जीतिया पर्व समारोह आब लोकोत्सव केर रूप मे परिणति पाबि रहल अछि

विराटनगर केर टोल-टोल सँ कलश यात्रा सहितक जीतिया महोत्सव पूरा भेल

२१ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला जनसमुदाय द्वारा घरे-घर केर सीमा मे बान्हल जीतिया पाबनि मनेबाक परम्परा केँ सार्वजनिक उत्सवक रूप मे मनेबाक नव परम्परा केँ पहिल-पहिल शुरू करनिहाइर मिथिलानी वसुन्धरा झा द्वारा ८म बेरुक जीतिया पर्व समारोह भव्यताक संग मनायल गेल। आम जनसमुदाय – आम समाज संग सामूहिकताक प्रदर्शन करैत जीतिया पाबनि मनेबाक प्रथा आरम्भ करनिहाइर व्यक्तित्व वसुन्धरा झा केर अगुवाई मे काल्हि २० सितम्बर २०१९ शुक्र दिन विराटनगरक महेन्द्र मोरंग कैम्पसक परिसर मे अत्यन्त भव्य समारोहक आयोजन सम्पन्न भेल। एहि आयोजनक अध्यक्षता दहेज मुक्त मिथिला सहित विभिन्न महिला केन्द्रित भाषा-संस्कृति अभियानक स्थानीय नेतृ वंदना चौधरी कयलनि। संयोजिका आ समस्त आयोजनक सम्पूर्ण जिम्मेवारीक निर्वहन करनिहाइर वसुन्धरा झा जे आयोजक संस्था अपन विराटगढ परोपकार समाजक अध्यक्षा सेहो थिकीह, संगहि एहि संस्थाक सलाहकार एवं कार्यकारी प्रमुख राजेश झा केर अगुवाई मे ई आयोजन पूर्ववत् भव्य आ सफल रहल। एहि वर्षक आयोजनक सफलताक स्वरूप किछु एहेन छल जाहि सँ कहि सकैत छी जे ई मात्र समारोह नहि बल्कि एकटा ‘लोक उत्सव’ जेकाँ सिद्ध आ प्रसिद्ध भेल।

जीतिया पर्व समारोह २०७६ – संस्थापक वसुन्धरा झा केर अगुवाई मे ८म समारोह सफलताक नव-नव इतिहास रचि रहल अछि, भव्यताक नव-नव अध्याय आरम्भ कय रहल अछि। एहि वर्ष कम सँ कम आधा दर्जन महिला टोली द्वारा विराटनगर केर नगर-परिक्रमा करैत अपन मिथिलाक विशेष परिधान मे कलश सहितक यात्रा करैत एहि लोकोत्सव मे सहभागिता जनायल गेल। मैथिली गीत-संगीत गबैत सामूहिक जुलूस आ झाँकी संग नगर परिक्रमा करैत महिला लोकनिक टोली कार्यक्रम स्थल पर आबि अपन-अपन कलश केँ जीतिया पर्व समारोहक विशाल मंच केर अग्रभाग मे स्थापित कयलीह। तहिना जीतिया पाबनिक विशेष चढावाक संग सजायल गेल चंगेरा सहितक झाँकी सेहो नगर परिक्रम करैत सभास्थल पर आबि मंच पर अपन-अपन डाली सजौलनि। कलश यात्राक अगुवाई करनिहाइर विराटनगर केर वडा नंबर ८ सँ महेश्वरी साह आ फूलो दास, वडा नंबर ८ केर दोसर टोली विश्वकर्मा चौक सँ श्यामकला ठाकुर एवं सेवकीदेवी पासमान, वडा नंबर ७ सँ रीता देवी साह तथा अनिता मंडल, वडा नंबर ६ सँ रीतू कामत, सुशीला पासमान आ अनिता राय, तहिना वडा नंबर २ सँ सुशीला कामत आर शिवादेवी कामत, वडा नंबर १३ सँ विमला पोद्दार, प्रभा देव तथा कोशल्या यादव व वडा नंबर १२ सँ अमला पंडितक अगुवाई मे सैकड़ों आम महिला लोकनि कलश लय केँ उपरोक्त लोकोत्सव मे सहभागिता देलनि। एहि दृश्यक सुन्दरता केँ शब्द मे वर्णन करब असंभव अछि, मानू एना लागि रहल छल जेना साक्षात् देवलोक अपन दल-बलक संग धरती पर उतरि एलाह अछि।

कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि विराटनगर महानगरपालिकाक प्रमुख (मेयर) भीम पराजुली छलाह। मैथिली भाषा मे अपन संबोधन करैत नगरवासी मे अपन भाषा, संस्कृति आ समाज केँ एकजूट बनेबाक लेल जीतिया पाबनि पर राखल जा रहल समारोह लेल हृदय सँ गदगद वाणी मे आभार जतबैत ओ कहलखिन जे आइ १० वर्ष सँ निरन्तर ई आयोजन जन-जन केर मन मे नव विश्वास आ जागरुकता प्रसार कय रहल अछि। अपन भाषा आ संस्कृति प्रति एहि तरहक जनजागरण मे लागल प्रत्येक अभियानी आ समाजसेवी केँ जतेक धन्यवाद कयल जाय ओ कम होयत। विराटनगर महानगरपालिक एहि तरहक अभियान मे तन, मन आ धन सँ संग रहबाक वचनबद्धता सेहो ओ प्रकट कयलनि। प्राथमिक शिक्षाक सिलेबस मे नेपाली भाषाक अतिरिक्त संस्कृत आ मैथिली भाषा मे सेहो पाठ्य-सामग्री उपलब्ध करेबाक काज महानगरपालिका सँ प्रक्रिया मे रहबाक जनतब दैत ओ कहलनि जे आगामी समय मे एहि तरहक आयोजन केँ आरो जमीन पकड़ेबाक लेल विशेष बजट प्रावधान कयल जायत जाहि सँ अशिक्षा, गरीबी, बेरोजगारी आ दहेज प्रथा जेहेन आरो कतेको रास सामाजिक कूरीति सँ जन-जन केँ मुक्ति दियाओल जा सकत। आयोजक अपन विराटगढ परोपकार समाज द्वारा साल भरि अनेकों तरहक अभियान लेल सहयोग करैत एबाक सम्बन्ध मे तथा एहि तरहक आरो कतेको अभियानकर्ता लोकनि प्रति आभारक भाव मे ओ सभक नाम लैत धन्यवाद ज्ञापन कयलनि।

नेपालक सब सँ प्राचीन उद्योग-वाणिज्य संघ “मोरंग व्यापार संघ” केर अध्यक्ष एवं उद्योगपति प्रकाश मुन्धड़ा जिनका एहि वर्षक समारोह द्वारा विशिष्ट सहयोगीक रूप मे सम्मान सेहो प्रदान कयल गेलनि, ओ अपन ओजपूर्ण संबोधन मे कहलखिन जे धर्म-कर्म मे आगू रहल मैथिली समुदाय आर ताहू मे महिला समुदाय द्वारा कयल जा रहल एहि तरहक अनुपम आयोजन केर सहयोगी बनबाक अवसर भेटला सँ ओ काफी प्रसन्न छथि, ओ आगुओ एहि तरहक अभियान मे हर तरहें मदति केर हाथ बढौने ठाढ रहबाक वचन देलनि।

वरिष्ठ समाजसेवी तथा एहि जीतिया पाबनिक महोत्सव मे हरेक वर्ष विशेष संग-सहयोग देनिहार व्यक्तित्व ताराचन्द खेतान केँ सेहो अति-विशिष्ट सहयोगीक रूप मे सम्मानित कयल गेलनि। ओ अपन ओजपूर्ण संबोधन मे वसुन्धरा झा केर नेतृत्व मे भऽ रहल एतेक पैघ सामान्य जन केर सहभागिता मे समारोह मार्फत अपन भाषा, संस्कृति आ समाज केँ जोड़बाक संग-संग आध्यात्मिकता प्रति सचेतनाक प्रसार लेल भऽ रहल कार्यक सराहना कयलनि। निरन्तर ८ वर्ष सँ अपन उपस्थिति एहि कार्यक्रम मे देबाक आध्यात्मिक लाभ केर प्रत्यक्ष अनुभव जनमानस सँ साझा करैत ओ कहलनि जे ई समारोह नहि केवल उत्सव आ नाच-गान लेल बल्कि अपन भाषा, लोक, मूल्य, मान्यता आ कूरीति सँ समाज केँ दूर करबाक दिशा मे सेहो एकटा मजबूत पहल केर रूप मे स्थापित अछि।

