विराटनगर, १४ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
भव्य सफलताक संग जीतिया महोत्सवक आयोजन भेल विराटनगर मे
देव महिला समाज द्वारा आयोजित जीतिया महोत्सव भव्य सफल रहल। नेपालक पूर्व नागरिक उड्डयन ओ पर्यटन मंत्री श्री जितेन्द्र नारायण देव केर प्रमुख अतिथिक रूप मे उपस्थिति तथा समाजक अध्यक्षा संगीता देव केर अध्यक्षता व संजय कुमार देवक संचालन मे उद्घाटन सत्र भेल छल। अतिथिक तौर पर दहेज मुक्त मिथिला अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी एवं मैथिलीक अति-विशिष्ट हास्य सम्राट अद्भुतानन्द केर उपस्थिति रहल। विराटनगर वार्ड नम्बर १२ केर अध्यक्ष हीरालाल कामत सेहो विशिष्ट अतिथिक रूप मे उपस्थित छलाह। एहि सत्रक आरम्भ भैरवि वन्दना जय जय भैरवि असुर भयाउनि गायक वीरेन्द्र झा एवं मुनचुन देव सहित अन्य कलाकार लोकनि सामूहिक रूप सँ गाबिकय कयलनि। उद्घाटनक सत्र मे प्रमुख अतिथि जितेन्द्र नारायण देव केर हाथ सँ देव समाजक १५ गोट वयोवृद्ध महिला लोकनि केँ माला ओ चादर ओढाकय कयल गेल। ई क्षण काफी आनन्दित करयवला छल। जतय एक दिश आइ-काल्हि लोक वृद्ध-वृद्धा सब केँ अवहेलनाक पराकाष्ठा पार कय केँ घोर अमानवीयताक क्रूर उदाहरण सरेआम देखबैत अछि ताहि ठाम देव महिला समाज द्वारा जीतिया पाबनिक उपलक्ष्य मे राखल गेल उत्सव मे सम्मान करैत एकटा सार्थक आ महत्वपूर्ण सन्देश देल गेल अछि। निश्चित रूप सँ जीतिया पाबनि कयनिहारि मातृरूपा जननी (महिला) लोकनि केँ सम्मानित करब देव समाजक उच्च बौद्धिकता केँ सिद्ध करैत बुझायल।