अहमदाबाद, २८ मार्च २०२२ । मैथिली जिन्दाबाद!!
शाश्वत मिथिला फाउन्डेशन अहमदाबाद केर अध्यक्ष ललित झा जानकारी दैत कहलनि अछि जे १ मई २०२२ केँ फाउंडेशन तथा माँ जानकी सेवा समिति केर संयुक्त संयोजन मे ‘गुजरात मिथिला महोत्सव’क आयोजन कयल जायत। एहि लेल काल्हि २७ मार्च २०२२ अहमदाबाद मे एक बैसार सम्पन्न भेल अछि। बैसार द्वारा कयल गेल निर्णय अनुसार कार्यक्रम अपराह्न ४ बजेसँ शाश्वत मिथिला भवन प्रांगण, लवारपुर – दभोडिया हनुमान मंदिर मार्ग, डभोड़ा, गांधीनगर मे आयोजित हएत। विदित हो जे कार्यक्रम स्थल संस्थाक अपन स्वामित्व केर भूमि थिक जतय भवन निर्माण कार्य सेहो प्रगति मे अछि।
श्री झा द्वारा देल गेल अपडेट मुताबिक उपरोक्त अवसर पर मिथिलाक प्रसिद्ध लोकगीत गायक आ साहित्यकार लोकनि आमंत्रित छथि, संगहि मिथिला-मैथिलीसँ संबंधित विषय वस्तुपर आधारित कार्यक्रम ‘कतेक जिबैए मैथिली’ प्रश्नमंचक रूपेँ सेहो आयोजित होयत जेकर विजेता केँ आकर्षक ईनाम सेहो देल जेतन्हि। ‘कतेक जिबैए मैथिली’ अन्तर्गत प्रवासी मैथिल परिवार आ विशेष रूप सँ धियापुता व युवा सब केँ अपन मिथिला आ मैथिलत्व संग जोड़िकय रहबाक एकटा महत्वपूर्ण सन्देश देल गेल करैत अछि आर ई आयोजन एक तरहक क्वीज कम्पीटिशन जेकाँ कयल जाइत अछि।
तहिना ओ बतेलनि अछि जे आरो बहुतरास गतिविधि जाहिसँ मिथिलाक संस्कृति केँ संरक्षण, संवर्धन आ प्रवर्धन करबाक गुंजाईश होयत ताहि सब केँ सम्मिलित कयल जायत। “एक त’ गुजरात आ दोसर प्रवासी मैथिल – दुनूक अद्भुत संयोग अछि। आऊ सब कियो एहि सांस्कृतिक आ साहित्यिक आयोजनमे सहभागी बनी। एक बेर पुनः अपने सब केँ सादर आमंत्रण अछि।” – मैथिली-मिथिलाक एहि महत्वपूर्ण कार्यक्रम मे सब केँ आमंत्रित कयलनि अछि।