आइ सँ शुरू भेल निःशुल्क स्वास्थ्य शिविर पटना मे, चेतना समितिक नव क्रान्तिकारी प्रयास

१४ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

भाषा, साहित्य आ संस्कृति केर सेवा सँ ऊपर आब चेतना समिति पटना किछु एहेन प्रयास सेहो आरम्भ कयलक अछि जाहि अन्तर्गत सीधा जन-जन सँ जुड़ाव बढत। आर एहि तरहें सेवाग्राही मैथिलीभाषी जनसमुदाय केँ अपन भाषा-संस्कृति आ सभ्यता संग सामाजिक-राजनीतिक अन्य सरोकार दिश सेहो झुकाव बनत। किछु एहि तरहक परिकल्पनाक संग चेतना समिति पटना द्वारा आइ १४ जुलाई सँ हरेक रवि दिन निःशुल्क स्वास्थ्य शिविर संचालन कयल जेबाक निर्णय लैत शिविर केर सफल संचालन सेहो आरम्भ कयल गेल अछि।

मैथिली-मिथिलाक अभिभावक संगठन ‘चेतना समिति पटना’ केर तत्त्वावधान मे निःशुल्क चिकित्सा सेवा (शिविर) केर शुभारंभ आइ पटना मे भेल अछि। समितिक अपनहि भवन विद्यापति भवन परिसर मे आइ दर्जनों सेवाग्राही एहि सेवा शिविर केर लाभ उठा रहला अछि। आइ करीब २५ गोटे सेवाग्राही एहि शिविर सँ स्वास्थ्य जाँच करौलनि आर महंग मेडिकल जाँचक कुबेला मे सहज जाँच सुविधा आ अपनत्व सँ भरल चिकित्सकीय सलाह पाबि कृतार्थ भेलाह।

बकौल अध्यक्ष श्री विवेकानन्द झा ई शिविर आब प्रत्येक रवि दिन १० बजे सँ १ बजे केर बीच आयोजित होयत। पैछला ६६ वर्ष सँ भाषा-संस्कृति प्रति अनवरत सेवा करैत आबि रहल सर्वथा प्राचीन आ काफी महत्वपूर्ण संस्था चेतना समिति हाल किछु समय सँ काफी सक्रिय आ जनमुखी कार्यक्रम सभक आयोजन आरम्भ कयलक अछि, जाहि मे वर्तमान अध्यक्ष एवं कार्यकारिणी संग-संग कार्यक्रम योजना विकास केर परिकल्पक लोकनिक भूमिका काफी सराहनीय अछि।

संस्थाक एहि निर्णय पर अपन विचार रखैत डा. कमल मोहन चुन्नू कहैत छथि जे “चेतना समिति पछिला २-३ वर्ष मे अपन पुरना गौरव आ मारिते रास नव-नव दायित्व हासिल कयलक अछि। चारू कात एकर प्रशंसा भ’ रहल अछि। हमरा सभक लेल ई अत्यन्त हर्षक विषय अछि। निश्चित रूप सँ एकर पदाधिकारी लोकनि धन्यवादक पात्र छथि। समिति हमरा लोकनिक मुकुट अछि। ई एहिना सुन्दर होइत चलय। सभ गोटे केँ हमर अशेष शुभकामना।”

तहिना सहरसाक संस्कृति मिथिलाक अध्यक्ष एवं भाषा-संस्कृति अभियानी रामकुमार सिंह एहि तरहक सक्रियतापूर्वक जनसेवा सँ जुड़ल आयोजन सभक प्रति समितिक सराहना करैत कहैत छथि जे ई सब बहुत सराहनीय कार्य थिक, एहि तरहक आयोजन लेल चेतना समिति आ गणमान्य चिकित्सक लोकनिक प्रति हार्दिक आभार व्यक्त करैत छी।

विदित हो जे चेतना समिति द्वारा आरम्भ कयल गेल ई एकटा अभिनव प्रयास मे डा. डीके चौधरी, डा. मंजू गीता मिश्रा, डा. एसएस झा, डा. वीणा मिश्रा, डा. अरुण कुमार ठाकुर, डा. महेन्द्र कुमार, डा. विनय कारक, डा. अमरकान्त झा, डा. एसके झा, डा सुनील कुमार मल्लिक, डा. विमल कारक, डा. राकेश चौधरी, डा. प्रजा मिश्रा चौधरी, डा. प्रदीप कारक, डा. समरेन्द्र झा, डा. एसके मिश्रा एवं डा. सुमन मिश्रा अपन सेवा प्रदान करबाक स्वीकृति देलनि अछि। एहि स्वास्थ्य शिविर केर आयोजन करबाक संयोजनक भार किशोर चौधरी छथि जिनकर नाम समिति केँ नव ऊँचाई मे लय जेबाक लेल बहुत जोर-शोर सँ चर्चा दहोंदिश कयल जा रहल अछि।