Search

श्रीकृष्ण भजन


कोना बिसरल छी हमरा कन्हैया
बिनु आहाँ जियल नै जाइया
हमर जीवन फँसल मँझधार यौ
आहाँ पार लगा दिय नैया

नाम आंही के लैया संसार यौ
करी अद्भुत आहाँ चमत्कार यौ
मनमोहन छी वंशी बजैया
बिनु आहाँ जियल नै जाइया

कोना बिसरल छी ………..

आहाँ मात्र भाव के भूखल
चोरी कय खेलौ माखन
गोपियन संग रास रचैया
बिनु आहाँ जियल नै जाइया

कोना बिसरल छी ………..

आहाँ कुबरी के केलौ उद्धार यौ
करू हमरो त बेरा पार यौ
आहाँ के देखय लय नैन तरसैया
बिनु आहाँ जियल नै जाइया

कोना बिसरल छी ………….
बिनु आहाँ ………………
हमर जीवन ……………..
आहाँ पार ………………।

डॉ.प्रतिभा स्मृति
दरभंगा (बिहार)

Related Articles