मैथिल जीन्स: अंतर्राष्ट्रीय गुणस्तर एकदम सस्ता दाम पर उपलब्ध अछि

मैथिल उद्योग-प्रतिष्ठान परिचय

पसिन करू आ एकदम सस्ता दर पर कीनू

अंतर्राष्ट्रीय स्तर के “मैथिल जीन्स” आब मिथिला सहित सगर भारत में उपलब्ध अछि। बहुत लगन आ समर्पण सँ शुरू कयलनि ई उद्यम, मैथिली मिथिला के विभिन्न आंदोलन सँ प्रेरणा पाबि मैथिल ब्रांड नाम मे विशाल रेंज में रेडीमेड जीन्स पैंट के काज शुरू कयल गेल, कहलनि संस्थापक राजेश झा।

आउ परिचित होइ एहि प्रतिष्ठान सँ

प्रश्न: एकर स्थापना कहिया कयलहुँ?

उत्तर: मैथिल जीन्स केर स्थापना २०२१ मे भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान दिल्ली सँ स्नातक राजेश जी आ ऋषि वरुण मिश्र द्वारा कयल गेल छल।

प्रश्न: संचालन केना करैत छी?

उत्तर: मूल रूप स मैथिल जींस ऑनलाइन खरीदबाक विकल्प सेहो दैत अछि। फोन पर सेहो ऑर्डर बुक करैत छी। मिथिला क्षेत्र में दरभंगा, मधुबनी आ विभिन्न ग्रामीण क्षेत्र में खुदरा आ थोक विक्रेता केँ उपलब्ध करबैत सेहो ग्राहक केँ उपलब्ध करबैत छियनि।

प्रश्न: एकर हेड ऑफिस कतय रखने छी?

उत्तर: मुख्यालय दिल्ली फ्लैट नं 136  विद्या विहार अपार्टमेंट  वेस्ट एन्क्लेव, पीतमपुरा नई दिल्ली 110034 सम्पर्क नम्बर 8587853208 अछि। जे कियो दिल्ली ऑफिस स खरीदय चाहय छी, एहि पता पर सम्पर्क करी।

तहिना एकर द्वितीय कार्यालय पता रानीपुर राम जानकी दरबार दरभंगा 846001 सम्पर्क नम्बर ☎️8882775983 अछि। दरभंगा मधुबनी मे रहनिहार लोक एहि पता पर सम्पर्क करू।

जे कियो अलग राज्य मे रहय छथिन्ह ओ ऑनलाइन के माध्यम सं भुगतान करय सकय छथिन्ह आओर अपन पता पर मंगा सकय छथिन्ह, हुनका सं धोखा नहि होएत, ई कंपनी के दावा अछि।

प्रश्न: क्वालिटी पर किछु बताउ पाठक केँ।

उत्तर: 100% कॉटन 100% Stretchable 100% आरामदायक 100% रंग गारंटी के साथ निर्मित मैथिल जीन्स बहुत सुन्दर क्वालिटी के साथ निर्मित अछि। पहिले उपयोग तखन विश्वास करू। मिथिला स प्रेम करयवला लोक अवश्य कीनू।

प्रश्न: एखन कतेक रेन्ज में उपलब्ध अछि?

उत्तर: मैथिल जीन्स एखन 2 रेंज के जीन्स बना रहल अछि, एक ₹1299 एक ₹1399 के। ई दुनु प्रोडक्ट उपलब्ध अछि जे जीन्स अहाँ 2000 में कीनब, अहाँ के 1399 में भेटत बेस्ट क्वालिटी के संग। ₹1699 लॉन्च होबय बला अछि, ईहो मजबूत क्वालिटी के संग बनायल जायत। मुदा काज चलि रहल अछि, पहिने प्रयोग तखन विश्वास करू।

प्रश्न: मैथिली मिथिला आ समाज सँ जोड़य लेल कारपोरेट सोशल रिस्पांसिबिलिटी की?

उत्तर: एहि कंपनी के प्रगति मे जे लोक योगदान देताह हुनका सम्मानित कएल जाएत।

प्रश्न: मार्केटिंग लेल कि अपील करब?

उत्तर: दुकानदार भाई लोकनि सँ बिशेष आग्रह जे एक टा जीन्स सैंपल क लेल अवश्य मँगाबी। आर जीन्स पहिरबाक शौकीन सज्जन लोकनि जे कियो ई साक्षात्कार देखि-पढ़ि रहल छी से जरूर खरीदबाक प्रयास करब ई अनुरोध अछि।
धन्यवाद। जय मिथिला!!