Search

सप्तरीक तिलाठी-कोइलाड़ी मे दहेज मुक्त मिथिलाक शाखा खुजल

270 भ्यूज

राजविराज, २४ फरवरी २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!!

दहेज मुक्त मिथिलाक शाखा खुजल
 
सप्तरी जिलाक सुप्रसिद्ध विद्वान-भूमि तिलाठी-कोइलाड़ी गाउंपालिका मे श्री बबलू मिश्र केर अध्यक्षता मे दहेज मुक्त मिथिलाक शाखा खुलबाक जनतब संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती करुणा झा करौलनि अछि। अध्यक्ष मिश्रक संग आर १२ गोटे कार्यसमिति मे शामिल कयल गेला अछि। एहिठाम ३ मार्च – दहेज मुक्त मिथिलाक स्थापना दिवस पर एकटा कार्यक्रम सेहो कयल जेबाक निर्णय कयल गेल अछि। एहि कार्यक्रम मे विभिन्न विद्यालयक छात्र-छात्रा बीच दहेज सम्बन्धित विषय पर वक्तृत्वकला प्रतियोगिता करेबाक नियार भेल अछि। एहि अवसर पर दहेज मुक्त मिथिलाक केन्द्रीय कार्यालयक सदस्यक संग अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी एवं दहेज मुक्त मिथिला फेसबुक समूहक सक्रिय संचालिका श्रीमती वन्दना चौधरी सेहो आमन्त्रित कयल गेली अछि। विदिते अछि जे युवा केँ विशेष रूप सँ जाग्रत करबाक पुनीत उद्देश्य सँ संचालित अभियान दहेज मुक्त मिथिला द्वारा मांगरूपी दहेजक प्रतिकार करबाक वास्ते संकल्प लियाओल जाइत अछि, एहि दिशा मे ई कार्यक्रम काफी महत्वपूर्ण होयत। अभियान सिर्फ फेसबुकिया नहि रहय, ताहि लेल जमीन पर आयोजन बहुत आवश्यक अछि। एहि लेल ई शाखा विस्तार आ स्थानीय छात्र-छात्राक बीच मे दहेजक विषय पर वक्तृत्वकलाक प्रतियोगिता सँ अभियान एकटा सार्थक दिशा पाओत, ई बात संस्थापक अध्यक्ष करुणा झा कहलनि। अध्यक्ष बबलू मिश्र द्वारा दहेज विरुद्ध जनजागरण आ क्षेत्रीय अनुगमन तेज कयल जेबाक बात कहल गेल अछि। दहेज लोभी पर विशेष निगरानी लेल अलग सँ समिति बनेबाक लेल सेहो आजुक बैसार मे चर्चा कयल गेल अछि।

Related Articles