“हमरा चाही मिथिले में रोजगार”

474

मनीषा झा।                                       

विषय :- मिथिला में पलायन के कारण आ निदान

ओना त मिथिला में पलायन क बहुतो कारण अछि किंतु हमरा नजैर में जे मुख्य कारण अछि| :-(१)मिथिला में रोजगारक कमी
(२)उद्योग धंधा क कोनो टा आस नैय
(३) खेती-बाड़ी में आधुनिकरण के अभाव
जाहि कारण लोक अपन मिथिला क छोइर आन आन ठाम गुजर करै लेल जाइत छैथ कारण पेट क सवाल छैय |
एकर जिम्मेदार कतहु ने कतहु सरकार अछि आ जनता सेहो ,
विकासक नाम पर सड़क बनायल जैत अछि,राशन बांटल जैत अछि बगैरह बगैरह !
हम ई नहि कहैत छी ई विकास नहिं छी किंतु जंउ अपन जगह के सच में विकास करैय चाहैत छी त ओत रोजगार क अवसर दियौ |
किया आन-आन राज्य में कल-कारखाना दिन -दिन बरलेह जाइत अछि, आ हमर मिथिला में एको चीनी मिल छल ओहो बंद परल अछि |
#निदान
एगो चीनी मिल के चालू भेला सं कतेको लोक के रोजगार हेतैन |
खेती के आधुनिकीकरण के ज्ञान सं कृषक लोकैन के अवगत करैल जाइन हुनका खेती में आधुनिक पद्धति के संग संग ओ मशीन मुहैया करैल जाई |
जंउ मिथिला में कल- कारखाना आ उद्योग धंधा स्थापित कैल जाई त पलायन पर विराम लगनाई संभव अछि आ नहि त यदि जनता उपरोक्त विकास क विकास मानि मुंह बंद केने रहतैथ त अहिना अपन घर-द्वार छोइर बाहर पेट भरैय लेल भागैय परतैन |
त हमरा सबहक एकहि का लक्ष्य रहबाक चाहि :- नहिं जायब हम दोसर राज्य,
हमरा चाहि मिथिले में रोजगार !!!