विराटनगर, 11 अक्टूबर 2020 ।
विराटनगर सँ प्रकाशित मैथिली मासिक पत्रिका मिथिला टाइम्स केर ग्राहक एहि महानगर में बढ़ेबाक जरूरत पर जोर दैत सम्पादक प्रकाशक रामरिझन यादव द्वारा विभिन्न संस्था पर भार वहन लेल अनुरोध कयल गेल अछि।
विराटनगर में लगभग 30 वर्ष बाद पुनः प्रकाशन होबय लागल मैथिली मासिक ‘मिथिला टाइम्स’ केर सम्पादक प्रकाशक श्री रामरिझन यादव जी द्वारा मैथिली भाषा संस्कृति लेल कार्यरत विभिन्न संस्था संग संचारकर्म में लागल मैथिल अगुआ लोकनि संग एक अंतर्क्रिया कार्यक्रम कयलनि।
मैथिली एसोसिएशन नेपाल दिश सँ अध्यक्ष प्रवीण नारायण चौधरी, महासचिव राजेश झा, सचिव वीरेन्द्र कुमार साह, युवा संचारकर्मी शिवम मिश्र प्रशांत, सन्तोष मेहता, अम्बिका चौधरी व वरिष्ठ संचारकर्मी एवं नागरिक एफएम केर संचालक अरविन्द मेहता सहभागिता जनौलनि।
मैथिली विकास अभियान केर अध्यक्ष पंकज वर्मा एवं वरिष्ठ कवि कर्ण संजय, संचारकर्मी नवीन कर्ण केर सहभागिता छल।
मगही भाषा अभियंता हीरालाल साह व श्याम सुन्दर सुतिहार, मैथिली सेवा समिति विराटनगर केर अध्यक्ष डॉ एस एन झा, संस्थापक अध्यक्ष डॉ एस एन मिश्र, महासचिव विपुलेन्द्र झा, कोषाध्यक्ष प्रकाश नारायण झा, सचिव विपिन झा, तहिना मैथिली साहित्यकार शिव नारायण पंडित सिंगल, अपन विराटगढ़ परोपकार समाज केर अध्यक्ष वसुंधरा झा, स्थानीय पत्रकार बैजू ठाकुर, सूर्य नारायण यादव, शंकर यादव सहित आरो महत्वपूर्ण व्यक्ति लोकनिक सहभागिता में मिथिला टाइम्स पत्रिका केँ विराटनगर में बेसी सँ बेसी सब्सक्रिप्शन लेल अभियान चलेबाक निर्णय कयल गेल।
संगहि मिथिला टाइम्स पत्रिका केँ स्थानीय स्तर पर लोकप्रिय बनेबाक लेल, पठनीयता बढ़ेबाक लेल आ घर घर पहुँचेबाक लेल बहुत रास सुझाव व आपसी मशवरा कयल गेल। सब संस्था अपन अपन योगदान देबाक प्रतिबद्धता जनौलनि।

1 Comment
Back ground black kareke option hoyat tab jyada nik hoyat sir.