१३ सितम्बर २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!!
तेसर मिथिला लोक सांस्कृतिक महोत्सव एवं चलचित्र दिवसक भव्य आयोजन
प्रिती झा, जनकपुरधाम, भादव २७ गते।
विजय लक्ष्मी मिडिया फाउन्डेशनक आयोजनमे यैह आसिन १ गते धनुषाक सपहीमे तेसर मिथिला लोक सांस्कृतिक महोत्सव एवं चलचित्र दिवसक भव्य आयोजन कयल जा रहल अछि । पूर्व उपप्रधानमन्त्री एवं परराष्ट्रमन्त्री माननीय रघुबीर महासेठ जीक प्रमुख आतिथ्य एवं महिला बालबालिका तथा जेष्ठ नागरिक मन्त्री जुली कुमारी महतोक विशिष्ट आतिथ्यमे होबय जा रहल एहि महोत्सवमे मिथिलाक हेराइत जा रहल कला-संस्कृति प्रस्तुत करबाक संग विभिन्न स्रष्टाक व्यतित्व सभक स्वागत एवं सम्मान करबाक कार्यक्रम रहबाक जनतब विजय लक्ष्मी मिडिया फाउन्डेशनक मैनेजिङ डाईरेक्टर संतोष लाल दास देलनि । एहि कार्यक्रमक प्रमुख वक्ता लोकनि रिद्धिसिद्धि सिमेन्ट एवं सौर्य सिमेन्टक ब्रान्ड म्यानेजर अनुज महत, साहित्यकार एवं दहेज मुक्त मिथिलाक संचालक प्रवीण नारायण चौधरी, नेपाली फिल्मक डाईरेक्टर यादव भट्टराई सहितक व्यक्तित्व सभ मिथिला लोकक कला आर चलचित्रक दशा दिशा एवं दुर्दशाक सम्बन्धमे अपन विचार रखता । संगहि एहि कार्यक्रममे मिथिलाक लोक कोकिला एवं मिथिला रत्नसँ सम्मानित रश्मि रानी, वरिष्ठ हास्यकलाकार जीवछ दास, मिथिलाक सुप्रसिद्ध हास्यसम्राट रामनारायण ठाकुर, चलचित्र विकास एवं लोक सञ्चार बोर्ड प्रदेश नं. २ केर अध्यक्ष धर्मेन्द्र मरबैता सहितक व्यक्तित्व लोकनिक सहभागिता होयबाक बात फेस्टिवल डाईरेक्टर संतोष लाल दास द्वारा जानकारी करायल गेल । संगहि एहि कार्यक्रममे मुख्य प्रायेजकक रूपमे आईचर ट्रैक्टर रहल अछि आर सहप्रायोजकक रूपमे सौर्य सिमेन्ट, रिद्धिसिद्धि सिमेन्ट रहल अछि । सँगहि बैनर स्पोन्सरक रूपमे डिश होम, फाईबर नेट, सीताराम सप्लायर्स रहल अछि । बढैत आधुनिक युगमे अपन कला-संस्कृतिसँ दूर भऽ रहल हमरा सभक समाज आ एकर नव युवा पुस्त केँ अपन कला-संस्कृति प्रति जिम्मेदार बनेबाक वास्ते विजय लक्ष्मी मिडिया फाउन्डेशनद्वारा चलायल गेल अपन अभियान अन्तर्गत एहेन महोत्सवक आयोजना कयल गेल अछि आर आगामी दिनमे सेहो कयल जेबाक बात दासजी बतेलनि । विदित हो जे ई तेसर बेरुक आयोजन थिक जे प्रदेश २ केर अलग-अलग स्थान पर सिलसिलेवार ढंग सँ आयोजित होइत आबि रहल अछि ।