरी, वरिष्ठ साहित्यकार डॉ.राजेन्द्र विमल, नाटककार महेन्द्र मलंगिया, परमेश्वर कापड़ि, प्रेमलता मिश्र प्रेम, डॉ.भीमनाथ झा, डॉ.सीके लाल, मंचला झा, रीता साह, मनिका झा, प्रियंका झा, कुमारी श्रेया, बिभा झा, करुणा झा, रुपा झा, खुशबु झा, मंजु यादव, संजु रानी मण्डल, विभा रानी, रंजु यादवलगायतक वक्तासभ विमर्श करताह ।
पत्रकार सम्मेलनमें साहित्यकार रमेश रञ्जन झा, मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी, पत्रकार हिमांशु चौधरी, कवि काशिकान्त झा, पूनम झा मैथिली, साहित्यकार एवम् पत्रकार सुजित झा, नेपाल पत्रकार महासंघक केन्द्रीय सदस्य रिंकु गायत्री मिश्र, नेपाल पत्रकार महासंघ मधेस प्रदेशक उपाध्यक्ष ज्योति झा लगायतक उपस्थिती रहल छल।