Search

शाश्वत मिथिला केर नव कार्यकारिणी समिति गठित

18 अक्टूबर 2020 । मैथिली जिन्दाबाद!!

गुजरात केर अहमदाबाद में सक्रिय शाश्वत मिथिला सामाजिक सांस्कृतिक संगठन केर नव कार्यकारिणी समिति ऐगला 2 वर्ष कार्यकाल वास्ते गठित करबाक घोषणा कयल गेल अछि।

घोषणा स्वतः वर्णनीय अछि –

।। जय मिथिला।। ।। जय मैथिली।।

*विषय:शाश्वत मिथिलाक नव कार्यकारिणीक गठन।*

शाश्वत मिथिलाक विधानानुसार कार्यकारिणीक कार्यकाल दू वर्ष राखल गेल अछि। संगहि एकर प्रावधान अछि जे एक व्यक्ति लगातार दू टर्म अध्यक्ष नहि रहि सकताह । कार्यकाल समाप्त होइतहि श्री नीरज कुमारजी अगिला कार्यकारिणीक गठन हेतु जिम्मेवारी पूर्वक प्रयासरत छलाहा जकर बैसार आई संभव भ’ सकल।

श्रीमान ललित कुमार झाजी (व्यवसायी छथि) सर्वसम्मतिसँ अगिला दू वर्ष लेल शाश्वत मिथिलाक अध्यक्ष चयनित भेलाह। शाश्वत मिथिलाक शुरुआती दिनसँ जुड़ल रहलाह अछि आ हुनक योगदान सामाजिक काजमे बहुत सराहनीय रहल अछि।

नव समितिमे श्री विधान झाजीकेँ उपाध्यक्ष, श्री राज कुमार पाठकजीकेँ महासचिव आ श्री संतोष मिश्रजीकेँ कोषाध्यक्षक जिम्मेदारी सौंपल गेल।

निवर्तमान अध्यक्ष श्रीमान नीरज कुमारजीकेँ मिथिला भवन निर्माण समितिक अध्यक्ष मनोनीत कएल गेल। हिनक सहयोगी रहताह श्री प्रवीण झाजी, संतोषजी, राज किशोरजी। अन्य सदस्यक नाम चर्चोंपरांत जोडल जेतन्हि।

समितिमे संरक्षण समिति पर चर्चा सेहो भेल। नव समिति अगिला किछु सप्ताहमे नाम तय करताह।

आऊ पूर्व समितिक शानदार कार्यकाल हेतु धन्यवाद दैत नव समितिकेँ अभिनन्दन आ बधाई दी। आशा करैत छी जे शाश्वत मिथिलाक प्रतिबद्धता मिथिला-मैथिलीक विकास हेतु प्रगाढ़ होईत रहत।

समस्त समाजकेँ सहयोग आ स्नेह हेतु आभार आ आगू अपने सबहक संग मिलीजुलि क’ बेहतर सामाजिक काज करैत रहब। अपनेक शाश्वत स्नेह बनल रहय 🙏

धन्यवाद।

Related Articles