Search

मुम्बई मे मंत्री विनोद नारायण झाक सम्मान, मैथिली भाषाभाषी लोकनि द्वारा देल गेलनि मांगपत्र

१७ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

बीतल रवि दिन आर तदोपरान्त सेहो बिहारक मंत्री विनोद नारायण झा केँ मुम्बई मे विभिन्न मैथिली भाषाभाषी लोकनिक संस्था-समूह द्वारा सम्मान कार्यक्रम कयल जेबाक सूचना अछि। मैथिली समन्वय समितिक प्रवक्ता राजकुमार झा द्वारा पठाओल गेल विज्ञप्ति अनुसार मंत्री विनोद नारायण झा केर सम्मानक संग हुनका मार्फत बिहार सरकार समक्ष किछु मांग सेहो राखल गेल अछि, ताहि लेल एकटा मांगपत्र मंत्री झा केँ देल जेबाक जनतब ओ देने छथि। विज्ञप्तिक उतार निचाँ प्रस्तुत अछिः 

नवी मुंबई । मैथिल समन्वय समिति केर तत्वावधानमे विगत् १० सितम्बर, २०१९ कें नवी मुंबई स्थित राजेन्द्र भवनमे (बिहार मित्र-मंडल) आयोजित भS चुकल सफल अभिनंदन समारोह पुनः इतिहासक सृजन कयलक । अवसर छल बिहार सरकारमे लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग केर कैबिनेट मंत्रीकें विनोद नारायण झा जीकें सार्वजनिक अभिनंदन करब । गरिमामयपूर्ण समारोहमे वरिष्ठ समाजसेवी, विभिन्न मैथिलसेवी संगठन समेत विपुल संख्यामे मैथिल समाजक उपस्थिति एहि बातक शुभ संकेत दS रहल अछि जे समितिक प्रति समाजक झुकाव सकारात्मक आओर रचनात्मक अछि । समिति द्वारा प्रकाशित दिशा-निर्देशिकाकें माननीय मंत्रीजीक कर-कमल सँ विमोचन कयल गेल । बुकलेटमे समितिक गठनक उद्वेश्य, अखन धरि कोन-कोन काज कS चुकल अछि एवम् भविष्यक कार्ययोजनाक संक्षिप्त विवरण समाविष्ट कयल गेल अछि । महत्वपूर्ण जानकारी निर्गत करा रहल छी जे इएह ओ राजेन्द्र भवन थिक जाहिठाम १० जनवरी, २०१६ कें मैथिल समन्वय समितिक गठनक बीज अंकुरित भेल छल जे मकर-संक्रांतिक दिन विधिवत् अस्तित्वमे आयल ।

कार्यक्रमके क्रमशः तीन भागमे बाँटल गेल छल । पहिल भाग अतिथिक सम्मान, बुकलेटक विमोचन, संवादक संवहन दोसर भाग मिथिलाक संस्कृति पर आधारित सुश्री पूजा, विकास झाजी, मोहन सिंहजी द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रस्तुति एवम् तेसर भागमे समारोहक समापनक उपरान्त सुस्वादिष्ट भोजनक उत्तम व्यवस्था । दीप प्रज्वलन एवम् गोसाउनिक गीतक संग विधिवत् कार्यक्रमक शुभारम्भ भेल । समितिक अध्यक्ष प्रेमचन्द्र झा ‘प्रेमजी’ द्वारा समिति द्वारा अखन धरि जतेक सामाजिक कार्य भेल तकर विस्तृत जानकारी उपस्थित महानुभाव लोकनिक समक्ष प्रस्तुत कयल गेल । समिति द्वारा प्रकाशित बुकलेटमे सम्पूर्ण जानकारीके समाहित कयल गेल तत्संबंधित जानकारी सेहो प्रस्तुत कयलनि । बेशी सँ बेशी समितिक सदस्यता ग्रहण करी ताहि लेल आह्वान सेहो कयलनि । वरिष्ठ समाजसेवी एस सी मिश्राजी अपन सम्बोधनमे समितिके यशस्वी बनेबाक आह्वान कयलनि । अपन सम्बोधनमे दिवंगत बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र एवम् सुप्रसिद्घ उद्योगपति दिवंगत संप्रदाबाबूक योगदानकें स्मरण करैत दू मिनट मौन धारण कय श्रद्धांजलि अर्पित करबाक निवेदन कयलनि । युवा उद्योगपति शंकर झाजी अपन सम्बोधनमे मिथिला समाजक समग्र विकासमे व्यक्तिगत योगदान देबाक घोषणा कयलनि । समितिक वरिष्ठ पदाधिकारी एवम् बिहार मित्र मंडलके अध्यक्षा श्रीमती इन्दू धीरजचन्द्र झाजी सभागारमे उपस्थित सम्मानितजनके प्रति आभार व्यक्त करैत मिथिलाक सर्वांगीण विकासमे सहभागिता सुनिश्चित करेबाक इच्छा व्यक्त कयलनि । समितिक संसक्षक परमादरणीय डाॅ. संदीप झाजी उपस्थित सम्मानितजनकें प्रति आभार व्यक्त करैत समिति द्वारा कयल गेल पहिल कार्यक्रम वर-वधू परिचय सम्मेलनक चर्चा करैत कहलनि जे वर्तमान समयमे सम्मेलनके माध्यमें योग्य वर-वधूकें चयन करब कठिन काज नहि । तीन-तीन वर-वधू परिचय सम्मेलन कय विपुल संख्यामे योग्यतानुरूप विवाहक काज सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल । दशवीं एवम् बारहवीं कक्षामे उत्तीर्ण छात्र/छात्राकें प्रोत्साहित करबाक उद्वेश्य सँ अपन पूर्व संयोजक एवम् संस्थापक सदस्य दिवंगत धीरजजीक मधुर स्मृतिमे विगत् तीन वर्ष सँ धीरज प्रतिभा सम्मान समारोह आयोजित करैत आबि रहल अछि । पंचायत स्तर पर सात सूत्रीय कार्यक्रम यथा स्वच्छ गाँव, स्वस्थ गाँव, शिक्षित गाँव, यातायातयुक्त गाँव, विद्युतयुक्त गाँव, रोजगारयुक्त गाँव एवम् तंटामुक्त (फौदारीमुक्त) गाँवके माध्यमें सेवा पथकें प्रशस्त करबाक प्रति गंभीर अछि । अपन उद्बोधनमे एहि वर्ष मिथिलामे उद्योग एवम् रोजगार कोन तरहें सृजित हो एहि लेल मैथिल उद्योगपतिक सम्मेलन आयोजन घोषणा कयलनि । माननीय मंत्री महोदयकें मिथिलासँ संबंधित कतिपय समस्याक समाधानार्थ ग्यारह सूत्रीय ज्ञापण देल गेल ।

