चांदनी झा केर हत्या या आत्महत्या – दहेज उत्पीड़नक बलि चढल एक आर बेटी (लाइव अपडेट)

३० मार्च २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!!

समय 8:16 PM

एखन तुरंत एक दुखद समाचार भेटल जे दहेजक कारण दिल्लीक बिपिन गार्डेन में एक चांदनी झा नाम्ना बेटीक हत्या ओकर पति द्वारा कय देल गेल…😢

चांदनी झा दहेज हत्याकांड अपडेट, समय 11:58 PM

ई छियैक मेडिकल रिपोर्ट जे कोनो प्राइवेट अस्पताल सँ बनबेलक अछि, स्पष्ट छैक जे एहि में डेट 23 मार्च समय 2.15 अपराह्न लिखल छैक आ सुसाइड देखबैत छैक फाँसी लगाकय, लेकिन घटना काल्हिक थिकैक।

पुलिस डायरी में 29 मार्च एहि केस केँ एंट्री कयल गेल देखबैत छैक। काल्हिए लड़कीक भाइ जे पटना में रहैत छैक ओकरा पुलिस फोन कय मृतक चांदनी झा के छी पुछैत ओकर आत्महत्या सँ मृत्यु के समाचार देलकैक।

स्पष्ट छैक जे एहि घटना में पुलिस सेहो लीपापोती कय रहल छैक। हत्यारा अपना केँ बचेबाक लेल अबैध पर अबैध काज कय रहल अछि।

शुरुआती पूछताछ में पता चलल जे होटल मैनेजमेंट कय दिल्ली में नीक नौकरी करबाक नाम पर करीब 10 लाख टका दहेज केर लय ई विवाह गताते कुटमैती करायल गेल छल। बाद में लड़का दिल्ली सेट आवारा बाप सँ पाय लय मेट्रो लाइफ में आकंठ डूबल नशेड़ी हेबाक बात पता लगलैक। निरन्तर लड़की पर अत्याचार केर रिपोर्ट रहय। हालहि होली दिन घर सँ बाहर कय देबाक घटना सेहो भेल रहय। लेकिन अन्ततः ई दुखद घटना!😢

31 मार्च 2020, समय 6:45 AM

एखन लॉकडौन में लड़कीक माता पिता सब गुआहाटी मे फँसल छथि, ओ सब आबथि त कोना….😢

लड़कीक मामा लोकनि सेहो अत्यन्त दुःखी आ आक्रोशित लेकिन मुम्बई में सब कियो….. 😢

लड़कीक एक चाचा सह मौसा टेक्नाथ बाबू जे कि एहि मामिला लेल सोशल मीडिया केर सहारा लेलन्हि, ओहो मुम्बई में फँसल छथि…..😢

दिल्ली में एक श्याम ठाकुर सँ संपर्क कयलनि लेकिन ओहो असगर एहि केस केँ टैकल करय सँ असमर्थ….😢

दहेज मुक्त मिथिला अपील कयलक अछि जे सक्षम सहयोगी आगू आबथि। ओहि क्षेत्र में रहैत छथि सुपरिचित सहयोगी श्री शुभ नारायण झा जे एहि मुद्दा केँ गम्भीरता सँ लेलनि आ अपन वाल सँ चर्चा उठेलनि अछि।

जरूरी छैक आगू कनेक न्याय दिएबाक लेल पुलिस प्रशासन आ दिल्ली सरकार केर सम्बन्धित लोक धरि शिकायत पहुँचेबाक। आगू Nirraj Pathak जी केर माध्यम सँ एहि केस केर उचित धर्मसम्मत न्याय लेल सहयोग समन्वय केर अपील करैत छी। एहि पुनीत संघर्ष में ओ जरूर संग देता। क्षेत्रक एमएलए विनय जी सेहो ध्यान देथि। प्लीज अन्यायी केँ सजा दियाऊ।😢

चांदनी झा दहेज हत्या कांड अपडेट
३१.०३.२०२०.

१. चांदनी झा जिनकर हत्या दहेज उत्पीड़न लेल कयल गेल अछि तिनकर विवाहक ७ वर्ष भऽ गेल छल। बेर-बेर कोनो न कोनो बहन्ने एक साधारण नौकरी करनिहार ससूर सँ एकमात्र बेटी होयबाक कारणे या अन्य लोभे कतेको बेर पाय-कौड़ी आदिक मांग कयल गेल।

२. चांदनी झा केर एक ३ वर्षीय बेटी सेहो अछि, जे एखन घटना उपरान्त दिल्लीक फरीदाबाद मे रहि रहल चाचा-चाचीक पास मे अछि।

३. चांदनीक लाश एखन धरि मर्चरी मे राखल छैक, जे लेबाक लेल चांदनीक चाचा जे आर्मी मे कार्यरत छथि ओ आइ दिल्ली कोनो भांजे पहुँचि रहला अछि।

४. चांदनीक पति संग चाची मिक्की झा बात कयली त ओ लड़कीक शिकायत आ कय तरहक दुर्गुण आदिक आरोप लगबैत रहय, आर आत्महत्या कय लेबाक बात कहलक। लेकिन ओहि सँ कियो सन्तुष्ट नहि भेलथि आर लड़का दोषी अछि यैह आरोप लगबैत पूर्वक घटनाक्रम सब सेहो बतेलनि। यथा होली मे घर सँ बाहर कय देनाय, घरक सीढी पर धक्का दय खसा देनाय, आदि।