उद्घाटन सत्रक संचालन करैत दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक एवं कार्यक्रमक विशिष्ट अतिथि प्रवीण नारायण चौधरी जीतिया महोत्सवक १० वर्षक यात्रा पर अपन विचार रखैत कहलनि जे ‘मातृभाषा प्रति झुकाव सभक जड़ि विन्दु थिक। एहि विराटनगर मे मातृभाषा सँ जोड़बाक जे पहल विद्यापति स्मृति पर्व समारोह सँ आरम्भ भेल आर ताहि मे महिला केन्द्रित, युवा केन्द्रित, सांस्कृतिक जनचेतना केन्द्रित आर अपन समाजक हर वर्ग ओ व्यक्ति केन्द्रित जाहि परिकल्पना पर जागरुकताक आरम्भ भेल तेकरा बखूबी सम्हारबाक कार्य मे वसुन्धरा झा सहित अनेकों महत्वपूर्ण व्यक्ति सकारात्मक भूमिका निभेलनि। २०६९ साल सँ आरम्भ २०७६ केर ८म आयोजन धरिक स्वरूप पर चर्चा करैत आइ जन-जन धरि ई समाद चलि गेला सँ ई मात्र समारोह नहि बल्कि लोक उत्सव केर रूप मे सिद्ध भऽ रहल अछि। टोल-टोल आ गाम-गाम सँ लैत भारतक राजधानी दिल्ली धरि जीतिया पर महोत्सव आ सामूहिकताक प्रदर्शनक जनचेतना एकटा क्रान्तिक प्रत्यक्ष दर्शन करबैत अछि।

विदित हो जे एहि विशाल आयोजन मे माला मिश्रा, प्रवीण नारायण चौधरी, स्वयं वसुन्धरा झा, राजेश झा एवं विशेषज्ञ उद्घोषक प्रकाश प्रेमी आ राधा मंडल द्वारा लगातार ७ घंटा धरि मंच संचालन कयल गेल छल। लेकिन विस्मित-चकित करयवला बात ई अछि जे एहि ७ घंटा मे सेहो सम्मान, सहभागिता, आसन ग्रहण आ अतिथिक नाम लैत कृतज्ञता प्रकट करबाक कार्य जारी रहल। ई संयोजिका वसुन्धरा झा केर विशाल हृदय आ समाजक निम्नवर्ग, पिछड़ा, दलित आ वंचित समुदाय केँ जोड़बाक खासियत कहल जा सकैत अछि। मंचक मर्यादा भले भंग होइत अछि मुदा यैह सब केँ समेटबाक अन्दाजक कारण ई एकटा बन्द सभागारक आयोजन सँ आब खुल्ला मैदान मे दसों हजार लोकक जनसहभागिता वला कार्यक्रम बनि सकल अछि।

उप-प्रमुख इन्दिरा कार्की द्वारा दीप प्रज्वलन सँ आरम्भ भेल एहि समारोह मे गायक वीरेन्द्र झा केर भैरवि वन्दना आ भगवान् झा केर भगवती गीत, प्रीति झा-माला मिश्रा आ संगी सभक सामूहिक गायन मे स्वागत गीत प्रस्तुत भेल। राजेश झा द्वारा स्वागत मन्तव्य राखल गेल। शुभकामना मन्तव्य मे राजनीतिक-सामाजिक अभियन्ता तेजलाल कर्ण, शुची चौधरी, सरिता साह, पूनम सिंह, डा. एस. एन. झा, रंजू झा, प्रीति झा, आदिक सहभागिता रहल। विशिष्ट अतिथिक तौर पर विराटनगर महानगरपालिकाक उप-मेयर इन्दिरा कार्की, दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी, मैथिली सेवा समितिक अध्यक्ष डा. एस. एन. झा, हिन्दुस्तान दैनिक पत्रिकाक जोगबनी संवाददाता वरुण मिश्र छलाह। तहिना अतिथिक तौर पर नेपाल कांग्रेसक नेतृ पूनम सिंह, धनपाल गाउंपालिकाक उपमेयर नसीमा बानो, नेपाली कांग्रेसक नेतृ विभा दास, प्रमीला थापा संग भाग्यश्री झा, प्रीति झा, मनोरमा देव, ममता कर्ण, मिन्टू झा मिश्रा, कमलेश कर्ण, जीतेन्द्र देव, आदिक उपस्थिति छल।