माननीय मंत्री महोदय विनोद नारायण झाजी अपन सम्बोधनमे मिथिलाक ऐतिहासिकताकें उल्लेख करैत निराशावादी वर्तमानक विषम स्थितिक उल्लेख कयलनि । वैदिककालिन मिथिलाक सांस्कृतिक दर्शनक व्यापकताके देखि अन्य भाषा-भाषायी लोकके सेहन्ता होइत छन्हि । अनेको अपघात सहन कयला उपरांतहुँ मिथिलाक सांस्कृतिक पहचान यथावत् बनल रहल । मुगलकालीन समयमे सेहो मिथिलाक प्रतिष्ठा यथावत् कायम रहल । ज्ञापणमे उद्घृत विषय पर अपन मनोभाव रखैत कहब छलन्हि जे एहिके माध्यमें समिति मिथिलाक वर्तमानक चिंता करैत अछि । हम पहिने मैथिल छियौं । पद-प्रतिष्ठा बादक विषय अछि । एक मैथिल हेबाक कारणें हमर नैतिक आओर सामाजिक कर्तव्य बनैत अछि जे कतिपय समस्याक समाधानक लेल एकजुटताक संग काज करी । मिथिला-मैथिल-मैथिलीक प्रति जतेक चिंता प्रवासमे कयल जा रहल अछि वस्तुतः जतेक प्रशंसा कयल जाय कम्म अछि । उपस्थित जनसमुदायके प्रति आभार व्यक्त करैत प्रसन्नता व्यक्त कयलनि ।

समारोहमे समितिक पदाधिकारी एवम् सदस्यगण अपन पारम्परिक परिधान लाल कुर्ता, उज्जर धोती-पेंट-पायजामामे सभागारक शोभा वर्धित कS रहल छलाह । ग्यारह सूत्रीय ज्ञापणक वाचन समितिक प्रवक्ता राजकुमार झाजी द्वारा कयल गेल । अनेकों मैथिलसेवी संगठनके प्रतिनिधि समेत वरिष्ठ समाजसेवी यथा अमरनाथ मिश्राजी, एस सी मिश्राजी, प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी, शंकर झाजी, नरसेविका पुतुल रविन्द्र झाजी, डी एन ठाकुरजी समेत अनन्य उपस्थित छलाह ।

सांस्कृतिक कार्यक्रमक मनमोहक कार्यक्रमक भव्य प्रस्तुतिकरण सुश्री पूजा, विकास झाजी एवम् मोहन सिंहजी द्वारा कयल गेल । मंच संचालनक विलक्षण प्रस्तुति प्रकाश झाजी द्वारा भेल । संचालन केर माध्यमें उपस्थित दर्शककें आयोजनक प्रारम्भ सँ समापन धरि मंत्रमुग्ध करैत रहलाह । एवम् प्रकारेण अभिनंदन समारोहकें विधिवत् समापन कयल गेल ।

Related Articles