Search

रामजानकी मार्गक लेल भारत सरकार द्वारा भेटल स्वीकृती

370 भ्यूज

24जनवरी 2022 । मैथिली जिन्दाबाद!!

मर्यदापुरुषोत्तम भगवान श्रीरामक जन्मभूमी भारतक अयोध्या सँ जगत जननी जगदम्बा जानकीक जन्मभूमी नेपाल केर जनकपुरधामधरि रामजानकी मार्ग निर्माण होएबाक निर्णय भेल अछि । भारत सरकार यहि चारलेन मार्ग निर्माणक लेल स्वीकृती सेहो देने अछि।

श्रीरामजन्मभूमि भारतक उत्तर प्रदेश केँ अयोध्या सँ नेपालक जनकपुरधामस्थित  जनकनंदिनी सीताक जन्मभूमि जनकपुरधामधरि चारलेनक रामजानकी मार्ग सडक निर्माण हएत से भारत सरकार जनोलक अछि।

भारत सरकारक केन्द्रीय सडक परिवहन एवं राजमार्ग मन्त्री नितिन गडकरी बिहार सरकारक पथ निर्माण विभाग मन्त्री नितिन नवीनके पत्र द्वारा जानकारी करोलनि अछि।

प्रधानमन्त्री प्याकेज बिहार–२०१५ अन्तर्गत यस मार्गक २४० किलोमिटरक उक्त भागमें चार लेनक सडक बनएबाक काम एनएचआई  करत । जाहि बास्ते बिहार सरकार केन्द्र सरकार सँ स्वीकृति माँग कएने छल । जेकर स्वीकृतिसहितक पत्र बिहार सरकारके केन्द्र सरकार जानकारी देने छथि।

रामजानकी मार्ग उत्तर प्रदेशमें भगवान रामक जन्मस्थल अयोध्यासँ शुरु भ’ जनकपुरधाम पहुँचि सम्पन्न हयत। ई सडक मार्ग बस्ती –बहालगंज बिहार राज्यक महराउना घाट, सिवन चाकिया, सीतागढी, भिठामोड़ भया जनकपुरधाममें अन्त्य हयत से पत्रमें उल्लेख रहल अछि।

‘रामजानकी मार्गक धार्मिक महत्व र अपनेक अनुरोध स्वीकार क’ राजमार्ग बिहार राज्यक सम्पूर्ण मार्ग ४ लेनक बनाएबाक निर्णय भेल कहैत खुशी साथ जानकारी  करा’ब चाहैत छी।’, पत्रमें उल्लेख रहल अछि।

 

Related Articles