प्रवासी मैथिलक हार्दिक इच्छाः फेर सँ सीखी अपन भाषा

१४ अप्रैल २०२३, मैथिली जिन्दाबाद!!

“अखिल भारतीय मिथिला संघ” छत्तीसगढ़ समूह केर एक सदस्य प्रभात दत्त झा द्वारा समूह के एडमिन सँ एकटा प्रस्ताव राखल गेल छल जे प्रवासी समाज जे अपन भाषा-संस्कृति सँ बहुत पहिनहि दूर भ’ गेलथि, हुनका सब लेल किछु एहेन कार्य कयल जाय जाहि सँ ओ लोकनि फेर सँ घरवापसी कय सकथि, अर्थात् अपन भाषा आ संस्कृति सँ जुड़ि सकथि। एहि विषय मे सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा हुनका सम्बोधन करैत जे बात कहल गेल अछि से आर सभक लेल उपयोगी भ’ सकैत अछिः

प्रभात जी,
अहाँक जिज्ञासा प्रभावित कयलक। अहाँक जिज्ञासा निम्न अछि, जे आर बहुतो प्रवासी मैथिल लोकनिक पूरे संसार मे भ सकैत छन्हि। अपने अखिल भारतीय मिथिला संघ छत्तीसगढ़ समूह पर लिखलहुँ अछि:
“एडमिन समूह से अनुरोध है कि इस अखिल भारतीय मिथिला संघ नामक हम सबके समूह में
1_मैथिली भाषा और साहित्य में उल्लेखित किसी या किन्हीं पुस्तकों का धारावाहिक प्रकाशन हो।
2_इसके अलावा कुछ और पत्र पत्रिकाएं जो प्रकाशित हो रही हैं, उनके लिंक मिल जाएं।
3_प्रभावशाली मैथिल व्यक्तित्वों और कृतित्वों के बारे में जानकारी मिल सके। साथ ही मिथिला भाषा को सीखने के लिए विविध लिंक, जिसमें अलग अलग स्तर के लोग लिख, पढ़, समझ सकें, इसमें शामिल हों।
4_मैथिली साहित्य, संस्कृति से जुड़े विभिन्न पहलुओं पर विचार, चर्चा या सरल प्रतियोगिता हो जिसके माध्यम से बालक, युवा पीढ़ी और सभी वय के लोग इससे जुड़ जाएं और निरंतर नवीनता पाकर जुड़े रहें।
यह समूह के एडमिन और वरिष्ठ सदस्यों से हम सबका अनुरोध मात्र है जिससे अधिकाधिक संख्या में लोग जुड़कर इसका लाभ ले सकें।”
– प्रभात दत्त झा, बिलासपुर, छत्तीसगढ़”
हम वचन दैत छी जे –
1. धारावाहिक जल्द आरम्भ करब।
2. एक वेब पत्रिका जे हम चलबैत छी, मैथिली जिन्दाबाद डॉट कॉम जेकर लिंक अछि – www.maithilijindabaad.com एहि पर विजिट करू।
3. प्रभावशाली व्यक्तित्व सभक परिचय मैथिली जिन्दाबाद पर सर्च करब त बहुत रास भेटत। व्यक्तित्वशाली लोकक परिचय, साक्षात्कार हम प्रकाशित कयल करैत छी।
4. बाकी विन्दु पर सेहो कंटेंट्स उपलब्ध करायब। मैथिली जिन्दाबाद सँ जुड़ल रही।
5. बहुत रास बात फेसबुक पर हम पर्सनल आईडी व विभिन्न पेज सभक आईडी सँ सेहो लिखैत रहैत छी। हमरा सँ जुड़ी:
प्रवीण नारायण चौधरी
विराटनगर, नेपाल
व्हाट्सअप नम्बर: +9779801722981