५. राजनगर केर बलहाक किछु सम्भ्रान्त कहेनिहार लोक आब आपसी बुझारत कय लेबाक जोर दय रहला अछि, लड़काक पिता पाय-कौड़ीवला कहबैका छथि कहाँ दिना…! डीलर कहाइत छथि से सुनल गेल।

६. गुआहाटी मे Prabhakar Jha (प्रभाकर झा), युवा समाजसेवी लड़कीक माता-पिता सँ भेंट कय उचित परामर्श करैत कानूनी उपचार लेल आगू प्रयास करय जेता।

७. मोहन गार्डेन-बिपिन गार्डेन (उत्तमनगर) केर आसपास रहनिहार वरिष्ठ समाजसेवी एवं फिल्म अभिनेता Shubh Narayan Jha (शुभ नारायण झा) सेहो एहि केसक संज्ञान लेलनि आ अपन वाल सँ चर्चा उठबैत आगाँ कि कयल जाय ताहि पर विचार कय रहला अछि।

८. दिल्ली सरकार सँ नजदीकी रखनिहार हमर भाइ‍-मित्र श्री नीरज पाठक Nirraj Pathak जी केँ सेहो ध्यानाकर्षण कयल अछि। सम्बन्धित थाना आ एसडीएम आदि सँ बात कय एहि केस पर तुरन्त उचित संज्ञान लेबाक लेल माहौल बनेता से अनुरोध कयल अछि।

अपनो सब जे कियो एहि पुनीत कार्य मे एक अवला नारीक हत्या लेल दोषी पर कार्रबाई करबा न्याय दिएबाक संघर्ष मे संग दय सकी, प्लीज आगू आउ।

चांदनी झा दहेज हत्याकांड अपडेट

31 मार्च 2020, 10:50 AM

मृतका चांदनी झा केर माता-पिता, मामा आ ग्रामीण संग भेंट कय गुआहाटी में सान्त्वना देलनि प्रभाकर झा एवं ओमप्रकाश ठाकुर।

चांदनी केर माय आ पिता देलनि बयान जे 28 तारीख बेटी संग बात भेल छलन्हि। बेर बेर टॉर्चर केर शिकायत करितो बेटी संघर्ष करैत रहबाक भरोसा देने रहनि। लेकिन लॉकडौन केर मौका देखि दुष्ट जमाय बेटीक हत्या कय ओकरा आत्महत्या देखेबाक कुत्सित प्रयास करबाक आरोप ओ लगेलखिन।

दिल्ली में रहनिहार प्रवासी मैथिल एवं सामाजिक संस्था सँ न्याय दिएबाक कार्य मे मदति लेल गोहार लगौलनि अछि।

चांदनी झा दहेज हत्याकांड अपडेट

31 मार्च 2020, 3:30 PM

सोशल मीडिया पर चांदनी केर नशेड़ी पति गणपति झा केर अनेकों तस्वीर वायरल भ रहल अछि। बकौल ओकरा चिन्हय वला ई जन्मजात लोफर रहल। चांदनी के माय बापक सीधापन केर लाभ उठा कियो अपने लोक मध्यस्थता कय 5 लाख तिलक आ ओतबे ऊपरी खर्च के भार दय विवाह करेने रहथि।

संलग्न स्क्रीन शॉट सँ स्वतः ज्ञात होइत अछि जे ई आरोपी कतेक शातिर अपराधी अछि।

चाँदनी दहेज हत्याकांड अपडेट,

१ अप्रैल २०२०, ७ः३० बजे भोर

मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत श्रीमती मिक्की झा जानकारी देलनि जे चांदनी झाक चाचा जे आर्मी मे पदाधिकारी छथि, हुनका अन्तिम समय मे वरिष्ठ पदाधिकारी द्वारा दिल्ली जाय भतीजीक लाश रिसिव करबाक लेल छुट्टी ग्रान्ट नहि कयल जेबाक कारण कोरोना वायरस संक्रमण केँ देखबैत आखिरकार ओहो नहि आबि सकलाह। आब चांदनी केँ जेना जिबिते कष्ट छलैक तहिना मरलाक बादो कष्ट हेतैक से सामाजिक स्तर पर किछु कयल जा सकैत होइक त कयल जाय… ई जनतब देल गेलैक। हालांकि सम्बन्धित थानाक कहब छैक जे जा धरि मृतकाक अपन लोक जिम्मेदारी ग्रहण करय लेल थाना मे हाजिर नहि होयत, लाश आन केकरो नहि सौंपल जा सकैत छैक। लाश केँ ता धरि संरक्षित रखबाक लेल मर्चरी सँ फ्रीजर मे राखि देल गेलैक अछि।

१ अप्रैल २०२०, ४ः३० बजे सायंकाल

अखिल भारतीय मिथिला संघ केर पदाधिकारी एवं समाजसेवी पं. कौशल झा द्वारा आवश्यक बातचीत करैत मृतकाक एक अपन सम्बन्धी राघव मिश्र केँ बजाकय थाना मे वार्ता करायल जेबाक बात कहलनि। तहिना नजफगढ मे मृतकाक एक फुफा सेहो भेटलाह अछि। आपसी समन्वय सँ लड़कीक पिता व अन्य परिजन संग बातचीत कय आइ सांझ धरि लाश केर पोस्टमार्टम लेल कार्रबाई आगू बढय, ओ आशा जतेलनि।

हरिः हरः!!