Search

जनकपुरधाममें विवाहपञ्चमी भेल सुरुवात; आई नगर दर्शन, काल्हि फुलबारी लीला

जनकपुरधाम।23नोवेम्बर, 2022।मैथिली जिन्दाबाद!!

प्राचीन मिथिलाक राजधानी जनकपुरधाममेँ एखनि श्रीसीताराम विवाहोत्सवक तैयारी विशेष धुमधाम सँग भ’रहल अछि। जकर अन्तर्गत आइ “नगर दर्शन” कार्यक्रम  मनाओल गेल।

जानकी मन्दिरक प्राङ्गणमें आइ सांझमे सम्पूर्ण नगरबासी सबहक बीच एकटा अद्भुत,अलौकीक दृश्य देखल गेल छल।  जानकी मन्दिरक सहायक महन्थ रामरोशन दास वैष्णव केर कहब अनुसार मन्दिर दिस सऽ भारत आ नेपालक अतिथि,पाहुन तहिना अयोध्या सऽ आबएबाला बाराती सभकेँ सुस्वागत लेल हम आ जनकपुरबासी आतुर छी।

विवाह पञ्चमीक अवसर पर अहिबेर प्रमुख अतिथी सतपाल सिंह रावत “सतपाल महराज “जी रहताह। सतपाल जी महराज उतराखण्ड कय पर्यटन मन्त्री सँगहि भारतीय जनता पार्टीक केन्द्रीय सदस्य समेत रहल छथि।हुनका सँग हरिद्वारक महामण्डेश्वर ईश्वर दास आ विश्व हिन्दू महासंघक महामन्त्री राजेन्द्र पंकज लगायत हजारौं बराती सभ जनकपुर आब लागल महन्थ दास जानकारी देलैन्ह।   

मिथिलामेंँ श्रीसीताराम विवाहोत्सव सप्ताहव्यापी रुपमेँ मनाओल जाइत अछि। जकर पहिल दिन (23 क नोवेम्बर बुध दिन) नगरदर्शन,24 क फुलबारी लीला,25 क धनुष यज्ञ 26 क तिलकोत्सव,27क’ मटिकोर,28 क स्वयम्वर आ विवाह आ 29क रामकलेवा केर सँग यहि बेरक विवाह पञ्चमी महा महोत्सव सम्पन्न होयत।

Related Articles