सङ्गोर मिथिलाक वार्षिक सम्मेलन लहान मे सम्पन्न भेल, गठन कयल गेल नव कार्यकारिणी

लहान, १५ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि भादव २८ गते यानि १४ सितम्बर शनि दिन सिरहा जिला प्रमुख नगर लहान मे मिथिला स्टूडेन्ट यूनियनक नव पंजीकृत संस्था ‘सङ्गोर मिथिला नेपाल’ केर वार्षिकोत्सव एवं साधारणसभा कार्यक्रम हृदय नारायण यादवक अध्यक्षता, राजविराज न.पा. उपमेयर साधना झाक प्रमुख आतिथ्य मे रौनियार सेवा सदन लहान मे संपन्न भेल अछि। पहिल सत्र मे वार्षिकोत्सव आ दोसर सत्रमे साधारण सभाक कार्यक्रम राखल गेल छल । तेजु मैथिलद्वारा गोसाउनिक गीत सँ प्रारम्भ एहि कार्यक्रम मे स्वागत गीत संकल्प वाटिकाक बौवा बुच्ची सभ द्वारा गाओल गेल । तेजू मैथिल आ दिनेश रसियाक स्वागत मंतव्य सेहो राखल गेल छल । शुभकामना मंतव्य मे हिरालाल कर्ण, अर्जुन प्रसाद गुप्ता “दर्दिला”, फिरोज शेख, लहान न.पा. वार्ड न. ६ अध्यक्ष अरुण के.सी , अब्दुर रज्जाक राइन, कुन्दन कुमार कर्ण, माधव कुमार, महेश मेहता, डा. महेन्द्र चौधरी राजविराज सँ आयल अन्तराष्ट्रिय मैथिली परिषदक अध्यक्ष करुणा झा, मैथिली साहित्य परिषद् पुर्व अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्रक मंतव्य प्रस्तुत भेल। ई लोकनि सङ्गोर मिथिला नेपालक सांगठनिक कार्यक संग मातृभाषा आ मिथिलाक संस्कृति-सभ्यता प्रति समर्पित कार्यक्रम लेल भरपूर प्रशंसा कयलनि संगहि नीक भविष्य लेल सहयोग, संग आ समर्थन देबाक वचनबद्धता सेहो व्यक्त कयलनि। एहि अवसर पर सुभाष बिरपुरियाक गीत गायन सँ सम्पुर्ण माहौल संगीतमय बनल रहल।

कार्यक्रम मे सङ्गोर मिथिला नेपालक लहान तथा हनुमाननगर सप्तरीक समितिक सल्लाहकार सभ केँ सम्मान सेहो कयल गेल छल जाहि मे अर्जुन प्रसाद गुप्ता “दर्दिला, अनुपम झा, माधब कुमार, राकेश झा, दिनेश्वर प्रसाद गुप्ता, महेश मेहता, राजेन्द्र मिश्र, फिरोज शेख केर नाम प्रमुख अछि । दोसर सत्रमे सचिव गजेन्द्र गजुर द्वारा कार्य प्रगति पर प्रतिवेदन तथा कोषाध्यक्ष गायत्री सिहं द्वारा आर्थिक प्रतिवेदन प्रस्तुत कयल गेल । फिरोज शेख, अर्जुण प्र गुप्ता, विके चौधरीक गठित निर्वाचन समितिद्वारा मनोनयन प्रक्रिया सँ निर्विरोध नव कार्यसमितिक गठन कयल गेल अछि। जाहि मे अध्यक्ष – शिवशंकर प्रसाद गुप्ता, उपाध्यक्ष – तेजु मैथिल, सचिव – गजेन्द्र गजुर, सह सचिव – रितेश मैथिल, कोषाध्यक्ष – गायत्री सिंह, तथा सदस्य मे मो. आमिन अली, जगिता सिंह, राजेश मंडल, राधा कुमारी दास शामिल छथि।

कार्यक्रममे सहभागी अन्य महत्वपुर्ण व्यक्ति सभ छलाह रामसोगारथ यादव, मोहन कुमार महतो, बेचन महतो, नरेश बरबरिया, पत्रकार महेश सिंह, विनोद कुमार मेहता सहित महोतरी, धनुषा, सिरहा, सप्तरी आ सुन्सरी जिला सँ मैथिली भाषा अनुरागी, साहित्यकार, सङ्गोरक सदस्यसभ कुल ९० गोटा सहभागिता रहल।