मधुबनी मे मिलन समारोह – कि सब उपलब्धि भेटल

एहि मिलन समारोह मे दशहरा, दिपावली व छठिक शुभकामना आदान-प्रदान करबाक संग दहेज मुक्त मिथिला समूह केर उद्देश्य आ कार्यक्रम ऊपर चर्चा भेल। विशुद्ध स्वयंसेवा सँ संचालित ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केर दीर्घकालीन सुचारू संचालन लेल दरभंगा संयोजिका श्रीमती रंजना मिश्रा अपन काफी रास अनुभव साझा करबाक संग-संग संस्थापक प्रवीण नारायण चौधरी संग अन्य सक्रिय व महत्वपूर्ण सदस्यक संग बन्द सत्र मे सेहो काफी सान्दर्भिक बुन्दा सब पर चर्चा कयलीह। एहि चर्चा मे संस्थाक कोष व्यवस्थापन, बैंक खाता संचालन, सदस्यता शुल्क, मासिक बैसार आ छोट-छोट आयोजन करबाक सम्बन्ध मे आगामी डेग पर चर्चा कयल गेल। चूँकि संस्था पहिने सँ सोसाइटीज एक्ट अन्तर्गत भारत व नेपाल दुनू देश मे पंजीकृत अछि, लेकिन एकटा पंजीकृत संस्थाक संचालन वास्ते जाहि तरहें सब औपचारिक आ कानूनी पक्षक उचित रेख-देख संग वार्षिक औडिट व अन्य विभिन्न विषय सभक व्यवस्थापन करय पड़ैत अछि, एहि लेल दिल्ली स्थित पंजीकृत कार्यालय सँ सम्पर्क करैत आगू केना बढल जाय ताहि पर निर्णय कयल जेबाक निष्कर्ष निकलल। रंजना दीदी स्वयं अनुभवी आ दक्ष व्यवस्थापन कय सकैत छथि, तेँ हमरा लोकनि दीदी पर ई जिम्मेदारी सौंपलहुँ जे अपने जेना नेतृत्व करय चाहि रहल छी से जरूर करी। एहि लेल दरभंगा या मधुबनी जतय कतहु संभव होयत ओतय एकटा खाता खोलल जायत, एहि पर दहेज मुक्त मिथिलाक युवा एवं कर्मठ सदस्य-सहयोगी नीरज कुमार झा जे स्वयं पंजाब नेशनल बैंकक एक बैंककर्मी छथि ओ आवश्यक सहयोग करता। संगहि संस्था सँ जुड़ल विभिन्न बात-विचार लेल एकटा ‘कोर कमिटी’ केर गठन करबाक सेहो निर्णय लेल गेल अछि। एहि कोर कमिटी मे सिर्फ सक्रिय आ समर्पित व्यक्ति सब केँ सङ्गोर करैत एकटा व्हाट्सअप समूह मार्फत औनलाइन मीटिंग व निर्णय करैत एहि अभियान केँ आगू बढेबाक विन्दु पर सहमति बनल।
आन्तरिक बैसार मे एहि विन्दु पर सेहो चर्चा भेल जे ‘निर्धन कन्या सहायता अक्षय कोष’ केर व्यवस्थापन कोना कयल जाय। एहि विषय पर सेहो रंजना मिश्रा दीदी संग अन्य सदस्य लोकनिक विचार भेलनि जे बैंक मे मात्र ४-५% ब्याज लेल रुपया जमा करबाक बदला कोषक पैसा सँ सिलाई मशीन कीनिकय एहेन स्वरोजगारी महिला केँ देल जाय आ हुनकर आयार्जन सँ मशीनक पैसा किस्त-किस्त मे जमा कराकय पुनः अन्य निर्धन कन्या (महिला) केँ सेहो सहयोग करैत रहू, एहि तरहें कोष व्यवस्थापन कुशलतापूर्वक कय सकैत छी, एहि विन्दु पर सभक सहमति बनल। एहि पर आर कोनो तरहक सुझाव के जरूरत हो त समूहक सब सदस्य सँ सुझाव लैत आगू बढबाक निर्णय भेल। एहि तरहें तत्काल कोर कमिटी के गठन, बैंक खाता खोलनाय आ निर्धन कन्या सहायता अक्षय कोष लेल विधान तैयार करैत समूह द्वारा ओकरा पास करेबाक निर्णय लेल गेल अछि।
