हमहुँ गेबय फगुआ – अपन विराटगढ परोपकार समाज द्वारा मोरंगक कटहरी मे होली मिलन समारोह

८ मार्च २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!

हिन्दू धर्मावलम्बीक महान पर्व होलीक अवसर अप्पन विराटगढ परोपकार समाज द्वारा “हमहुँ गेबै फगुआ” कार्यक्रम श्री जनप्रिय उच्च माध्यमिक विद्यालय कटहरीक प्रांगण मे सम्पन्न भेल अछि। लगभग एक दशक सँ मैथिली-मिथिला लोकसंस्कृति, लोकभाषा एवं कलाकर्म केन्द्रित विभिन्न सांस्कृतिक अभियान मे सक्रिय महिला नेतृ वसुन्धरा झा अध्यक्ष रहलि आयोजक संस्था अप्पन विराटगढ परोपकार समाज द्वारा मिथिलाक लोकपर्व जीतिया, होली, तिला-संक्रान्ति आदिक अवसर पर निरन्तर कोनो न कोनो अभियानमूलक कार्यक्रम आ सेहो आम लोकक विशाल जनसहभागिता मे, महिला लोकनिक विशाल जनसहभागिता मे हमेशा होइत रहल अछि। एहि बेर सेहो कटहरी गाउंपालिकाक कुल ७ वार्ड मे सँ केवट, राजवंशी, थारू, पासमान, आदि विभिन्न जातीय समुदायक सहभागिता मे होली पाबनिक अवसर पर शुभकामना आदान-प्रदान करबाक कार्यक्रम कयल गेल।

महाकवि कोकिल विद्यापतिक तस्वीर पर अबीर चढबैत दीप प्रज्वलनक संग प्रमुख अतिथि पूर्व सभासद उषा यादव द्वारा उपरोक्त कार्यक्रमक उद्घाटन कयल गेल। एहि अवसर पर अध्यक्षता समाजसेवी नीतू कामत कय रहल छलीह, जखन कि विशिष्ट अतिथिक रूप मे मैथिली एसोसिएशन नेपालक अध्यक्ष प्रवीण नारायण चौधरी, वरिष्ठ राजनीतिक-सामाजिक अभियन्ता रामचन्द्र यादव, समाजसेवी राधे कामत, शिक्षाविद् विजेन्द्र कुमार सिंह, शिक्षाविद् एवं प्रधानाध्यापक भीम राजवंशी, अप्पन ब्राह्मण समाजक प्रतिनिधि अमर झा, भोजपुरी-हिन्दी कवियित्री पुजा बहार, महिला अभियानी भाग्येश्वरी झा, आभा अनुपमा, सरिता कामत, वरिष्ठ संचारकर्मी वरुण मिश्र एवं माला मिश्र, समाजसेवी ललन झा, रंजू झा सहित आरो बहुत गणमान्य लोकनिक उपस्थिति छल।

होली पाबनिक माहात्म्य पर प्रकाश देबाक संग-संग उपस्थित अतिथि लोकनि शुभकामना मन्तव्य सेहो रखने छलथि। संगहि गायिका कविता मेहता, सुशील मुडियारी, शान्तिवती माझी, ममता राजवंशी, अञ्जला मंडल द्वारा विभिन्न गायन प्रस्तुत कयल गेल छल। एहि अवसर पर क्रीमशन पब्लिक स्कूलक छात्र-छात्रा द्वारा होली खेलाइत नृत्य प्रस्तुत कयल गेल छल। सांस्कृतिक कार्यक्रमक संचालन कयनिहार प्रकाश प्रेमी द्वारा बीच-बीच मे हास्य-प्रहसनक फुहाड़ सेहो छोड़ल जाइत रहल। कार्यक्रम मे होलीक शुभकामना देबाक संग वक्ता लोकनि मातृभाषा, संस्कृति आ शिक्षाक संग कलाक प्रसार पर सेहो जनजागृतिक आह्वान कयलनि।

एहि अवसर पर समाजसेवी रामचन्द्र यादव सहित अन्य महत्वपूर्ण व्यक्ति लोकनिकेँ सम्मान पत्र सेहो प्रदान कयल गेल। हिन्दी-भोजपुरी कवियित्री पूजा बहार केँ सेहो सम्मान कयल गेल छलनि। संगहि हुनकर लिखल पोथी “मैं गुमनाम सी” केर लोकार्पण कयल गेलैक। आभा फाउन्डेशनक संचालिका आभा अनुपमा द्वारा हाल पसैर रहल कोरोना वायरस केर त्रास पर दर्शक-श्रोता केँ बचाव केर उपाय पर प्रकाश देल गेल छल। उपस्थित जनसमूह मे सँ कतेको महिला कलाकार लोकनि अपन-अपन गीत आ हास्यक प्रस्तुति देने छलीह। एहि अवसर पर कटहरी क्षेत्रक करीब एक दर्जन महिला नेतृ सब केँ अबीर लगाकय विशेष सम्मान प्रदान कयल गेलनि। मंच संचालनक कार्य राजेश झा एवं वसुन्धरा झा मिलिकय कएने छलथि।