अपन ब्राह्मण समाज विराटनगर द्वारा मेयर व वार्ड अध्यक्षक सम्मान संग होली मिलन

विराटनगर, १५ मार्च २०२२ । मैथिली जिन्दाबाद!!

विराटनगर आ आसपास के ब्राह्मण समुदाय सँ सादर अपील जे तिथि २0७८/१२/२ गते बुधदिन दुपहर के २:३० बजे सँ आयोजन होमएवाला “होरीक रंग ब्राह्मण समाजक सँग” कार्यक्रम मे अधिकाधिक संख्या मे उपस्थिति दर्ज कराबी। एहि कार्यक्रम मे स्वजन मिलन के सुअवसरक अतिरिक्त फगुआ के मधुर सांगीतिक कार्यक्रम आ नगर प्रमुख तथा वार्ड नं. १२ के अध्यक्ष जी केँ सम्मानित करबाक योजना अछि। ज्ञातव्य हो जे विराटनगर महानगरपालिका द्वारा मन्दिर, सामुदायिक भवन आ पुस्तकालय निर्माणार्थ २ कठ्ठा भूमि अप्पन ब्राह्मण समाज केँ प्रदान करबाक निर्णय कएल गेल अछि। एहि ऐतिहासिक निर्णय के समर्थन आ सम्मानक हेतु समेत अपनेक उपस्थिति अपरिहार्य अछि। २:३० सँ ४:३0 बजे धरि स्थानीय लब्ध प्रतिष्ठित कलाकार आ कवि सभ द्वारा फगुआ के गीत, नृत्य, जोगीरा आ कविता प्रस्तुतिकरण केर कार्यक्रम अछि। ४:३० सँ ५:३० बजे धरि मेयर साहब तथा अध्यक्ष जी के सम्मान तथा मन्तव्य प्रस्तुति ५:३० बजे सँ सामुहिक जलपान आ रुचि अनुसार होरीक अन्य व्यञ्जन के रसास्वादन करी। – ई अपील फेसबुक मार्फत अपन ब्राह्मण समाज के अध्यक्ष कुमुद मोहन झा जारी कयलथि अछि।

काल्हि दिनांक १६ मार्च २०२२ तदनुसार २ गते चैत बुध दिन विराटनगर महानगरपालिकाक मेयर साहेब भीम पराजुली संग वार्ड संख्या १२ केर अध्यक्ष हीरालाल कामत के समारोहपूर्वक सम्मान कयल जायत, संगहि अपन ब्राह्मण समाज द्वारा होली शुभकामना आदान-प्रदान कयल जायत।

विदित हो जे विराटनगर मे अपन ब्राह्मण समाज द्वारा काली पूजा के परम्परा केँ हालहि किछु वर्ष पूर्व शुरू कयल गेल अछि जे एहि महानगर केर एकटा अनुपम उपलब्धि आ शान के रूप मे मान्यता प्राप्त कयलक अछि। एहि आयोजन मार्फत आम जनताक कल्याणक निहित उद्देश्य केँ देखैत विराटनगर महानगरपालिकाक मेयर एहि वर्ष घोषणा कयने रहथि जे आगामी वर्ष सँ ई महत्वपूर्ण पूजा-यज्ञ लेल संस्था केँ महानगरपालिका दिश सँ जमीन उपलब्ध करायल जायत, आर हालहि महानगरपालिका द्वारा विराटनगर वार्ड १२ के मिथिला चौक पर २ कट्ठा जमीन काली पूजा लेल मन्दिर संग सामुदायिक भवन आ पुस्तकालय निर्माणार्थ उपलब्ध करायल गेल अछि। एहि सदाशयतापूर्ण सहयोग लेल मेयर पराजुली एवं वडाध्यक्ष कामत केर सम्मान सहितक ई होली मिलन समारोह केर आयोजन करबाक जनतब अध्यक्ष झा करौलनि अछि। एहि कार्यक्रम मे वृहत् उपस्थिति लेल सेहो ओ आह्वान कयलनि अछि।