विदित हो जे कोनो कार्यकारिणी समिति (नेपाल या भारत) मुख्य समूह आ कोर कमिटी सँ बाहर कोनो गतिविधि करता त ओकरा लेल हम सब कोनो तरहें जिम्मेदारी स्वीकार कदापि नहि करब। हमर विगत के अनुभव बहुत नीक नहि अछि, लोक मनमाना आ राजनीतिक विद्वेष भावना सँ ग्रसित भऽ अपन-अपन मोनक क्रियाकलाप सब करय लगैत छथि, आर एहि तरहें हमरा अपन समर्पण आ ईमानदारी पर गाइर पढय-सुनय जेकाँ लागय लगैत अछि, तेँ हम एहि अभियान केँ सदिखन जनसहभागिता पर आधारित, सिर्फ स्वयंसेवा सँ अर्जित कोष आदि पर संचालित करबाक मार्ग पर चलैत छी। जहिना हमर अपन नियंत्रण टूटैत अछि, हम ओहि लेल कतहु सँ कनिकबो जिम्मेदारी स्वीकार नहि कय सकैत छी। नेपाल मे रहैत भारतक कमिटी पर लीगल पकड़ हम नहि बना सकैत छी, केवल नैतिकताक आधार पर किनको एक-दू बेर टोकि सकैत छियनि, परञ्च हमर टोकब किनका नीक लागत, किनका बेजा लागत… से के कहलक! अतः रंजना दीदी समान कर्मण, ईमानदार आ अनुभवी अभिभावक केर हाथ मे दहेज मुक्त मिथिलाक सारा गतिविधि पर नेतृत्व करबाक लेल अपना तरफ सँ पूर्ण अधिकार देल। यदि पूर्व केर पंजियन मे कोनो तरहक दुविधा-शंका लागय त एकटा नव शिरा सँ अन्य पंजियन करैत आगू बढबाक काज कयल जाय।
मिलन समारोह लगभग पूरा लाइव कयल गेल छल। वक्ता सब कि-कि बजलथि, विषय प्रवेश केना-केना भेल आ फेर भविष्य मे दहेज मुक्त मिथिला केँ कि सब करबाक चाही ताहि पर जनादेश लेल गेल छल। सामुहिक विवाह केर आयोजन, निर्धन कन्या केँ पढाई-लिखाई करेबाक लेल प्रायोजनक काज आ एकर दूरगामी लाभ, दहेज युक्त विवाह केँ बहिष्कार करबाक संकल्प, आदि अनेकों विषय पर बहुत ठोस आ दृढ़ विचार जनादेश सँ प्राप्त भेल। तहिना व्हाट्सअप समूह सँ आ मुख्य समूह पर वैवाहिक परिचय केर मात्रा कोना बढय ताहि पर सेहो वक्तव्यक मार्फत स्वयं वन्दना चौधरी ध्यानाकर्षण करौलीह। समूह सभक आपसी सहकार्य बढेबाक आ गतिविधि केँ जमीनी स्तर पर उतारबाक मुख्य ध्येय पर अडिग रहबाक लेल आह्वान कयल गेल।
अन्त मे स्वरुचि भोज सँ कार्यक्रमक समापन कयल गेल छल। दिल्ली, मुम्बई, कोलकाता, दरभंगा, विराटनगर, मधुबनी आदि कतेको स्थान सँ पहुँचल अभियन्ता लोकनिक सुमधुर मिलन स्वरूप एहि कार्यक्रम सँ सार्थक, सकारात्मक आ आपसी विश्वास केँ बढाबयवला काज भेल। पुनः स्मारिका २०२१ केर विमोचन सेहो एहि तरहें कयल जायत से तय कयल गेल।
उपस्थिति निम्न छलः १. प्रवीण नारायण चौधरी, विराटनगर, नेपाल (संस्थापक अध्यक्ष एवं सम्पादक, स्मारिका २०२१)
२. आदित्य झा, वसौली (मुम्बई सँ दीपिका जी संग, स्मारिका मे उल्लेख्य विज्ञापन सहयोग कयनिहार महान व्यक्तित्व, बैंक मैनेजर एवं सम्भ्रान्त व्यक्तित्व)
३. अजित आजाद, मधुबनी (परिचय ऊपर वर्णित अछि)
४. मनोज झा, लोहा (स्मारिका २०२१ केर कवर डिजाइन लेल चित्रकला दान कयनिहार महान कलाकार एवं दहेज मुक्त मिथिला केर समर्थक, समाजक हित लेल बेहतरीन कलात्मक योगदान करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त करयवला व्यक्तित्व।)
५. अभिनय कुमार झा, ढंगा पुरवारी टोल, कलुआही (युवा अभियानी, गाम-गाम धरि नारा पहुँचेनिहार संकल्पित युवा)
६. संजय कुमार झा, दिल्ली (मंजूषा जी संग – एक समर्पित सहयोगी, दिल्ली मे अभियान केँ आर आगू बढेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कयलथि)
७. पंकज कुमार झा, हरिपुर, मधुबनी (अभियानी)
८. विनय कुमार चौधरी, दिल्ली (मंजूषा जी, संजय जी संग, अभियान केँ आगू बढेबाक प्रतिबद्धताक संग)
