२३ अगस्त २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!
काल्हि २२ अगस्त २०२० दहेज मुक्त मिथिला फेसबुक समूह पर एकटा सर्वेक्षण कयल गेल। एहि सर्वेक्षण मे मिथिलाक गाम आ जिलाक लोकक बीच एकटा समन्वय स्थापित करबाक मुख्य अभिप्राय अछि। ओना आजुक समय मे मिथिला सांस्कृतिक-भाषिक तौर पर दुइ देशक सीमा मे पंजाब, बंगाल आ तमिल जेकाँ विभाजित अछि। लेकिन भारत आ नेपाल केर बीच खुल्ला सीमाना एवं आइ धरि विवाह सम्बन्ध सामान्य रूप सँ निरन्तरता मे रहबाक कारण एकटा अलग विशिष्टता कायम अछि। मिथिला अहु पार मे, मिथिला ओहु पार मे, विभिन्न जाति-समुदायक साझा फुलबारी केर रूप मे शोमायमान अछि। जहिना एतुका लोकसंस्कृति अदौकाल सँ वेद अनुसार चलबाक बात कहल जाइत अछि तहिना आइयो भूगोलविहीन मिथिला अरूपो रहैत रूप मे कायम अछि तेकर जीवन्त प्रमाण थिक ई सर्वे। एखन करीब २४ घन्टाक अवधि मे एक बन्द समूह केर लगभग २८००० सदस्य बीच करीब ४०० गोटे अपन परिचय दय चुकला अछि। एहि सहभागिता मे मिथिलाक्षेत्रक लौकिक परिचय प्राप्त होइत अछि। आइयो जतय मिथिला जीबित अछि, जाहि ठामक लोक मे जनक-जानकी प्रति पूर्ववत् लगाव छन्हि से स्पष्ट अछि। सीधे फेसबुक सँ कौपी कय केँ एतय पेस्ट कय रहल छीः
दहेज मुक्त मिथिला सर्वे २०२०
एहि अभियानमूलक समूह पर मिथिलाक कोन-कोन जिला तथा भारत व नेपाल कतय सँ छी, कृपया अपन ‘गाम आ जिला’ केर बारे मे जानकारी उपलब्ध कराउ, आर आइ करीब २४ घन्टा मे जाहि तरहक सैम्पल आयल अछि तेकर आधार पर किछु तथ्यांक जारी कयल जा रहल अछि।
१. एखन धरि कुल सहभागी – ३४७ जन
२. भारत सँ ३०९ जन, नेपाल सँ ३८ जन
३. भारतीय मिथिला केर जिलावार सहभागिता – अररिया – ४ बैशाली – १ बेगूसराय – २ भागलपुर – ३ दरभंगा – 87 कटिहार – २ खगड़िया – १ मधेपुरा – २ मधुबनी – १५८ मोतिहारी – १ मुजफ्फरपुर -५ पूर्णिया – ४ सहरसा – १२ समस्तीपुर – ३ सीतामढी – १७ सुपौल – ७
४. नेपालीय मिथिलाक जिलावार सहभागिता – धनुषा – १७ झापा – १ महोत्तरी – ३ मोरंग – ३ सप्तरी – ७ सर्लाही – २ सिरहा – ४ सुनसरी – १
५. भारतीय मिथिला सँ – महिलाक सहभागिता संख्या – ९४ आ पुरुषक सहभागिता संख्या – २१५
६. नेपालीय मिथिला सँ – महिलाक सहभागिता संख्या – १० आ पुरुषक सहभागिता संख्या – २८
सर्वेक्षणक खोज पर प्रकाश देबाक प्रक्रिया जारी अछि!!
दहेज मुक्त मिथिला सर्वे २०२०
भारत सँ ८३ – भारतक जिलावार सहभागिताः अररिया – १ दरभंगा – २९ मधुबनी – ४१ मुजफ्फरपुर – १ पटना – १ सहरसा – १ समस्तीपुर – ३ सीतामढी – ५ सुपौल – १ तथा कुल महिला – ४७ पुरुष – ४६
नेपाल सँ ११ – नेपालक जिलावार सहभागिताः धनुषा – ६ महोत्तरी – १ परसा – १ सप्तरी – १ सिरहा – २ तथा कुल पुरुष – १० महिला – १
दुइ दिनक कुल सहभागिताः ३४७ + ९४ = ४४१
भारत केर कुल सहभागिताः ३०९ + ८३ = ३९२
नेपाल केर कुल सहभागिताः ३८ + ११ = ४९
भारत सँ जिलावार सहभागिताः अररिया – ५, बैशाली – १, बेगुसराय – २, भागलपुर – ३, दरभंगा – ११६, कटिहार – २, खगड़िया – १, मधेपुरा – २, मधुबनी – १९९, मोतिहारी -१, मुजफ्फरपुर – ६, पटना – १, पूर्णिया – ४, सहरसा – १३, समस्तीपुर – ६, सीतामढी – २२, सुपौल – ८ ।
नेपाल सँ जिलावार सहभागिताः धनुषा – २३, झापा – १, महोत्तरी – ४, मोरंग – ३, परसा – १, सप्तरी – ८, सर्लाही – २, सिरहा – ६, सुनसरी -१
भारत सँ कुल पुरुष केर सहभागिता – २१५+४६ = २६१, कुल महिला केर सहभागिता – ९४+४७ = १४१
नेपाल सँ कुल पुरुष केर सहभागिता – २८+१० = ३८, कुल महिला केर सहभागिता – १०+१ =११
जागरुक जनता जे दहेज मुक्त मिथिलाक सदस्य छथि ताहि मे सब सँ टौप पर – भारत मेः
१०. मधेपुरा, कटिहार, बेगूसराय
११. बैशाली, खगड़िया, पटना
हरिः हरः!!