दहेज मुक्त मिथिला – दसम वर्ष मे दस कार्य पूरा करबाक संकल्प लेल आह्वान

दसम वर्षक आरम्भ – दहेज मुक्त मिथिला निर्माणार्थ १० संकल्प
 
सर्वप्रथम एहि समूह मे सक्रिय समस्त सुसभ्य, सम्भ्रान्त, सौम्य, सुन्दर आ सज्जनवृन्द लोकनि, खासकय मिथिलानी समाजक कतेको जानल-मानल हस्ती लोकनि, अपने सब केँ प्रवीणक प्रणाम!
 
३ मार्च २०२० – स्थापनाक ९म वर्षगाँठ बीतल। आब दसम वर्ष मे १० नव कार्य लेल सुझाव दी। दहेज मुक्त मिथिला निर्माणार्थ १० टा कार्य जे हम सब विभिन्न स्थान पर पूरा करबाक प्रयास करब, तेकर सूची बनाबी।
 
नव सदस्य जे ई संकल्प लेने होइ कि ‘हम मांगरूपी दहेज नहि लेब नहि देब, अपन धियापुता मे सेहो नहि लेब नहि देब, एहेन दहेज मांगिकय विवाह कयनिहार ओतय विवाह उत्सव मे सहभागिता सेहो नहि देब’, ओ जरूर जुड़ि सकैत छीः https://www.facebook.com/groups/dahejmuktmithila/
 
हमर विचार अछि जे निम्न १० काज जरूर हुअय –
 
१. विभिन्न स्थान पर छोट-छोट कार्यसमूह बनय। व्हाट्सअप ग्रुप बनय। बेसी सँ बेसी लोक जुड़थि। बेसी सँ बेसी वैवाहिक परिचय संकलन हुअय। आपस मे समन्वय करैत सब समूह बीच परिचयक आदान-प्रदान सेहो हुअय।
 
२. सक्षम सदस्य द्वारा गाम मे एकटा निगरानी समिति गठन करबाक प्रयास कयल जाय। एहि निगरानी समिति मे मुखिया, सरपंच, वार्ड काउन्सिलर, सर्वजातीय-सर्वसामुदायिक सहभागिताक किछेक महिला व पुरुष सदस्य सहितक कार्यदल बनय। समितिक एक गोट संयोजक बनथि। हुनकर नम्बर सार्वजनिक कयल जाय जाहि सँ दहेज सँ जुड़ल कोनो शिकायत अथवा समस्या पर हुनका आवेदन देल जाय आर तदनुसार निगरानी समिति द्वारा समुचित सामाजिक, कानूनी उपचार वास्ते सुझाव आ सहयोग देल जाय। संगहि हरेक निगरानी समिति द्वारा ओहि गाम-पंचायत मे भऽ रहल विवाह केँ सूचीकृत कयल जाय, गुप्तरूप सँ पता कय केँ दहेजक मांग भेलैक वा नहि, तेकरो उल्लेख पंजियन पुस्तिका मे जरूर कयल जाय। एहि तरहें संकलित रिपोर्टक आधार पर दहेज मुक्त विवाह कयनिहार केँ सम्मानित आ दहेजक प्रथा केँ पोषण देनिहार केँ उचित शिक्षा जरूर देल जाय।
 
३. प्रत्येक सदस्य द्वारा अपना दिश सँ किछु फ्लेक्स बैनर आदि बनबाकय अपन गाम-इलाका मे अवस्थित सार्वजनिक महत्वक स्थान सब पर लगायल जाय। एहि मे ओ लोकनि अपन फोटो सेहो लगाकय ‘निवेदकः …. हुनकर नाम’ लिखि सकैत छथि। संस्थाक नाम मे सन्देश छैक, बाकी संस्था केँ कोनो तरहक श्रेय (क्रेडिट) आदिक जरूरत नहि, सिर्फ अभियान आगू बढय।
 
क्रमशः….
 
हरिः हरः!!