मैथिल महिला संघ पटना द्वारा सावन मिलन समारोह भव्यताक संग सम्पन्न

पटना, १५ अगस्त २०२१। मैथिली जिन्दाबाद!!

– रेखा झा

मैथिली महिला संघ सावन महोत्सव २०२१
मैथिली महिला संघ चेतना समिति स जुड़ल पूर्ण रूप स महिला लेल स्थापित संस्था अछि जे की १९७९ मे स्थापित भेल आ बहुत सुचारू रूप स सामाजिक कार्य मे अपन योगदान द रहल अछि। मैथिली महिला संघ के योगदान चेतना समिति पटना के आनंद मेला मे निरंतर देखबा मे अबैत रहल जाहि मे चेतना समिति के अंतिम दिन मैथिलानी अपन पाक कला के निपुण प्रस्तुति क बहुत तरह तरह के व्यंजन के स्टॉल लगा लोक सबके कीनबा के मौका दैत रहली अछि। एहि संघ द्वारा आनंद मेलाक स्टॉल सँ प्राप्त आय सँ सामाजिक काज जेना कि बालिका ब्लाइंड स्कूल, किलकारी, कहानीघर, बाढ प्रभावित क्षेत्र मे राहत वितरण स्वरूप स्वेटर, वस्त्र या खाद्य पदार्थ के क्रमशः वितरण कयल जाइत अछि। संप्रति मैथिली महिला संघ के अध्यक्ष श्रीमती सरिता झा, सचिव श्रीमती कल्पना झा, कोषाध्यक्ष श्रीमती माधुरी झा आ उन्नीस टा कार्यकारिणी सदस्य छी जाहि मे हमहुं छी।
मैथिली महिला संघ मे जानकी नवमी पर जानकी अवतरण दिवस सेहो मनाओल जाइत अछि जाहि मे विभिन्न तरहक गीत नाद आ अरिपन प्रतियोगिता राखल जाइत अछि। फगुआ मिलन सेहो सब साल होइत अछि जे की पिछला साल स कोरोना ल क बाधित रहल। सावन मिलन हरेक साल होइत अछि पिछला साल कोरोना के कारण नहि भेल। अहिना वृक्षारोपण सप्ताह सेहो संघ के तरफ स होइत अछि। अहि बेर सावन मिलन चौदह अगस्त के तीन बजे दिन स विद्यापति भवन पटना में संपन्न भेल। एहि समारोह मे मैथिलानी सब हरियर साडी मे उपस्थित रहैत छथि। जय जय भैरवि सँ कार्यक्रम के शुरूआत भेल आ सावन महीना मे महादेव के तरह तरह के भजन आ फेर मैथिली कजरी स पूरा भवन गुंजायमान रहल। एहि अवसर पर किछु जे काज छुटल छल कोरोना के कारण सेहो संपादित भेल। संघ द्वारा हरेक साल जानकी नवमी के दिन अपन स्मारिका के विमोचन आ जानकी सम्मान चयनित महिला के देल जाइत अछि जे की एहि बेर सावन मिलन समारोह मे संपन्न भेल।
एहि बेर जानकी सम्मान बिहार महिला उद्योग संघ के अध्यक्ष उषा झा केँ देल गेलन्हि। डा प्रेमलता मिश्र प्रेम हुनका जानकी सम्मान प्रदान केलीह। मैथिली महिला संघ के संस्थापिका सदस्या सबमे डॉ उषाकिरण खान आ डॉ प्रेमलता मिश्र प्रेम के बहुत पैघ योगदान रहल। संप्रति चारि सौ अठ्हत्तर आजीवन सदस्या अहि संघ स विभिन्न जगह सँ जुड़ल मैथिलानी छथि।
अहि बेर सावन मिलन समारोह मे किछु नवयुवती मैथिलानी लेल सौंदर्य प्रतियोगिता सेहो राखल गेल जे की सीधा आंचल के साडी आ प्रलुप्त भेल मैथिली शब्द के अर्थ बतौला पर आधारित छल। मैथिली महिला संघ के सदस्या सब बहुत उत्साह स सब काज करैत छैथि आ अपन भाषा अपन संस्कृति अपन योग्यता स निरंतर योगदान दैत रहैथ छथि।