एहि आयोजन द्वारा विशेष सहयोग आ संग देबाक लेल सम्मानित कयल गेलाह – ताराचन्द खेतान, प्रकाश मुन्धड़ा, विराटनगर महानगरपालिका, दिव्यज्योति अस्पताल (कमलेश कर्ण), न्युरो अस्पताल (रेणुका राठी), ज्येष्ठ नागरिक सम्मान (महिला) सत्यालाल कर्ण, विराटनगर १२ केर वडा-अध्यक्ष हिरालाल कामत, विराटनगर ६ केर वडा अध्यक्ष एवं मैथिली सिने अभिनेता विजय कामत, गायक वीरेन्द्र झा, गायक भागवत मंडल। तहिना अन्य सैकड़ों सहयोगी लोकनि केँ प्रशंसा पत्र दय केँ सम्मानित कयल गेल छल।

कार्यक्रमक मुख्य आकर्षण रहल सांस्कृतिक प्रस्तुति, एहि लेल आयोजक अपन विराटगढ परोपकार समाज द्वारा संचालित अपन विराटगढ कला केन्द्र केर कलाकार लोकनि मे प्रतिभा झा, सोनी साह, वितिशा कर्ण, सोनी गुप्ता, आयुष्मा निरौला, संतोषी गुप्ता, मधु साह, कोमल झा, लक्ष्मी साह, गौरी राय, वर्षा साह, संध्या कर्ण, ललिता कापरि आदि द्वारा बहुत रास नृत्य केर प्रस्तुति दर्शक लोकनि केँ झुमय लेल बाध्य कय देलकनि। जय जय भैरवि, सामा चकेवा, जट-जटिन, झुम्मर, लोकगीत आदि पर हिनका सभक नृत्य कार्यक्रमक मुख्य आकर्षण सिद्ध भेल। हिमगिरी सोप केर तरफ सँ गिफ्ट हैम्पर तथा आयोजक केर तरफ सँ प्रशंसा पत्र दय सब कलाकार केँ सम्मानित कयल गेलनि। तहिना गौतम बुद्ध स्कूल केर छात्रा सब द्वारा झिझिया नाचक भव्य प्रस्तुति भेल, उप-मेयर इन्दिरा कार्की द्वारा हिनका सब केँ विशेष सम्मान दियाओल गेल छल। भानु कला केन्द्र केर कलाकार तथा नृत्य निर्देशक मनोज राजवंशी व समीक्षा कार्की द्वारा सेहो बहुत आकर्षक नृत्य प्रस्तुत कयल गेल छल। दर्शक केर ताली आ होहकारी केर अम्बार लागि गेल छल। माहौल मे पूरा आनन्दक बरसात भऽ रहल छल।

गायन मे वरिष्ठ गायक वीरेन्द्र झा द्वारा नव-नव स्वादक बहुत रास गीत सब प्रस्तुत कयल गेल छल। नाम हमर छी मैथिल भैया मिथिला हमर गाम यौ – ई गीत गाबि अपन मिथिलाक स्वरूप जे वर्तमान मे नजरि पड़ैत अछि तेकरा ओ प्रस्तुत कयलनि। तहिना मैथिलीक दोसर स्टार गायक एवं अभिनेता भागवत मंडल सेहो अपन विशेष अन्दाज मे दर्शक संग एकाकार भेलाह। ओ जीतियाक विशेष गानक संग अपन लिखल आ काफी हिट भेल कइएक गीत सब श्रोताक सोझाँ परसलनि, अपनहुँ नचलाह, अनीता बैजू व विजय कामत सेहो नचलखिन आर नाचल पूरा जनता-श्रोता-दर्शक। तहिना गायिका निशा पोद्दार, कैलाश झा, प्रकाश अनुराग, भगवान झा आ प्रवीण नारायण चौधरी सेहो अपन गायन प्रस्तुति सँ दर्शक-श्रोताक भरपूर मनोरंजन कएने रहथि। एहि तरहक समारोह केँ लोकोत्सव कहनाय कोनो अतिश्योक्ति नहि होयत। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ आयोजक केँ भरपूर बधाई।