९. तरुण कुमार झा, ब्रह्मोत्तरा, मधुबनी (वरिष्ठ अभिभावक, परिचय ऊपर वर्णित)
१०. जूही झा, हरिपुर, पंडौल, मधुबनी (महिला अभियानी)
११. स्वाती झा, पोखरौनी, मधुबनी (स्मारिका कवर डिजाइन लेल दोसर उत्कृष्ट प्रदर्शन पुरस्कार सँ सम्मानित)
१२. आँचल झा, ढंगा पुरवारी टोल, कलुआही, मधुबनी (स्मारिका २०२१ कवर डिजाइन के सर्वोत्कृष्ट प्रदर्शन लेल प्रथम विजेता मिथिला चित्रकला मे निपुण व्यक्तित्व)
१३. अजीत कुमार झा, सिबैसिंहपुर, लहेरियासराय, दरभंगा (अभियानी, दरभंगा समूह)
१४. कंचन शर्मा, गाँधीनगर, कठरहिया, दरभंगा (युवा अभियानी, दरभंगा समूह)
१५. संगीता कुमारी ठाकुर, लक्ष्मीसागर, दरभंगा (अभियानी, दरभंगा समूह)
१६. ममता कुमारी चौधरी, बरहा, मधुबनी (अभियानी, मधुबनी समूह)
१७. विभा चौधरी (अभियानी, मधुबनी समूह)
१८. जुली झा, जितवारपुर (अभियानी, मधुबनी समूह)
१९. मंजूषा झा, कसरौर, दरभंगा (दिल्ली सँ, दहेज मुक्त मिथिलाक समर्पित-सक्रिय सदस्या एवं सिलाई-कढाई प्रशिक्षण प्रदान कयनिहाइर पूज्य व्यक्तित्व)
२०. दीपिका झा, वसौली, मधुबनी (पूणे सँ एलीह, परिचय ऊपर वर्णित, स्मारिका-२०२१ केर संयोजिका)
२१. रंजना मिश्रा (दरभंगा समूह संयोजिका, परिचय आ योगदान ऊपर वर्णित)
२२. वंदना चौधरी, विराटनगर (समूह संचालिका)
२३. सुमन झा, बेल्हवार, मधुबनी (कोलकाता सँ एलीह, परिचय ऊपर वर्णित, समूह संचालिका, कार्यक्रम आयोजन मे अपन स्वेच्छिक आर्थिक सहयोग कय अनुगृहित कयलीह।)
२४. रीना सर्राफ, मधुबनी (अभियानी, मधुबनी समूह, सदिखन अपन सहयोग लेल तत्पर रहनिहाइर व्यक्तित्व)
२५. सीमा झा, मधुबनी (अभियानी, मधुबनी समूह)
२६. गुड़िया कुमारी, मधुबनी (अभियानी, मधुबनी समूह)
२७. बरुण कुमार ठाकुर, मधुबनी (अभियानी, मधुबनी समूह)
२८. ललिता झा, लहेरियासराय, दरभंगा (अभियानी, दरभंगा समूह, स्वेच्छिक सहयोग सेहो कयलीह।)
कार्यक्रम स्थलक कुल खर्चः
१. सभागार – ३,५००/-
२. भोजन-जलपान – ४,८५०/-
३. कौपी-कलम – २०/-
(कुल खर्चः ८,३५०/-)
१. सुमन झा – २,०००/-
२. ललिता झा – २००/-
३. प्रवीण नारायण चौधरी – ६,१५०/-
दरभंगा समूह केर तरफ सँ उल्लेख्य सहयोग – वन्दनाजी एवं हमरा लेल अमूल्य उपहार देलनि ताहि लेल हम नतमस्तक आ आभारी छी।
तहिना चित्रकार मनोज जी द्वारा दहेज मुक्त मिथिला लेल विशेष तौर पर बनायल गेल पेन्टिंग जे अन्तर्राष्ट्रीय बाजार मे लाखों डौलर मूल्य बराबर के अछि से आ अन्य दुइ गोट पेन्टिंग बाकायदा फ्रेमिंग करायल संस्था केँ देल गेल अछि।
तहिना आँचल आ स्वाती सेहो अपन-अपन दिश सँ काफी रास पेन्टिंग संस्था व सदस्य विशेष केँ उपहार तौर पर प्रदान कयलीह।
हम एहि सब सम्पदा केँ राष्ट्रीय सम्पदा मानिकय भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ सौंपय चाहि रहल छी, कारण ओ मिथिला पेन्टिंग केँ बहुत कदर करैत छथि आ विदेश मे विभिन्न देशक राष्ट्रप्रमुख लोकनि केँ सेहो उपहारक तौर पर मिथिला पेन्टिंग देल करैत छथि। यदि हमरा सभक संस्था दिश सँ ई उपहार राष्ट्रीय सम्पदाक रूप मे हुनका द्वारा स्वीकार कयल जाइत अछि त ईहो एहि अभियान लेल एकटा पैघ उपलब्धि जरूर होयत। अस्तु!!
अपने सब ई सम्पूर्ण रिपोर्ट पढलाक बाद अपन-अपन प्रतिक्रिया जरूर लिखब।
हरिः हरः!!