तिलाठी, सप्तरी। ४ मार्च २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!!

सान्त्वना पुरस्कार मनिषा कुमारी मण्डल केँ प्रदान कयल गेल। गायन क्षेत्र मे उभरैत दुइ बाल-प्रतिभा इन कुमारी मण्डल आर शान्ति शर्मा केँ सेहो गायन क्षेत्र मे आरो बेसी नीक कार्य करबाक लेल प्रोत्साहन स्वरूप पुरस्कार प्रदान कयल गेल। सामूहिक रूप सँ ई निर्णय कयल गेल जे एहि संस्थाक अगुवाई मे तिलाठी-कोइलाडी गाउँपालिका अंतर्गत सब वार्ड मे दहेज प्रथा एवं बाल विवाहक विरोध मे जनचेतनाक प्रसार कयल जायत, एहि लेल वांछित सहयोग लेल आम जनता सँ अपील कयल गेल।
विदित हो जे हालहि गठित दहेज मुक्त मिथिला – तिलाठी-कोइलाडी शाखा मे बबलू मिश्र, अध्यक्ष – सुलोचना देवी, उपाध्यक्ष – सुनील कुमार मिश्र, सचिव – नौशाद खातुन, सह-सचिव – निराजन सिंह, कोषाध्यक्ष - जानकी देवी, सदस्य – कल्पना देवी, सदस्य – प्रियंका कुमारी झा, सदस्य – रूबी पाठक, सदस्य – शान्ति देवी, सदस्य – सुनीता सिंह, सदस्य - सलाहकारः श्रीमती करुणा झा, श्री प्रवीण नारायण चौधरी, श्री शम्भु प्रसाद चौधरी सहितक शाखा कार्यकारिणी बनायल गेल अछि। दहेज प्रथा सँ जुड़ल कोनो समस्या वा समाधान लेल एहि संस्था द्वारा यथोचित सहयोग कयल जायत, अध्यक्ष बबलू मिश्रा कहलनि।