दीपक कुमार मैथिल, १२ जनवरी २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!!
मुंबई में भ रहल अछि मैथिला मे रोजगार के जोगार
नासिक महाकुंभ २०१५ मे किछु मुंबई मे रहनिहार मैथिल व्यक्ति आ किछु मैथिल संस्था सबहक बिचार स एकटा एहैन संस्था बनेबाक बिचार भेल जाहि के छत्रछाया मे देशक अत्यधिक मैथिल / मिथिला के नाम पर काज केनिहार संस्था सब एकमंच पर आबि किछु नया करैथ। फलस्वरूप डाक्टर संदीप झा केर संरक्षण आ श्री प्रेमचंद झा के अदय्क्षता मे “मैथिल समन्वय समिति” के स्थापना भेल। स्थापना के तुंरत बाद ५० स अधिक संस्था के सहयोग स मैथिल समाजक कल्याण हेतु अनेकों क्रार्यक्रम के आयोजन जगह जगह भेल, जाहि मे ३ बेर वर-बधू सम्मेलन, समाजिक कार्य वरबधू के डेटा वेबसाइट पर अपडेट, सहित अन्य कार्य निरन्तर भ रहल अछि।
संस्था के संरक्षक मिथिला में रोजगार तथा व्यापार के स्थापना पर हर मंच स जोर देत रहल छैथ, संदीप युनिवर्सिटी के सिजौल, मधुबनी मे स्थापना, तथा वाटसन स्कुल ग्राउंड मे ऐतिहासिक क्रार्यक्रम, बाढि पीड़ित के मदद, मुंबई मे मेधावी मैथिल बच्चा के धीरज प्रतिभा सम्मान के निरंतर सफलता के बाद आगमी १६ फरवरी २०२० क नवी मुंबई के वाशी मे एकटा “बिजनेस कन्क्लेव” के आयोजन भ रहल अछि, जाहि मे २००+ मैथिल तथा अन्य बिजनेसमेन स B2B बात करबाके, व्यापार करबाके, व्यापार सिखबाके, तथा मैथिल के नौकरी से इतर लघु, सुक्ष्म एवं भारी उद्योग मिथिला मे लगेबाक विषय पर चर्चा मुख्य अछि।
संगही ५० टा स्टाल लगा क प्रर्दशनी सेहो लगाऔल जायत
एहि कार्यक्रम के आयोजन हैतु नासिक, मधुबनी, सुरत सहित मुंबई के बहुतो उपनगर मे लगातार मैथिलगण संस्था एवं व्यापारिक समुह सब से बैसारक दौर जारी अछि, जाहि मे संस्था के अध्यक्ष, संरक्षक के संग कमल झा, पंकज झा एवं अन्य राष्ट्रीय तथा उपनगरीय शाखा के सदस्य लोकनिक अथक मेहनत अछि।
आशा अछि मिथिला समाजक उत्थानक दिशा मे एहि महान कार्य मे देश के आने राज्य आ मैथिलक सहभागिता सेहो रहत । आयोजक संस्थाक देश भरिक संस्था आ विशेष रूप सँ व्यापार-प्रतिष्ठान केर संचालक सब सँ एहि अवसर केर लाभ लेबाक अपील कयलनि अछि।

3 Comments
बहुत निक,हमर एक टा विचार ई छै जे मिथिला जिन्दाबाद समाचार पत्र Online available छै ई समाचार पत्र hard copy में प्रकाशित कैल जायत त हम मैथिली भाषा वाला के समाचार पत्र pपढ़े में निक hoyat पूरा मिथिलांचल में ई hoyek चाही जय मिथिला जय मैथिली जय जानकी 🙏
मैथिली भाषाक प्रति दुर्भावना राखय वला राज्य जा धरि एहि दिशा मे सद्भावना राखि सरकारी खर्चा पर किछु प्रकाशन मे सहयोग नहि करत ता धरि ई संभव नहि बुझाइत अछि भोला भाइ! तथापि, अहाँक भावना बड नीक लागल। जानकी जी सँ प्रार्थना जे हमरो सब मे सामर्थ्य देथि। एखन एतबहि! दिल्ली सँ १५ दिन पर हार्ड कौपी प्रकाशित करेबाक प्रयास कयल। मुदा सब्सक्रिप्शन तक के पैसा लोक नहि पठेलाह। कि कहू! कतेक कहू!!
मैथिली समन्वय समिति के अनेकानेक बधाई तथा शुभकामना। मिथिला क्षेत्रमे रोजगार विशेषतः स्वरोजगारक हेतु भ’ रहल प्रयास अत्यंत अनुकरणीय एवं सराहनीय अछि । मिथिला के जय हो मैथिलक जय हो ।